Search

प्रवीण नारायण चौधरी

तारा नन्द दास रचित एक अति-अति विशिष्ट मिथिला-वर्णनः संक्षिप्त मिथिला दर्शन

साहित्य-सृजन – तारा नंद दास, ग्राम- सखवाड़, सरिसवपाही, दरभंगा, बिहार । संक्षिप्त मिथिला-दर्शन सुकृत्य कृत पावन मिथिलाधाम सुसंस्कृत सुंदर श्रेष्ठ महान एतय अवतरित भेली माँ सीता, राजा जनक समान एतय एला पाहुन पुरुषोत्तम राम सदृश भगवान गौतम गेहिनी भेली पावनी पाबि रूप अभिराम रामचरण रज केर प्रभाव सौं एतहि अहिल्याधाम पाग प्रतीक एतय सम्मानक माथ पाग तारा नन्द दास रचित एक अति-अति विशिष्ट मिथिला-वर्णनः संक्षिप्त मिथिला दर्शन

भारतीय वैज्ञानिक द्वारा ‘चन्द्रयान-२’ केर सफल प्रक्षेपण पर पीएम मोदी सहित पूरे दुनिया सँ बधाई

२२ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! चेन्नई: भारत द्वारा २२ जुलाई, २०१९ केर दुपहर २:४३ मिनट पर अंतरिक्ष केर दुनिया मे नव उपलब्धि हासिल कयल गेल अछि। श्रीहरिकोटा केर सतीश धवन अंतरिक्ष केंद्र सँ जीएसएलवी-मार्क तृतीय प्रक्षेपण यान सँ अंतरिक्ष यान चंद्रयान-2 केँ लॉन्‍च कय भारत दुनिया केँ अपन दमखम केर परिचय देखौलक अछि। ई लांचिंग पूरे कामयाब रहल। भारतीय वैज्ञानिक द्वारा ‘चन्द्रयान-२’ केर सफल प्रक्षेपण पर पीएम मोदी सहित पूरे दुनिया सँ बधाई

बधाई शुभकामना आह वाह सँ आगू विमर्श-विचार कहिया होयत – बालमुकुन्द केर प्रश्न

विचार – बालमुकुन्द विरोध व्यक्ति सँ अछि वा सिस्टम सँ ? किछु दिन पूर्व सँ, जखन सँ साहित्य अकादमी द्वारा बाल आ युवा पुरस्कारक घोषणा कएल गेल अछि, तखन सँ पुरस्कार आ पुरस्कृत पोथी सँ फाजिल पुरस्कारक निर्णायक मंडल (ज्यूरी) विमर्शक केन्द्र मे छथि। विमर्श होएबाको चाही, तकर स्वागत करैत छी तथापि विमर्श जाहि आधार बधाई शुभकामना आह वाह सँ आगू विमर्श-विचार कहिया होयत – बालमुकुन्द केर प्रश्न

पुर्वाञ्चल इंजीनियरिंग कैम्पस केर छात्र सभ केँ विदाई पर आयोजित समारोह

२१ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपाल तराई विद्यार्थी नवजागरण संघ धरान द्वारा पूर्वाञ्चल इंजीनियरिंग कैम्पस केर कोर्स पूरा कय घरमुंहाँ छात्र सभक लेल एक भव्य विदाई समारोहक आयोजन १७ जुलाई बुध दिन आयोजित कयल गेल छल। फेयरवेल प्रोग्राम २के७६ शीर्षक मे आयोजित एहि समारोह मे तराई-मधेशक विद्यार्थी लोकनि केँ विदाई सम्मान पत्र दय केँ आगू पुर्वाञ्चल इंजीनियरिंग कैम्पस केर छात्र सभ केँ विदाई पर आयोजित समारोह

मैथिलीक सुप्रसिद्ध साहित्यकार राना सुधाकर केर ५ गोट विशिष्ट रचना

साहित्य सम्माननीय स्रष्टा ‘राना सुधाकर’ दिश सँ…… १. गजल बस कथा-पिहानी जीवन अछि सुख-दुःख दर्दक गठबंधन अछि ककरो सँ अपेक्षा राखब नहि बिल्कुल पतझड़ केर मौसम अछि अपनत्वक मतलब आइ कतऽ सभक सम्बन्ध मे अनबन अछि अछि गंधहीन अनुराग हमर किनको आंगन नहि अरिपन अछि आकृति मनोहर बिला गेल चनकल असमय मे दर्पण अछि २. मैथिलीक सुप्रसिद्ध साहित्यकार राना सुधाकर केर ५ गोट विशिष्ट रचना

१७म् अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन विराटनगर मे होयत

विराटनगर, २० जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!   प्रतिवर्ष २२ आर २३ दिसम्बर केर दिन होयवला अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन एहि साल विराटनगर मे होयत। विराटनगरक विभिन्न मैथिली भाषा-साहित्य, संस्कृति, समाजसेवी संस्था मिलिकय ई आयोजन भव्यताक संग करबाक निर्णय कयलनि अछि। एहि सँ पूर्व नेपाल आर भारतक विभिन्न स्थान मे ई आयोजन होइत एबाक जानकारी विराटनगर आयोजन १७म् अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन विराटनगर मे होयत

अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन विराटनगर मे होयबाक नियार आ बैसार उपरान्त एक प्रार्थना जानकी सँ 

विराटनगर, नेपाल। २० जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! हे जगज्जननी जानकी! हे पराम्बा मैथिली!! मर्यादा पुरुषोत्तम रामक सदा प्रिय आ संग विराजित अम्बे!! अहाँक दया आ कृपा सँ बल आ बुद्धि केर निधान हनुमान सेहो कृतार्थ भेलाह। हम सब त तुच्छ मानव छी, बिना अहाँक कृपा हमरा सभक जीवन भले कोना पार लागत? कृपा करू हे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन विराटनगर मे होयबाक नियार आ बैसार उपरान्त एक प्रार्थना जानकी सँ 

दिल्लीक पूर्व मुख्यमंत्री शीला दीक्षित लेल प्रवीण श्रद्धाञ्जलि

विराटनगर, नेपाल। २० जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! भारतीय कांग्रेसक एक वरिष्ठतम् नेतृ आ दिल्ली केर सर्वाधिक अवधि लेल मुख्यमंत्री रहली शीला दीक्षित आइ ८१ वर्षक उमेर मे अपन करोड़ों प्रशंसक आ भारतक चर्चित राजनीतिक परिवार – आश्रितजन केँ छोड़िकय मानवलोक सँ ऊपर स्वर्गलोक दिश चलि गेलीह। केकरो बुझल हेतैक, केकरो नहियो बुझल हेतैक – ओ दिल्लीक पूर्व मुख्यमंत्री शीला दीक्षित लेल प्रवीण श्रद्धाञ्जलि

सोनम केर अंगना मे

लघुकथा – वंदना चौधरी सोनम केर माय अपन बेटा सोहन जे कि इंजीनियर छलैन्ह हुनका लेल कनियाँ तकैत छलीह। कनियाँ एहेन जे कि खूब पढ़ल-लिखल आ देखैयो में खूब सुंदर होयबाक संग घरेलू कामकाज में सेहो दक्ष होइथ। दोसर तरफ सोनम केर लेल सेहो सेटल लड़काक तलाश छलैन्ह। मुदा पहिने सँ एकटा शर्त रखने छलीह सोनम केर अंगना मे

महोत्तरी मे बाढि पीड़ित केँ राहत बँटलक अपन मिथिला सेवा समाज केर सदस्य लोकनि

राम कुमार महतो, सउदी अरब। १९ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! महोत्तरी केर बलबा नगरपालिका वार्ड संख्या १० मे अपन मिथिला सेवा समाज केर सदस्य लोकनि द्वारा बाढि पीड़ित सब केँ राहत वितरण कयल गेल अछि। राहत सामग्री मे २०० किलो चुड़ा, ५० किलो मुरही, ४० किलो दालबुट आ २० कार्टुन चाउचाउ (नूडल्स) करीब २०० आदमी केँ महोत्तरी मे बाढि पीड़ित केँ राहत बँटलक अपन मिथिला सेवा समाज केर सदस्य लोकनि