पुर्वाञ्चल इंजीनियरिंग कैम्पस केर छात्र सभ केँ विदाई पर आयोजित समारोह

२१ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपाल तराई विद्यार्थी नवजागरण संघ धरान द्वारा पूर्वाञ्चल इंजीनियरिंग कैम्पस केर कोर्स पूरा कय घरमुंहाँ छात्र सभक लेल एक भव्य विदाई समारोहक आयोजन १७ जुलाई बुध दिन आयोजित कयल गेल छल। फेयरवेल प्रोग्राम २के७६ शीर्षक मे आयोजित एहि समारोह मे तराई-मधेशक विद्यार्थी लोकनि केँ विदाई सम्मान पत्र दय केँ आगू नीक भविष्यक शुभकामना जुनियर छात्र सभक सहभागिता कैम्पसक शिक्षक सह नेपाल तराई विद्यार्थी नवजागरण संघ केर संस्थापक लोकनिक पमुख व विशिष्ट आतिथ्य मे विदाई कयल गेल छल। प्रमुख अतिथिक रूप मे कैम्पस केर प्राचार्य एवं संघक संस्थापक आरडी यादव सहभागी छलाह, ओतहि अन्य वरिष्ठ शिक्षक लोकनिक विशिष्ट आतिथ्य मे रामचन्द्र मंडल, महेन्द्र यादव, तन्त्रनाथ झा, मिश्रीलाल यादव तथा छात्र नेता मे प्रोमिशा मिश्र, भाषा अभियानी प्रवीण नारायण चौधरी आ पूर्व विद्यार्थी मध्य सुन्दर यादव तथा वर्तमान विभिन्न सेशनक इंजीनियरिंग पढाई कय रहल छात्र-छात्रा लोकनिक उपस्थिति छलथि। एकर अध्यक्षता संघक अध्यक्ष दीपक रौनियार कयलनि, तहिना संचालन विद्यानन्द बेदर्दी एवं साक्षी चौधरी द्वारा कयल गेल। एहि विदाई समारोह मे प्रमुख अतिथि, विशिष्ट अतिथि द्वारा विदाह भऽ रहल छात्र सभक सुन्दर भविष्य लेल शुभकामना देबाक संग-संग नेपाल मे इंजीनियरिंग फील्ड मे रोजगारक अवसर कोना बढि सकत ताहि पर विचार राखल गेल छल। संगहि आयोजनक विशेषता ई छल जे कार्यक्रम संचालनक भाषा, प्रस्तुतिक भाषा तथा वैचारिक संप्रेषणक भाषा मे केवल तराई-मधेशक भाषा यथा मैथिली, भोजपुरी अथवा अवधी वा आन कोनो जेकर जे मातृभाषा अछि ताहि मे संवाद संचरण कयल गेल छल।

विदाई समारोह मे सांस्कृतिक प्रस्तुति गीत-नृत्य सेहो छात्र लोकनि अपनहि सब मिलिकय कएने रहथि। प्रवीण यादव, कमल कामत, प्रेरणा केसी, कौशिकी पाठक द्वारा मैथिली गीत एवं भोजपुरी गीत पर भव्य भावनृत्य प्रस्तुत कयल गेल छल। कार्यक्रमक आरम्भहि मे विशेष अतिथिक रूप मे आमन्त्रित मैथिली गायक तेजू मैथिल भैरवि वन्दना गाबिकय कयलनि, तदोपरान्त विभिन्न स्वादक मैथिली गीत आ अपन प्रखर स्वर मे छात्र-छात्रा सभकेँ सन्देश दैत हुनका लोकनिक आगामी जीवन व करियर सफल-सुन्दर होयबाक शुभकामना सेहो ओ दैत रहलाह। तहिना छात्र लोकनिक मध्य सँ पवन पांडे, प्रेम यादव, आभाष कुमार द्वारा मैथिली आ भोजपुरी गीत गायन कयल गेल। संगहि यैह विदाई समारोह मे स्वाइल एन्ड वाटर कन्जर्वेशन संकाय मे अध्ययन लेल नवागन्तुक छात्र सभ केँ स्वागत सेहो कयल गेल।

एहि अवसर पर आयोजित एक सामूहिक भोज जे धरानक हरियर-कंचन सुन्दर वन मे वनभोजक तर्ज पर कार्यक्रमक सुन्दरता केँ चारि चान लगौने छल। लाङ्घाली पार्क आ लाङ्घाली भवन मे आयोजित एहि भव्य विदाई समारोह मे आमन्त्रित मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक एवं भाषा-संस्कृति अभियानी अपन संबोधन मे विद्यार्थी सभ केँ मातृभाषा प्रेम प्रति खूब प्रशंसा करैत हुनका लोकनि केँ मैथिली भाषाक गरिमा आ महत्व नेपालदेश मे कतेक प्राचीन आ कतेक समृद्ध अछि ताहि पर वक्तव्य देलनि। हुनका द्वारा स्टेटस मे लिखल शब्द एतय जहिनाक तहिना राखि रहल छीः

“आइ धरान मे पुर्वाञ्चल इंजीनियरिंग कैम्पस केर छात्र जे अपन इंजीनियरिंग केर पढाई ४ वर्षक पूरा कय आब आउटगोइंग बैच छथि तिनका लेल नेपाल तराई विद्यार्थी नवजागरण संघ द्वारा भव्य विदाई समारोह मे भाग लेलहुँ। इंजीनियरिंग केर पढाई पूरा कय उच्च अध्ययन लेल सब केँ शुभकामना देल, संगहि ‘मेक इन नेपाल’ आ नेपाल मे बहुत रास संभावना रहबाक बात कहि हुनका लोकनि केँ ताहि दिशा मे अपन स्कील केर उपयोग करबाक लेल आह्वान कयल। मैथिली भाषा एवं भोजपुरी भाषा जेकर जे मातृभाषा अछि – तेकर पिछड़ापन केँ दूर करबाक लेल इंजीनियर छात्र सब बहुत नीक संकल्प लय आगू बढि रहला अछि, ताहि पर सेहो बड़ा स्पष्ट भाषा मे हुनका सब केँ कहल जे भाषिक उत्थान बिना कोनो मुक्ति आन्दोलन सफल नहि भऽ सकैत अछि, ताहि लेल अहाँ सभक जागरुकता नव रंग जरूर आनत। संगहि, मैथिली व नेपालक भोजपुरी भाषा मे बहुत बेसी फर्क नहि रहबाक स्थिति पर सेहो प्रकाश देल। आपसी मित्रता सँ हम सब जल्दी आगाँक यात्रा तय कय सकब। अति-राजनीति सँ नेपाल केर आर्थिक विकास अवरुद्ध भेल, ताहि पर सेहो हुनका सब सँ स्थिति बुझिकय भविष्यक नेपाल – समृद्ध नेपाल आ सुखी नेपाली नारा अनुरूप राष्ट्र सेवा लेल प्रेरणा देल।

हरिः हरः!!”

अपन निजताक पृष्ठपोषण करैत कैम्पस केर छात्र मे मातृभूमि-मातृभाषा-मातृसंस्कृति प्रति जिम्मेदारी सँ भरल कार्यक्रमक ई दोसर आयोजन देखबाक बात संपादक चौधरी बतौलनि। संगहि एहि परिकल्पना केँ कैम्पस मार्फत पूरे राष्ट्र मे पसारबाक लेल हुनका लोकनि केँ बधाई सेहो ज्ञापन कयल गेल।