Search

प्रवीण नारायण चौधरी

स्वधर्मे निधनं श्रेयः परधर्मो भयावहः – स्वत्व सँ दूर सन्तोष नहि

विचार – प्रवीण नारायण चौधरी स्वत्व सँ दूर सन्तोष नहि   मयूर केर नाच देखि कौआ लोभा गेल। मयूर सभ चलि गेलाक बाद ओहो ओकर पाँखि पहिरि नाचय लागल। दोसर कौआ सब देखलकैक त हँसय लागल सब। लेकिन ओहि कौआ केँ मयूर एतेक बेसी प्रभावित कय देने छलैक जे ओ मगन भऽ स्वजातिक हँसीक बरखिलाफ स्वधर्मे निधनं श्रेयः परधर्मो भयावहः – स्वत्व सँ दूर सन्तोष नहि

उगना विद्यापति (नाटक)

मिथिलाक सुप्रसिद्ध सत्यकथा – लोकश्रुति मे जीवित – महाकवि विद्यापति एवं महादेव रूपी सेवक ‘उगना’ पर आधारित नाटक उगना-विद्यापति (मूल लेखक – हिन्दी मे डा. गिरिजा किशोर झा तथा डा. ललन कुमार झा) अनुवाद – प्रवीण नारायण चौधरी अंक १ दृश्य १ (स्थान विस्फीक ग्रामीण वातावरण। अपन दलान पर विद्यापति पूजा पर बैसल छथि। धोती उगना विद्यापति (नाटक)

मिथिला मे आब होबय लागल अछि फिल्मी विवाहक विध-व्यवहारः एक रोचक समीक्षा

विवाहक रस्म-रिबाज – मिथिला आ आन संस्कृति   विवाह मानव जीवनक एक अत्यन्त महत्वपूर्ण आ सभ्य संस्कार होइत छैक। सृष्टि केँ निरन्तरता देबाक लेल सन्तान उत्पत्ति आ कुल-पीढी केँ निरन्तरता देबाक लेल नारी आ पुरुष केँ आपस मे वैवाहिक जीवन मे प्रवेश करबाक अनुशासन सर्वविदिते अछि।   मानवोचित हरेक संस्कार – चाहे विवाह, उपनयन, मुड़न, मिथिला मे आब होबय लागल अछि फिल्मी विवाहक विध-व्यवहारः एक रोचक समीक्षा

देशक पहिल मैथिली प्रज्ञा भवनक निर्माण जनकपुर में शुरू

शुभ समाचार – एहि सँ नमहर आ सुन्दर आन कोनो योजना नहि भ सकैत अछि। मुंह सँ केवल वाह आ बस वाह वाह निकलि रहल अछि। वाह निकलबाक दु गोट कारण, एक जे कीर्तिपुरुष जिवनाथ भाइजी अर्थात मैथिली विकास कोष जनकपुर केर ई वृहत योजना केँ साकार रूप भेटब आरम्भ भेल जे नेपालदेशक पहिल ठोस देशक पहिल मैथिली प्रज्ञा भवनक निर्माण जनकपुर में शुरू

कोरोना सँ सभक प्राणक रक्षा हो

कोविड १९ के नया स्वरूप – सभक प्राणक रक्षा हो   २०२० मे कोविड १९ केर लक्षण सँ बेसी खतरनाक लक्षण २०२१ मे देखाय दय रहल अछि। बड़ा दुःख होइछ जखन केकरो पोजिटिव होबय तक के समाचार बिना सुनने सीधे कोरोना सँ मृत्युक खबरि आबि जाइत अछि। एहि बीच मे काफी एहेन दुखद समाचार सुनि कोरोना सँ सभक प्राणक रक्षा हो

मिथिला लेल गर्वक क्षणः मैथिल सपूत डा. इन्द्रदेव साहु केँ अमेरिकाक प्रतिष्ठित विज्ञान पुरस्कार

८ अप्रैल, २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!! एसोसिएशन अफ नेपाली तराइयन इन अमेरिका –  एन्टा प्रेसिडेन्ट एवं वैज्ञानिक डा. इन्द्रदेव साहु केँ संयुक्त राज्य अमेरिकाक सर्वथा प्रसिद्ध आ प्रतिष्ठित नेशनल साइंस फाउन्डेशन (एनएसएफ) द्वारा अमेरिकी डलर २,९७,०००.०० केर पुरस्कार देल गेलनि अछि। ई पुरस्कार हुनका द्वारा ‘पोटाशियम चैनल एसेसरी प्रोटीन’ (केसीएनई३) केर संरचना आ गतिशीलता (गतिशील मिथिला लेल गर्वक क्षणः मैथिल सपूत डा. इन्द्रदेव साहु केँ अमेरिकाक प्रतिष्ठित विज्ञान पुरस्कार

एक अति महत्वपूर्ण लेख जे पढिते बदलि जायत अहाँक जीवन – सार्थक मार्गदर्शन

स्वाध्याय सँ प्राप्त सुन्दरतम् लेख – मैथिली अनुवाद – प्रवीण नारायण चौधरी ई बदैल सकैत अछि अहाँक जीवन!! (It can change your life!) (स्कन्दपुराण सँ लेल गेल एक कथा) श्रीनारदजी ऐतरेय मुनि आ हुनक माताक बीच भेल संवादक उल्लेख कएने छथि, जाहि मे कहल गेल अछि जे ऐतरेय मुनि अपन माय केँ वैराग्यक उपदेश देलनि एक अति महत्वपूर्ण लेख जे पढिते बदलि जायत अहाँक जीवन – सार्थक मार्गदर्शन

परदेश नहि जेता त ब्याहो पर आफद – सन्दर्भ मिथिला सँ पलायन पर युवा विचार

युवा विचार – सागर झा (दहेज मुक्त मिथिला पर लेखनीक प्रवाह अन्तर्गत लिखल गेल लेख जाहि मे एक युवा अपन विचार रखलनि अछि, पठनीय आ मननीय लेख) मिथिलांचलक लोक कs लगातार अपन छेत्र सs पलायन के मुख्य कारण हमरा अनुसारे एक्के टा अछि औऱ ओ कारण अछि आर्थिक रूप सs कमज़ोर होइ के, एकरा बेरोजगारी परदेश नहि जेता त ब्याहो पर आफद – सन्दर्भ मिथिला सँ पलायन पर युवा विचार

विराटनगर मे १२म् मैथिली मासिक कवि सम्मेलन सम्पन्न भेल

विराटनगर, २१ मार्च २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!!   मैथिली मासिक कवि सम्मेलन सम्पन्न   मैथिली साहित्य अभियान विराटनगर द्वारा कर्ण संजय केर संयोजन सह अध्यक्षता में प्रत्येक मासक प्रथम शनि दिन नियमित रूप सँ होयवला मासिक कवि सम्मेलन केर चैत्र मास के आयोजन आइ हिपमत मीडिया प्रा. लि. के स्टूडियो में भव्यता संग सम्पन्न भेल विराटनगर मे १२म् मैथिली मासिक कवि सम्मेलन सम्पन्न भेल

विराटनगर मे मैथिल संचारकर्मी संघ केर गठन सँ मैथिलीभाषी मे प्रसन्नताक संचार

विराटनगर, २१ मार्च २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलाक इतिहास मे अनेकन प्रसिद्धि लेल जानल जायवला मोरंगक्षेत्र आ वर्तमान समय नेपालक अत्याधुनिक औद्योगिक महानगर विराटनगर मे पैछला शनि (१३ मार्च २०२१) दिन नेपाल पत्रकार महासंघक पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष सह मैथिली-नेपाली भाषा-साहित्यक चर्चित विद्वान् व्यक्तित्व धर्मेन्द्र झाक अभिनन्दन समारोह आयोजन भेल छल जाहि मे श्री झाक सम्मान-अभिनन्दनक विराटनगर मे मैथिल संचारकर्मी संघ केर गठन सँ मैथिलीभाषी मे प्रसन्नताक संचार