विराटनगर मे १२म् मैथिली मासिक कवि सम्मेलन सम्पन्न भेल

विराटनगर मे मैथिली कवि सम्मेलनक मासिक आयोजन १२म बेर निरन्तरता मे
विराटनगर, २१ मार्च २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!!
 

मैथिली मासिक कवि सम्मेलन सम्पन्न

 
मैथिली साहित्य अभियान विराटनगर द्वारा कर्ण संजय केर संयोजन सह अध्यक्षता में प्रत्येक मासक प्रथम शनि दिन नियमित रूप सँ होयवला मासिक कवि सम्मेलन केर चैत्र मास के आयोजन आइ हिपमत मीडिया प्रा. लि. के स्टूडियो में भव्यता संग सम्पन्न भेल अछि।
 
एहि में युवा कवि कैलाश यादव, प्रमोद मंडल, शान्ता कर्ण, वन्दना चौधरी, प्रेम झा, कुमुद मोहन झा, विपिन झा, प्रवीण नारायण चौधरी, शिवनारायण पंडित सिंगल, प्रकाश प्रेमी, कर्ण संजय एवं राना सुधाकर कविता वाचन कयलनि।
 
एहि अवसर पर अप्पन ब्राह्मण समाज के अध्यक्ष कुमुद मोहन झा द्वारा ऐगला शनि दिन 14 गते सागरमाथा पार्टी पैलेस में होम्य जा रहल होली विशेष आयोजन लेल समस्त कवि लोकनि केँ विशेष तैयारी के संग होली विशेष रचना संग आमंत्रित कयल गेलनि। तहिना मैथिल ब्राह्मण महासभा युवा कार्यसमिति के अध्यक्ष मनोज मिश्र सेहो सब केँ होली के शुभकामना देबाक संग सहयोग लेल सदा तैयार रहबाक वचनबद्धता व्यक्त कयलनि।
 
हिपमत मीडिया के प्रबंधक निर्देशक वीरेन्द्र साह सेहो शुभकामना संग हिपमत के तरफ सँ हरसम्भव सहयोग करैत मैथिली संचारकर्म केँ बढ़ेबाक शुभकामना देलनि।
 
समस्त कवि व साहित्यकार लोकनि द्वारा विराटनगर मे नवगठित मैथिल संचारकर्मी संघ पर केन्द्रित छोट चर्चा मे प्रसन्नता व्यक्त करबाक संग बहुत दिन सँ कयल गेल आशा आब विश्वास मे परिणति पेबाक अपेक्षा राखल गेल। वास्तव मे मैथिली भाषा नेपाली, हिन्दी, अंग्रेजी आदि विश्वक कतेको रास चर्चित भाषा सँ पुरान आ समृद्ध रहितो आइ राजकीय पोषणक अभाव आ शिक्षा मे कतहु मैथिली केँ स्थान नहि देबाक कारण उपेक्षित आ पिछड़ल अवस्था मे देखाइत अछि। तेँ मैथिल संचारकर्मी संघक गठन बहुत अनुकूलता बहाल करत से विश्वास राखल गेल अछि। नवगठित पदाधिकारी लोकनिक सम्मान-अभिनन्दनक कार्यक्रम निरन्तर कयल जेबाक विषय पर सब कियो सहमति जतेलनि। आगामी होली शुभकामना आदान-प्रदान सम्बन्धी कार्यक्रम जे अप्पन ब्राह्मण समाज द्वारा कयल जायत ताहि मे सेहो सभक सम्मान केर अपेक्षा राखल गेल अछि। तहिना भाषा व लेखन सम्बन्धी तालिम लेल राना सुधाकर, कर्ण संजय व अन्य दिग्गज साहित्यकार द्वारा संचारकर्मी लोकनिक प्रशिक्षण शिविर सेहो लगायल जेबाक विषय पर चर्चा कयल गेल। जरूरत मे एहि तरहक शिविर लगायल जेबाक बात संयोजक कर्ण संजय कहलनि।