विराटनगर, २१ मार्च २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलाक इतिहास मे अनेकन प्रसिद्धि लेल जानल जायवला मोरंगक्षेत्र आ वर्तमान समय नेपालक अत्याधुनिक औद्योगिक महानगर विराटनगर मे पैछला शनि (१३ मार्च २०२१) दिन नेपाल पत्रकार महासंघक पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष सह मैथिली-नेपाली भाषा-साहित्यक चर्चित विद्वान् व्यक्तित्व धर्मेन्द्र झाक अभिनन्दन समारोह आयोजन भेल छल जाहि मे श्री झाक सम्मान-अभिनन्दनक संग एहि क्षेत्र मे कार्यरत मैथिलीभाषी संचारकर्मी लोकनि सेहो संगठित होइत एक गोट संघ केर स्थापना कयलनि अछि जेकर नाम पड़ल “मैथिल संचारकर्मी संघ”। एहि संघ केर तदर्थ समिति (कार्यकारिणी) केर अध्यक्ष नवीन कर्ण, उपाध्यक्ष प्रकाश प्रेमी तथा कुमारी श्रेया, सचिव वीरेन्द्र कुमार साह, सह-सचिव उषा कुमारी सरदार, कोषाध्यक्ष राकेश कर्ण, सदस्य लोकनि मे – संतोष मेहता, शिवम् मिश्र प्रशान्त, नीरज चौधरी, प्रियंका कामत, हुसैन शेख, प्रेम यादव, राधा मण्डल तथा प्रेम साह छथि। कुल १४ सदस्यीय मूल कार्यसमितिक संग संघ केर संरक्षण आ सहयोग संग आगू कोन तरहें बढल जाय ताहि लेल सलाहकार समिति सेहो गठन कयल गेल अछि। संरक्षक सलाहकार केर रूप मे पंकज वर्मा संग राजनीतिक-सामाजिक-आर्थिक सलाहकार तेजलाल कर्ण, पूनम सिंह एवं अमलेश कर्ण, भाषा-संस्कृति एवं लेखन सम्बन्धी सलाहकार प्रवीण नारायण चौधरी, अन्तर्राष्ट्रीय मामिला सलाहकार वरुण मिश्र, पत्रकारिता सम्बन्धी सलाहकार अरविन्द मेहता, ब्रह्मदेव यादव एवं जितेन्द्र कुमार ठाकुर केँ शामिल कयल गेल अछि। एकर अलावे एहि संघ मे मैथिलीभाषी समस्त संचारकर्मी जाहि मे पत्रकार केर अतिरिक्त संचारक्षेत्र मे कार्य कयनिहार प्रत्येक व्यक्ति केँ जोड़ल जेबाक बात कहल गेल अछि। रेडियो, टेलिविजन, प्रिन्ट मीडिया, आनलाइन मीडिया आदि मे जुड़िकय संचारकार्य मे जेकर योगदान छैक ई संघ ओकरे वास्ते स्थापित कयल गेल अछि – यैह मूल घोषणा कयल गेल अछि। तदर्थ समितिक नाम केर घोषणा स्वयं धर्मेन्द्र झा द्वारा उपरोक्त अभिनन्दन समारोह मे कयल गेल छल। श्री झा द्वारा शुभकामना सन्देश मे एहि संघ केर स्थापना पर प्रसन्नता जतबैत एकर दीर्घायु होयबाक शुभकामना देल गेल छल। सफलताक कतिपय टिप्स दैत समस्त मैथिल संचारकर्मी सँ ओ कहलखिन जे काज कोनो भाषा मे करू, मोन मैथिल राखिकय अपन मातृभाषा मैथिली लेल सेहो समर्पित रहब। जाहि भाषाक संचार मजबूत नहि से भाषाक और्दा कम होइत छैक, तेँ समस्त मैथिलीभाषी संचारकर्मी पर नैतिक जिम्मेदारी पड़ैत अछि जे अपन मातृभाषा केँ सेहो बचाउ, बढाउ आ विश्व भरि मे पसारू।
मैथिल संचारकर्मी संघक स्थापना बारे सामाजिक संजाल व विभिन्न पत्र-पत्रिका मे प्रकाशित समाचार सँ पूरे विराटनगर आ एक तरहें सम्पूर्ण राष्ट्र मे सुखद सन्देश गेल अछि। पूरा विराटनगर मे एकटा नव ऊर्जाक प्रसार भेल अछि जे मैथिल संचारकर्मी सब सेहो संगठित भेलाह अछि – अपन मूल भूमि पर आब ईहो सब अपन मैथिल समुदाय जाहि मे अनेकों पढल-लिखल उच्चस्तरीय व्यक्तित्व, डाक्टर, इंजीनियर, प्रोफेसर, वकील, सरकारी पदाधिकारी, उद्योगी, व्यवसायी, उद्यमी संग प्रतिभासम्पन्न फिल्मी कलाकार, चित्रकार, गायक, रंगकर्मी आदि तथा विभिन्न विद्यालय सब मे उत्कृष्ट प्रदर्शन कय रहल प्रतिभावान छात्र-छात्रा सभक बारे मे संचार माध्यम सँ व्यक्तित्व, कृतित्व सभक बारे जानकारी करौता जेकर सकारात्मक प्रभाव सँ दबल-पिछड़ल वर्गक उत्थान होयत, सब मे राष्ट्रीयताक उच्चभावक विकास होयत, सुन्दर-स्वस्थ प्रतिस्पर्धा होयत – समग्र मे पहिलुका दमित-शोषित स्थिति सँ ऊबार भेटत। वर्तमान समय धरि एकल भाषा-भेषक प्रचलन मे मैथिली जेहेन प्राचीन आ समृद्ध भाषा पर्यन्त थकुचायल अवस्था मे चलि गेल अछि, लेकिन एहि भाषाक संचारकर्मी आब तैयार भेलाह अछि त निश्चित किछु न किछु सार्थक उपलब्धि भेटबे करत – यैह चर्चा एखन समस्त मैथिलीभाषीक बीच भऽ रहल अछि। दोसर दिश, नेपाल मे राजनीतिक सोच आ परिस्थिति सब दिश हावी हेबाक कारण मैथिल संचारकर्मी लोकनिक एकजुटताक समाचार सँ अन्य भाषाभाषी सेहो काफी सजग भेला अछि। किछु उपद्रवी मानसिकताक लोक संघ मे सहभागी गोटेक सदस्य लोकनि केँ पुनः जाति-पाँति व बोली आदिक फर्क देखबैत एखनहि सँ संघ केँ तोड़बाक कुचक्र करैत सेहो देखा रहला अछि। लेकिन सदा-सनातन सँ जानकीतत्त्व सँ अभिप्रेरित मैथिल समाज जखन किछु करबाक लेल ठानि लैत अछि त ओकरा सभक लेल ई उपद्रवी रावणीतत्त्व सभक कोनो खास मतलब नहि रहि जाइत छैक, तेँ सकारात्मक ऊर्जाक प्रसार स्वाभाविक अछि।
नहि मात्र सामाजिक संजाल मे, बल्कि विराटनगर मे कार्यरत दर्जनों मैथिल समुदायक संघ-संस्था सब सेहो काफी प्रेरित आ प्रसन्न भेल अछि जे मैथिल संचारकर्मी लोकनिक एकजुट भेला सँ आब एकटा मजबूत समांग बढि गेल। संचारकर्म बिना संघीय लोकतांत्रिक गणतंत्ररूपी नेपाल केँ आगू बढब असम्भव छैक, ताहि मे एकल भाषाक अतिरिक्त नेपालक दोसर सब सँ बेसी बाजल जायवला मैथिली भाषा मे सेहो संचारकर्मक अवस्था आब बेहतरीक दिशा मे जायत – ई उम्मीद जन-जन मे नव आशाक सृजन कयलक अछि। सामाजिक संजाल मे बधाई आ शुभकामना सन्देशक बाढ़िक बाद आब विभिन्न संघ-संस्था सब द्वारा मैथिल संचारकर्मी संघक पदाधिकारी आ सदस्य लोकनि केँ सम्मानक सिलसिला शुरू भऽ गेल अछि। एहि क्रम मे काल्हि मैथिल ब्राह्मण महासभाक युवा कार्यसमिति मोरंग द्वारा विराटनगर केर पत्रकार महासंघक सभागार मे सम्मान कार्यक्रम आयोजित कयल गेल छल। एहि अवसर पर मैथिली सेवा समितिक महासचिव विपुलेन्द्र झाक प्रमुख आतिथ्य मे मैथिल संचारकर्मी संघक अध्यक्ष नवीन कर्ण सहित समस्त पदाधिकारी व सलाहकार लोकनि केँ गमछा-माला आ टीका लगाकय सम्मानित कयल गेल। शुभकामना मन्तव्य दैत प्रमुख अतिथि प्रसन्नता व्यक्त कयलनि, सब केँ बधाई देलनि आ मनोबल बढबैत पूर्वक उदासीन स्थिति सँ आजुक प्रगतिशील स्थितिक चर्चा करैत भविष्य आरो बेसी नीक होयबाक मन्तव्य रखलाह। तहिना समाजसेवी व राजनीतिक अभियन्ता तेजलाल कर्ण, पंकज वर्मा, अमलेश कर्ण, वरुण मिश्र, विपीन झा, प्रवीण नारायण चौधरी, अरविन्द मेहता, राधा मण्डल, वीरेन्द्र कुमार साह, जितेन्द्र कुमार ठाकुर, व अन्य वक्ता लोकनि सेहो संघक स्थापना मादे प्रसन्नता व्यक्त करबाक संग-संग भविष्यक दिशा प्रति सद्भावना, सहयोग आ सहकार्यक सम्बन्ध मे सुविचार सब रखलनि। सम्मान कार्यक्रमक अध्यक्षता मनोज मिश्र कयलनि, तहिना संचालन समितिक महासचिव संतोष झा द्वारा कयल गेल। नेपाल प्रेस युनियनक सचिव गोपाल पोखरेल द्वारा विविध भाषासंस्कृति आ संस्कार राष्ट्रक सम्पति होयबाक बात कहैत ओकर सभक संरक्षण जरूरी अछि कहलनि। मैथिल संचारकर्मी संघक अध्यक्ष नवीन कर्ण नवगठित संघ द्वारा संचारकर्मी सभक क्षमता अभिवृद्धि तथा वृत्ति विकासक निमित्त काज करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कयल गेल। तहिना आगामी दिन मे संघ द्वारा भाषा सम्बन्धित विभिन्न अभियान सब संचालन कयल जेबाक बात कहैत एहि मे सरोकारवाला सभक साथ-सहयोग आ समर्थन आवश्यक रहबाक बात ओ कहलनि। सम्मानित समस्त केँ बधाई तथा सम्मान करनिहार संस्था-समूह प्रति आभारक शब्द सब कियो रखलाह।