Search

प्रवीण नारायण चौधरी

दुर्गा पूजा विशेष ‘मोदीश ब्लू’ टीशर्ट – आर्डर आ डेलिवरी धमाधम शुरू

मिथिला अर्थ मोदीश ब्लू टीशर्ट द्वारा दुर्गा पूजा विशेष वेरायटीक लांचिंग लेल जाउ आब दुर्गा पूजा विशेष वेरायटी   “कि रौ बौआ, तोहर पापा दुर्गा पूजा लेल कपड़ा कीनकय आनि देलखून?”   “हँ, काका। ओ नवका प्रचार नहि आयल छलह फेसबुक पर…. ओ हौ… ‘आ फरिया ले…’ वला टीशर्ट कंपनी के… ओ अपने मिथिलाक गाड़ाटोल दुर्गा पूजा विशेष ‘मोदीश ब्लू’ टीशर्ट – आर्डर आ डेलिवरी धमाधम शुरू

विराटनगर मे सखी-बहिनपा मिलन समारोह नवसंकल्पक संग सम्पन्न

विराटनगर मे काल्हि भेल ‘सखी-बहिनपा’ मिलन-समारोह मैथिल महिला समाज केर अन्तर्शक्ति केँ जगेबाक क्रान्तिसूत्र थिक ‘सखी-बहिनपा’ द्वारा धरातलीय आयोजन   काल्हि ६ अक्टूबर २०१८ शनि दिन विराटनगर केर तीनटोलिया स्थित चित्रगुप्त भवन सभागार मे ऐतिहासिक नगरी विराटनगर केर मैथिली भाषी ‘सखी-बहिनपा समूह’ केर सखी-बहिन लोकनि एकटा मिलन समारोह केर आयोजन कयलनि। एहि समारोह मे कुल विराटनगर मे सखी-बहिनपा मिलन समारोह नवसंकल्पक संग सम्पन्न

गायक सुनील पाल आ स्मृति मिश्राक नवका गीत एल्बम ‘नै फँसबौ तोहर बतिया मे’ रिलीज भेल आइ

मैथिली गीत-संगीत एवं मनोरंजन समाचार जनकपुर सँ साभार सुनील पाल मिथिलाक एक प्रसिद्ध युवा गायक ‘सुनील पाल’ आ स्मृति मिश्रा द्वारा गायल नव गीत ‘नै फँसबौ तोहर बतिया मे’ आइ ७ अक्टूबर, २०१८ केँ आर जे म्यूजिक केर यूट्युब चैनल पर रिलीज कयल गेल अछि। ई गीत आम बाजार मे खूब पसीन कयल जायत से गायक सुनील पाल आ स्मृति मिश्राक नवका गीत एल्बम ‘नै फँसबौ तोहर बतिया मे’ रिलीज भेल आइ

मिथिलाक ओ जानकी जे मैत्रेयी-गार्गी-भारती-भामती केँ अपन शक्ति सँ परिचित करौलनि

‘सखी-बहिनपा’ केर संस्थापक दीदी ‘आरती झा’ केर जन्मदिन पर ‘प्रवीण शुभकामना” देखिते-देखिते क्रान्ति बनि गेल ‘सखी-बहिनपा’ – एक फेसबुक सँ आरम्भ समूह जाहि मे मैथिलानी (महिला) समाज केँ आगू बढेबाक मंत्र छुपल अछि!   सब सँ पहिने श्रीमती आरती झा केर परिचय   एक जागरुक आ अदम्य हिम्मत – साहस सँ भरल मिथिलाक बेटी, रेडियोलौजीस्ट मिथिलाक ओ जानकी जे मैत्रेयी-गार्गी-भारती-भामती केँ अपन शक्ति सँ परिचित करौलनि

लोकगायिका पद्मभूषण शारदा सिन्हा केर मैथिल समाज बनारस द्वारा सम्मान कार्यक्रम

मैथिल समाज बनारस द्वारा पद्मभूषण शारदा सिन्हा केर सम्मान   प्रख्यात लोकगायिका पद्मभूषण शारदा सिन्हा केँ मैथिल समाज बनारस द्वारा सम्मान कार्यक्रम कयल जेबाक समाचार अछि। वाराणसी मे मैथिली भाषा, मिथिला अस्मिता आ बौद्धिक सम्पदा आ समाज केर संरक्षण-संवर्धन-विकास मे सक्रिय मैथिल समाज बनारस ई सम्मान ५ अक्टूबर केँ सम्मानित गायिका शारदा सिन्दा केँ देलकनि। लोकगायिका पद्मभूषण शारदा सिन्हा केर मैथिल समाज बनारस द्वारा सम्मान कार्यक्रम

अपन मिथिलाक सच्चा विभूति ‘गोपाल जी गोपाल’ – विद्याधनं सर्वधनं प्रधानम् केर आदर्श पुरूष

विशिष्ट व्यक्तित्व ‘गोपाल जी गोपाल’ केर जन्मदिन पर प्रवीण शुभकामना   एक विशिष्ट आ शिक्षा-संस्कृतिक संग समस्त मानव समुदायक एक-एक व्यक्तिक व्यक्तित्व विकासक विभिन्न आयाम पर चिन्तन कयनिहार आ मैथिली-मिथिलाक संग मातृभूमि व राष्ट्र लेल समर्पित सज्जन श्री गोपाल जी गोपाल केर आइ जन्मदिन छन्हि।   बायोटेक्नोलौजी विषय केर प्राध्यापक – युसीए तर्सादिया विश्वविद्यालयक एसिस्टैन्ट अपन मिथिलाक सच्चा विभूति ‘गोपाल जी गोपाल’ – विद्याधनं सर्वधनं प्रधानम् केर आदर्श पुरूष

धरातलीय परिवर्तन लेल ईमानदार नेतृत्वक आवश्यकता – वसुन्धरा झा आ जीतिया समारोह

…. आर एकटा समारोह एना बनि गेल लोकोत्सव…. (एकटा सत्यकथा जे परिवर्तन लेल धरातलीय नेतृत्व केर विकास पर आधारित अछि)   आइ सँ ठीक एक सप्ताह पहिने, शनि दिन केँ यैह करीब ८-९ बजे भोरे सँ हजारों महिला गाम-गाम सँ विराटनगर केर महेन्द्र मोरंग कैम्पस जेबाक तैयारी मे लागि गेल छल। कलश सजाकय, सीटी रिक्शा धरातलीय परिवर्तन लेल ईमानदार नेतृत्वक आवश्यकता – वसुन्धरा झा आ जीतिया समारोह

मिथिलाक दाय-माय आ जीतिया पाबनिक महोत्सव मे परिणति गाथा

जीतिया पाबनि पर मनाओल जा रहल उत्सव सँ जागरुकता पसैर रहल अछि मिथिलानी महिला समाज मे   अत्यन्त शुभ आ सुखद समाचार ई अछि जे पर्दा आ घोघ मे नुकायल मिथिलानी लोकनि आब हरेक क्षेत्र मे अपन सबल सहभागिता नेपालक मिथिलाक्षेत्र मे देखायब शुरू कय देने छथि। भारतीय मिथिला मे एखनहुँ धरि पोंगापंथी आ पिंगलपंथी मिथिलाक दाय-माय आ जीतिया पाबनिक महोत्सव मे परिणति गाथा

मैथिली जनसांस्कृतिक मंच विराटनगर द्वारा जीतिया समारोह

विराटनगर, १ अक्टुबर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! विराटनगर केर पंचमुखी हनुमान मन्दिर दक्षिण नगरपालिकाक बी-प्लौट मे मैथिली जनसांस्कृतिक मंच द्वारा भव्य जीतिया समारोह केर आयोजन पैछला शुक्र दिन २८ सितम्बर केँ कयल गेल छल जाहि मे रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रमक संग-संग समाजक विभिन्न क्षेत्र मे उत्कृष्ट योगदान कयनिहार व्यक्तित्व सभ केँ सम्मानपत्र हस्तान्तरण करैत सम्मानित सेहो कयल मैथिली जनसांस्कृतिक मंच विराटनगर द्वारा जीतिया समारोह

देव महिला समाज केर अगुवाई मे भव्यतम् जीतिया समारोह संपन्न

विराटनगर, १ अक्टुबर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! देव महिला समाज केर अगुवाई मे विराटनगर मे जीतिया समारोह परसू शनि दिन २९ सितम्बर २०१८ विराटनगर स्थित होलीलैन्ड स्कूल केर प्रांगण मे देव महिला समाज केर अगुवाई मे भव्य सँ भव्यतम् जीतिया समारोह केर आयोजन कयल गेल अछि। एहि आयोजनक उद्घाटन प्रदेश नंबर २ केर उपसभामुख श्रीमती उपमा देव महिला समाज केर अगुवाई मे भव्यतम् जीतिया समारोह संपन्न