गायक सुनील पाल आ स्मृति मिश्राक नवका गीत एल्बम ‘नै फँसबौ तोहर बतिया मे’ रिलीज भेल आइ

मैथिली गीत-संगीत एवं मनोरंजन समाचार

जनकपुर सँ साभार सुनील पाल

मिथिलाक एक प्रसिद्ध युवा गायक ‘सुनील पाल’ आ स्मृति मिश्रा द्वारा गायल नव गीत ‘नै फँसबौ तोहर बतिया मे’ आइ ७ अक्टूबर, २०१८ केँ आर जे म्यूजिक केर यूट्युब चैनल पर रिलीज कयल गेल अछि। ई गीत आम बाजार मे खूब पसीन कयल जायत से आशा प्रकट करैत गायक सुनील पाल मैथिली गीत-संगीत क्षेत्रक श्रोता सभ केँ आरो नव-नव गीतक उपहार एहि दुर्गा पूजाक अवसर पर देबाक बात कहलनि।

आर जे म्युजिक केर यूट्युब चैनल पर ई गीत एकदम टटका-टटकी आइये रिलीज भेल हँ। एलबम ‘नै फँसबौ तोहर बतिया मे’ अरबिन्द झा केर लिखल रचना केँ संगीत देलनि अछि रोशन कुमार आ ‘डीजे रिमिक्स’ ‘डीजे कृष्णा’ केर अछि। बहुत खुशीक बात ई छैक जे आइ हजारों केर संख्या मे मैथिली गीत-संगीत-म्यूजिक लेल एहेन युवा प्रयास सब निरन्तर कोनो न कोनो काज कय रहल अछि आर सेहो फुइस-फटक आ पोंगापन्थ सँ दूर बस अपन जेबीक खर्च कय निरन्तर काज करैत मैथिली भाषाक लोकप्रियता अपना तरीका सँ जन-जन धरि पहुँचा रहल अछि। शुभ समाचार ईहो अछि जे एहि तरहक सकारात्मक कार्य मे नेपाली भागक मिथिला मे बहुत बेसी ऊर्जावान युवा सब सक्रिय छथि। ई बात मैथिली जिन्दाबाद केर सम्पादक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा एहि गायक एवं म्यूजिक निर्माता लोकनि प्रति फेसबुक स्टेटस मार्फत कहल गेल य।

स्रोत सँ भेटल जानकारी मे जल्दिये मैथिली म्यूजिक अवार्ड केर आयोजन एहि विक्रम संवत साल २०७५ मे होयत जाहि मे विभिन्न विधा लेल उत्कृष्ट काजक समीक्षा करैत सम्मान कार्यक्रम कयल जायत, एहि दिशा मे जनकपुर, विराटनगर, लहान, राजविराज, काठमांडू आ बीरगंज केर युवा सब सँ सम्पर्क आरम्भ कय देल गेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ एहि समस्त युवा आ उद्यमी सब लेल हार्दिक बधाई!