Search

मैथिली जनसांस्कृतिक मंच विराटनगर द्वारा जीतिया समारोह

विराटनगर, १ अक्टुबर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

विराटनगर केर पंचमुखी हनुमान मन्दिर दक्षिण नगरपालिकाक बी-प्लौट मे मैथिली जनसांस्कृतिक मंच द्वारा भव्य जीतिया समारोह केर आयोजन पैछला शुक्र दिन २८ सितम्बर केँ कयल गेल छल जाहि मे रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रमक संग-संग समाजक विभिन्न क्षेत्र मे उत्कृष्ट योगदान कयनिहार व्यक्तित्व सभ केँ सम्मानपत्र हस्तान्तरण करैत सम्मानित सेहो कयल गेल।

एहि कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि प्रदेश १ केर उप-सभामुख सरस्वती पोखरेल छलीह, तहिना विराटनगर महानगरपालिकाक उप-मेयर इन्दिरा कार्कीक विशिष्ट उपस्थिति, बी-एफएम केर कार्यकारी निर्देशक डा. सन्देश दास श्रेष्ठ सहित मैथिली-मिथिलाक अनेकों चिर-परिचित नाम यथा आभा अनुपमा, प्रीति झा, वन्दना चौधरी, मंजू मंडल, कौशल्या कामत, आदि महिलाक उपस्थिति महत्वपूर्ण छल। विभिन्न सामाजिक एवं राजनीतिक क्षेत्रक परिचित चेहरा मे विश्वनाथ मंडल, सूर्यनाथ सिंह, मो. नसरुल, राकेश रौशन यादव आदि केर उपस्थिति सेहो रहल छल।

मैथिली जनसांस्कृतिक मंच विराटनगर केर अध्यक्ष एवं कार्यक्रम संयोजिका राधा मंडल द्वारा स्वयं संचालित एहि समारोह केर उद्घाटन सत्र मे प्रमुख अतिथि द्वारा दीप प्रज्वलित कय कार्यक्रमक उद्घाटन भेल छल। तदोपरान्त मैथिलीक चिर-परिचित गायक डा. आभास लाभ द्वारा मैथिली भाषाक विभिन्न स्वादक सुन्दर-सुन्दर गीत सभ दर्शक दीर्घा माझ परसल गेल। तहिना अन्य विशिष्ट गायक मे भागवत मंडल सेहो अपन विभिन्न लोकप्रिय गीत जाहि मे दिल मे बसलौं अहाँ धड़कन मे बसा लियऽ सहित नवका-नवका एलबम केर अनेकों गीत गाबिकय दर्शक लोकनिक भरपूर मनोरंजन कयलनि। अन्य विशिष्ट गायक मे वीरेन्द्र झा, प्रबलदीप विश्वास द्वारा सेहो मैथिली गीत प्रस्तुत कयल गेल छल। एहि अवसर पर शिक्षा सदन माध्यमिक विद्यालयक छात्र-छात्रा लोकनि विभिन्न नृत्य सेहो प्रस्तुत कयलनि।

उपरोक्त समारोह द्वारा समाजक विभिन्न क्षेत्र मे उत्कृष्ट योगदान कयनिहार व्यक्तित्व लोकनि केँ सम्मानपत्र सँ सम्मानित कयल गेल छल। सम्मानित स्रष्टा मे सन्देश दास श्रेष्ठ केँ संचारक्षेत्र मे मैथिली भाषा प्रति समर्थन लेल, डा. आभास लाभ केँ आजीवन मैथिली भाषाक गीतादिक संरक्षण-संवर्धन-प्रवर्धन लेल, जितेन्द्र ठाकुर केर संचारकर्म मे मैथिली-मिथिला प्रति निरंतर कलम चलेबाक लेल, संजय यादव द्वारा शिक्षा क्षेत्र मे मैथिली लोकसंस्कृति आदिक संरक्षण-संवर्धन लेल, कौशल्या कामत केँ अपन रंगकर्म द्वारा मातृभाषा मैथिलीक दशा-दिशा प्रति समर्थन आ सक्रियता लेल, पिंकी मेहता, पूनम कर्ण, बैद्यनाथ ठाकुर केँ कला-रंगकर्म लेल, पूजा गुप्ता केँ कविता-साहित्य लेल, डा. ममता वर्मा केँ स्वास्थ्यक्षेत्र मे उल्लेखनीय सेवा लेल, अधिवक्ता रेखा थापा द्वारा कानूनी सेवा सँ महिला प्रति अहर्निश सहयोगपूर्ण सेवा लेल, डा. अमित देव द्वारा स्वास्थ्यक्षेत्र मे उल्लेखनीय कार्य लेल – हिनका लोकनि केँ सम्मान पत्रक संग सम्मानित कयल गेल छलन्हि।

एहि अवसर पर अतिथि लोकनि द्वारा मंतव्य दैत जीतियाक सामूहिकता आ महिला सशक्तीकरण मे भेटि रहल सहयोगक रूप मे मानल गेल छल। उपमेयर इन्दिरा कार्की उत्साहित होइत स्वयं केँ मधेशक बेटी मानि एतुका भाषा मैथिली मे बजबाक प्रयत्न करैत काफी ओजस्विता प्रदर्शन कयलीह। पूनम कर्ण ओ बैद्यनाथ ठाकुर केर प्रहसन मे दु टा ब्याहक कि दुष्परिणाम होइत छैक तेकर जीवन्त प्रस्तुति देखायल गेल छल। तहिना पिंकी मेहताक चौकी तोड़ नृत्य केर आनन्द सेहो दर्शक सब पिहकारी मारि-मारिकय उठौने छलाह।

एहि आयोजन मे जतय स्वागत मन्तव्य रंजू पोद्दार देलीह ओत्तहि धन्यवाद ज्ञापन स्वयं अध्यक्षा राधा मंडल द्वारा कयल गेल छल। सब सहयोगी एवं कार्यकर्ता केँ टोकन अफ लव देल गेल छल। राधा मंडल द्वारा सहयोगीक रूप मे मंजू मंडल प्रति विशेष आभार प्रकट कयल गेल छल। ऐगला साल आरो सशक्त भऽ पैघ सहभागिताक संग आयोजन लेल संकल्प लेल गेल।

Related Articles