मिथिला अर्थ
मोदीश ब्लू टीशर्ट द्वारा दुर्गा पूजा विशेष वेरायटीक लांचिंग
लेल जाउ आब दुर्गा पूजा विशेष वेरायटी

“हँ, काका। ओ नवका प्रचार नहि आयल छलह फेसबुक पर…. ओ हौ… ‘आ फरिया ले…’ वला टीशर्ट कंपनी के… ओ अपने मिथिलाक गाड़ाटोल (मधुबनी) वला चचा प्रबोध झा गुड्डूजी वला कंपनी मोदीश ब्लू कंपनी…. मोन पड़लह? देखेने रहिहऽ न हौ…. फेसबुक आ मैथिली जिन्दाबाद पर… एहि बेर पूरा रेन्ज ओही कंपनी सँ पापा ओहि दिन कीनिकय आनि देलनि।”

“ईह! सबटा हमरे पापा कय देथुन? से मोबाईल सऽ आर्डर दहक, पेटीएम सऽ पैसा दहक, सस्ते-सस्ते छैक। नहि तऽ व्हाट्सअप नंबर पर प्रबोध चाचा केँ सीधा मैसेज दहुन… कोनो बाहर के छथिन हौ? अपने मिथिलाक लोक छथिन। हँ, तखन दिल्ली वला तेरे-कु-मेरे-कु हिन्दी टा नहि बजिहक। ओ या तऽ मैथिली बजैत छथिन या फेर एक्के बेर अंग्रेजिये।

“ई सब टी-शर्ट तोरा E-Commerce Website https://www.lavishgear.com/mithila-t-shirts पर online डिमांड कय केँ मंगायल जा सकैत अछि। +918929695033 पर व्हाट्सअप सेहो कय केँ मंगबा सकैत छह।”
“अच्छा…. तोरा कतय भेटलौक ई जानकारी सब?”
“से बुझल नै छह जे अपन मिथिलाक लोक केँ प्रचार-प्रसार लेल मैथिली जिन्दाबाद नामक वेबसाइट छैक। समाचार-विचार सेहो आ अपन मैथिल लोक सब सँ परिचय सेहो…।”

“हौ चचा! चाची जखन घर मे मैथिली बजथिन भाइ-बौआ सब सँ तखन न… स्कूल मे तऽ पढाई नहि होइत छैक। अपन भाषा त हम सब माइये-बाबू सँ न सीखैत छी? चाची से पुछहक से बात।”
“रुक, आइ तोहर चाची केँ बुझबैत छी सब बात। जखन अपन मिथिला मे सबटा भेटत तखन दोसर केँ पाइ कियैक देब?”
अहाँ सब सेहो जँ कोनो तरहक खरीदारी करय चाहैत होइ तँ उपरोक्त लिंक पर अवस्स सम्पर्क करू।
हरिः हरः!!