लोकगायिका पद्मभूषण शारदा सिन्हा केर मैथिल समाज बनारस द्वारा सम्मान कार्यक्रम

मैथिल समाज बनारस द्वारा पद्मभूषण शारदा सिन्हा केर सम्मान
 
प्रख्यात लोकगायिका पद्मभूषण शारदा सिन्हा केँ मैथिल समाज बनारस द्वारा सम्मान कार्यक्रम कयल जेबाक समाचार अछि। वाराणसी मे मैथिली भाषा, मिथिला अस्मिता आ बौद्धिक सम्पदा आ समाज केर संरक्षण-संवर्धन-विकास मे सक्रिय मैथिल समाज बनारस ई सम्मान ५ अक्टूबर केँ सम्मानित गायिका शारदा सिन्दा केँ देलकनि। सम्मानक संग संस्था द्वारा मिथिला मोद ऐतिहासिक मैथिली पत्रिकाक पुनर्प्रकाशित नवांकक प्रति संग महाकवि विद्यापतिक तस्वीर सेहो हस्तान्तरित कयलकनि।
 
डा. शारदा सिन्हा सम्मान प्रति आभार प्रकट करैत मैथिली-मिथिला लेल सदिखन समर्पित सेवा करयवला संस्था मैथिल समाज बनारस केर प्रयास आ काजक सराहना आ प्रशंसा कयलीह। एहि सम्मान समारोह मे पार्श्वगायक विजय कपूर सहित संस्थाक प्रमुख व्यक्तित्व लोकनि एडवोकेट निरसन झा, भोगेन्द्र झा, सुधीर चौधरी, नटवर झा, अनीशा साही, प्रज्ञा पाण्डेय, गौतम झा, सुष्मिता झा, विजय कुमार, एस. के. संग्रामी आदि उपस्थित छलाह।