मार्च १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
एक दिशि उत्तरप्रदेश सहित भारतक आन ५ राज्य मे चुनावी दंगल त दोसर दिशि कलर्स टेलिविजन पर चलि रहल नया टैलेन्ट शो ‘द राइजिंग स्टार’ मे ‘लाइव पर्फोर्मेन्स आ लाइव वोटिंग’ सँ चयन कएल जा रहल विजेता, हुनका लोकनिक प्रतिभा जे समूचा संसार केँ मंत्रमुग्ध कय रहल अछि – एहि दुइ बातक जोर सोशल मीडिया सँ लैत आम धरातलपर काल्हि ११ मार्च – होलीक पूर्व संध्यापर होड़ देखल गेल।
‘केसरिया बालमा’ केर सुमधुर गान करैत मैथिली ठाकुर काल्हि शास्त्रीय गायनक राउन्ड मे अपना सँ बहुत बेसी परिपक्व प्रतिस्पर्धी शयानी पलित केर सोझाँ बड पैघ चुनौती नहि दय पेने छलीह, लेकिन ईश्वर केर बड पैघ चमत्कार जे शयानी पलितक प्रस्तुति हुनका आगू अत्यन्त निष्प्रभावी रहल। वोट करबाक समय बहुत रास फैक्टर्स एक्के संगे काज करब, जेना प्रस्तोताक जीवन आ परिवार सँ जुड़ल तेहने भावुक विन्दु आदि सेहो वोटर्स केँ प्रभावित करितो मुख्य बात प्रस्तुति आ बोल्ड बडी लैंग्वेज रहबाक बात हिनका लोकनिक प्रस्तुति मे स्पष्ट देखायल राति मे, एतेक तक कि निर्णायक सब सेहो यैह बजैत देखेलाह जे नियम निकालबाक नहि रहैत त मैथिली आ शयानी दुनू केँ आगू लेल चयन करबाक इच्छा छल। परञ्च नियमानुरूप मैथिली ठाकुर बेसी वोट पाबि ऐगला राउन्ड लेल चयन कएल गेलीह।
मिथिलाक लोकमानस सब त मानू टेलिविजनक आगाँ अगरबत्ती जराकय कुलदेवी सँ प्रार्थना करैत ‘मैथिली ठाकुर’ केर विजय लेल अड़ल देखेलाह। वोट करबाक प्रक्रिया सामान्य जनमानस सँ कनेक दूर रहितो सब कियो पहिने सँ तैयार आ मैथिलीक प्रस्तुति देखि गद्गद् मोन सँ हुनक विजयी होयबाक लेल कल जोड़ि आँखि मुनि बस विनती करबाक रूप मे डूबल देखेलाह। आर, सचमुच मैथिली केर जीत भेल। यथार्थतः हुनकर प्रस्तुति सेहो ओतबे उत्कृष्ट छल, संतुलित आ सब सँ पैघ बात जे हुनकर आत्मविश्वास आ प्रतिस्पर्धियोक हृदय जीत लेबाक सहज अदा – यैह सब त छल जे शयानी अपनो बजली जे मैथिली बहुत नीक रहल अछि आर ओकरा सँ भविष्य केँ बहुत किछु भेटतैक। मैथिलीक जीत मे शयानीक आशीर्वाद सेहो बहुत काज केलक। आर तहिना शयानी केँ विदाह करैत निर्णायक, प्रस्तोता व दर्शक सभक आँखि जरुर नोरायल। विजेता लेल हर्षक अनुभूति त सहज होएते छैक, मैथिली ठाकुर मिथिला सहित समस्त भारत केर नाम उच्च केलीह। ई बहुत दूर तक जेती एहि मे कतहु दुइ मत नहि अछि।
आइ सोशल मीडियाक मार्फत हिनक पिता रमेश ठाकुर समस्त मिथिलावासी केँ विशेष धन्यवाद देलनि अछि। मैथिली सेहो अपन फेसबुक स्टेटस सँ विजेताक मुस्कान सहित अपन खास मुस्कुराहट संग सब वोट केनिहार प्रति आभार प्रकट कएलनि अछि। मैथिली जिन्दाबाद सेहो अपन पाठक आ फेसबुक सहित अन्यान्य फोरम सँ अपील कएने छल, सभक आभार जे अपन मिथिलाक सुपुत्री – कोकिलकंठा मैथिली केँ निरंतर विजेता बनबैत आगू बढा रहलहुँ अछि। ई अभियान रुकय नहि, जा धरि मैथिली अन्तिम विजेता नहि घोषिक कएल जाएत छथि। शुभकामना आ होलीक उपहार ‘मैथिलीक अन्तिम १५ मे’ पहुँचब बुझि सब कियो विकृतिहीन होली खेलायब से अपील अछि।
हरिः हरः!!