Search

विकलांग बच्चासब केँ प्रोत्साहनः मिथिला सां.प. विशाखापटनम केर कार्यक्रम

144 भ्यूज

काली कान्त झा, विशाखापतनम। सितम्बर १३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mss-vishakhapatanam११ सितम्बर रविदिन  मिथिला साँस्कृतिक परिषद् विशाखापत्तनम् केर तत्वावधान मे स्थानीय  BHPV (BHEL) केर परिसर मे स्थित मनोविकास स्कूल केर मानसिक रुप सं बिकलाँग बच्चा सबकेँ प्रोत्साहित करबाक लेल सब वर्ष जकाँ अहुबेर वार्षिक कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल ।

अहि अबसर पर  नगर केर विभिन्न भाग सं तकरीबन 700 मैथिल एवं गैर मैथिल भाग लेलनि । मुख्य अतिथिक रुप मे श्री जे. गोबिन्दस्वामी, जेनरल मैनेजर केर अलावा BHEL केर वरिष्ठ पदाधिकारीगण सेहो उपस्थित भेलाह । कार्यक्रम केर शुरुआत परिषदक महासचिव कालीकान्त झा केर स्वागत भाषन सं भेल, अपन भाषण मे ओ मैथिली, मिथिला एवं मिथिला साँस्कृतिक परिषदक विषय मे उपस्थित समुदाय केँ जानकारी देलखिन्ह ।

मुख्य अतिथि श्री जे. गोबिन्दस्वामी, जेनरल मैनेजर, परिषद् द्वारा कएल गेल एहि आयोजन केँ बहुत सराहना केलनि एवं मानसिक रुप सं बिकलाँग बच्चा सबकेँ संग विभिन्न कार्यक्रम मे भाग लेलनि एवं मनोविकास स्कूलक लेल BHEL संस्था केर तरफ सं यथासंभव  सहायता दियेबाक सेहो आश्वासन देलनि।

अध्यक्ष बैकुन्ठ झा परिषदक उद्देश्य एवं परिषद् द्वारा आयोजित विभिन्न तरहक सामाजिक एवं साँस्कृतिक कार्यक्रमक जानकारी देलनि। बैकुन्ठ झा मुख्य अतिथि द्वारा मनोविकास स्कूल केँ विशेष सहायता दियेबाक लेल आश्वासन सं बहुत प्रसन्नता व्यक्त केलनि एवं हुनका प्रति आभार व्यक्त केला ।

ज्ञात हो कि पुरा साल एहि मानसिक विकास स्कूलक देखभाल एवं भोजन केर व्यवस्था परिषद् द्वारा कएल जाएत अछि एवं साल मे एकबेर एहि बच्चा सबहक संग वार्षिक कार्यक्रम कएल जाएत अछि जाहि मे सब बच्चा केँ उपहार स्वरुप वस्त्र एवं अन्य उपयोगी वस्तु देल जाएत अछि । ओकर मनोबल बढेबाक लेल सामूहिक भोजनक व्यवस्था सेहो परिषद् द्वारा कएल जाएत अछि ।

कार्यक्रम सबेरे १० बजे प्रारम्भ भेल एवं मध्यॉन्ह भोजनोपरांत समाप्त भेल ।
अध्यक्ष बैकुन्ठ झा कार्यक्रमक सफलता पर संतोष जाहिर केलनि आ सबहक प्रति आभार प्रकट केलनि ।

Related Articles