विराटनगर, जुलाई २४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!


बी एफएम ९१.२ मेगाहर्ज अपन स्थापनाकाल सँ मैथिली भाषा प्रति उदारताक संग विभिन्न कार्यक्रमक प्रसारण करैत आबि रहल अछि आर एहि लेल राधा मंडल समान विदुषी तथा अत्यन्त सजग-सक्रिय महिला धन्यवादक पात्र छथि – ई बात मुख्य अतिथि संदेश दास श्रेष्ठ अपन संबोधन मे कहलैन। रेडियो द्वारा प्रसारित कार्यक्रम पर समीक्षात्मक गोष्ठी मे सामाजिक सरोकार आ जनमानसक रुचि आजुक आयोजन सँ परिलक्षित होयबाक भावना रखैत मुख्य अतिथि श्रेष्ठ आयोजक संस्था दहेज मुक्त मिथिला व प्रस्तोता मैथिली जिन्दाबाद केर भरपूर प्रशंसा केलनि, संगहि बी एफएम द्वारा आगामी एक वर्ष धरि एहि अभियान लेल प्रचार-प्रसार केर उत्पादन सँ लैत प्रसारण हेतु प्रतिबद्धता प्रकट केलनि। संगहि विशिष्ट अतिथिक तौर पर सहभागी बी एफएम कार्यक्रम संयोजिका सुश्री निशा खुशी केँ एहि लेल कार्यभार सेहो सौंपलनि। समाज मे विद्यमान कूरीति व आडंबरी व्यवहार प्रति लोकमानस मे जागृतिक प्रसार आ साहित्यिक संस्कारक विकास लेल श्रेष्ठ मैथिली कार्यक्रम अपन मिथिला अपन मैथिली आ एकर प्रस्तोता राधा मंडल केर सेहो भरपूर प्रशंसा करैत आगामी दिन मे आरो एहि तरहक कार्यक्रम पर ध्यानकेन्द्रित करबाक लेल स्वयं प्रतिबद्ध रहब, से गछलैन।



परिचर्चा गोष्ठी मे सहभागी अपन मिथिला अपन मैथिली कार्यक्रमक नियमित श्रोता लोकनि सेहो अपन विचार रखलैन। श्रीमती वंदना चौधरी राधा जी मे निहित अपार ज्ञान केर दर्शन कराबयवला आ महिला समुदाय मे नव जोश आ उत्साह भरयवला रेडियो कार्यक्रम होयबाक बात कहलैन। महिला अधिकारकर्मी श्रीमती आशा झा महिला समुदायक वर्तमान कतेक निरीह अछि ताहि पर प्रकाश दैत राधा मंडल जी केर ई रेडियो कार्यक्रम सब केँ एकटा विकल्प देखेबाक बात कहलैन। मैथिली-मिथिला लेल आयोजित कार्यक्रम मे महिला पर केन्द्रित एतेक महत्वपूर्ण कार्यक्रम सँ स्वयं काफी लाभान्वित होयबाक भावना सेहो श्रीमती झा अभिव्यक्त केलनि आर भविष्य मे आरो एहेन संवाद संचरण केर कार्यक्रम सब आयोजन करैत रहला सँ दहेज व अन्य कूरीति सँ समाज केँ मुक्ति भेटब निश्चित अछि, ओ कहलैन। प्रीति झा – महिला प्रति लक्षित एहि आयोजन प्रति काफी प्रसन्नता व्यक्त केलैन आ राधा मंडल जी केर आवाज केँ कोयली सँ तूलना करैत आइ महिला समाज अत्यन्त गर्वान्वित होयबाक अभिनेत्री केर कार्य केलनि सेहो बजली। श्रीमती रंजू व विमला पोद्दार आयोजन प्रति आभार प्रकट केलनि।
पत्रकार एवं अभियानी नविन कर्ण तथा नविन झा सेहो राधा मंडल केर कार्यक्रम सराहना करैत आगामी दिन मे आरो-आरो प्रस्तोता लोकनिक सम्मान केँ निरंतरता मे रखबाक मांग रखलैन। आजुक कार्यक्रम स्काई एफएम पर लाइव प्रसारण लगातार अढाई घंटा धरि कैल गेल छल। एकर संयोजन सेहो नविन झा कएने छलाह, तथा एकर प्रायोजन रमपम चाउचाउ (नुडल्स) द्वारा कैल गेल छल।
कार्यक्रमक दोसर सत्र मे मैथिली कवि कर्ण संजय केर एकल कविता वाचन प्रस्तुत भेल छल। करीब एक दर्जन रचनाक प्रस्तुति कवि कर्ण लयबद्ध गायन मे वाचन केलनि। लोकक रंग बदलल – लोकक ढंग बदलल – कियो आगाँ बढय – कियो पाछाँ हँटय – नवघर उठय – पुरान घर खसय – हिनक ई अमर रचनाक गायनकाल श्रोता लोकनि सेहो झूमि-झूमि संगे गाबय लगलाह। अपन किछु रास प्रयोगात्मक रचना रखैत दार्शनिक शैली मे दिवाली मनेबाक भावना सँ भरल कविता सेहो अत्यन्त आकर्षण उत्पन्न केलक। मैथिलीभाषी-मिथिलावासी समाज मे विद्यमान बेरोजगारी आ ताहि कारण अपन परिवार छोड़ि विदेश धरि रोजी कमाय लेल जेबाक पीड़ा सब केँ कवि अपन कविता मार्फत जनमानस केँ सोचबाक लेल बाध्य कय देलनि।
कविता वाचन कार्यक्रम मे युवा कवि विद्यानन्द बेदर्दी व नारायण मधुशालाक संग कवियित्री वसुन्धरा झा आ पिंकी मेहता सेहो अपन-अपन रचना प्रस्तुत केलनि। विद्यानन्द बेदर्दी द्वारा राधा मंडल अभिनीत रेडियो कार्यक्रम पर सेहो विचार राखल गेल। हिनकर कविता केकरो दाबन-चापन मे आब नहि रहबय, मिथिला राज्य लैये क रहबय। नारायण मधुशाला केर गजल आ वसुन्धरा झा द्वारा महादेवी गीत केर प्रस्तुति भेल। तहिना पिंकी मेहता जे हास्य व्यंग्य केर प्रस्तुति लेल ख्याति प्राप्त आ फिल्म अभिनेत्री सेहो छथि ओहो एकटा सुन्दर रचना हास्य शैली मे लोक सब केँ सुनबैत गुदगुदी लगेबा मे सफल भेलीह।
मैथिली फिल्म निर्देशक दीपेन्द्र देव सेहो एहि परिचर्चा गोष्ठी मे भाग लेलनि तथा आगामी भादव २५ गते बाबा सिनेमाघर मे प्रदर्शित होमयवला अपन नव मैथिली फिल्म ‘राधाक मोहन’ पर प्रकाश देलनि। संगहि आगामी समय मे हुनका द्वारा अन्य फिल्म निर्माण केर कार्य जाहि तरह सँ कैल जा रहल अछि ताहि पर अपन विचार रखलैन। ओ सब दर्शक-श्रोता सँ अपील केलनि जे मैथिली फिल्म लगला पर सेहो जरुर देखय जाउ आ अपन भाषा-संस्कार केँ संवर्धन-प्रवर्धन मे आगू रहय जाउ। अपन घरक बरक्कैत अपने चीज केँ पोषण देला सँ भेटैत छैक।
मैथिली सेवा समिति केर वरिष्ठ उपाध्यक्ष ई. फूल कुमार देव अपन विचार रखैत मैथिली जिन्दाबाद व दहेज मुक्त मिथिला प्रति आभार प्रकट केलनि। परिकल्पनाकार प्रवीण नारायण चौधरी केर समर्पण व अनवरत मैथिली सेवा केर महत्व केँ अपन अमेरिका प्रवास पर लोकचर्चाक दृष्टान्त दैत ओ सभा मे रखलैन। संगहि मैथिली सेवा समिति द्वारा आयोजित ऐगला शनि यानि १५ गते विराटनगर केर बनस्खण्डी महादेव मंदिर मे आयोजित विशाल यज्ञ जाहि मे सवा लाख पार्थिव शिवलिंङ्ग पूजाक संग ९ आवृत्त चण्डीपाठ, रुद्राभिषेक, भजन-कीर्तन आदि मे सब केँ सहभागी बनबाक अनुरोध केलनि। तहिना सभा मे मैथिली सेवा समितिक वरिष्ठ कार्यकारिणी सदस्य प्रकाश नारायण झा, विपुलेन्द्र झा, अरुण ठाकुर सेहो उपस्थित छलाह। सामाजिक एवम् राजनीतिक कार्यकर्ता भास्कर चौधरी, जय राम यादव ‘यदुवंशी’, पत्रकार एवं अभियानी नवीन कर्ण, पत्रकार व स्काई एफएम केर बाजार व्यवस्थापक तथा मैथिली कार्यक्रम प्रस्तोता नवीन झा, संजय राय सहित विभिन्न अन्य गणमान्य व्यक्तित्व लोकनि सहभागी भेलाह।
कार्यक्रमक अन्त मे प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा साओन मास विशेष गौरी केर फूल लोर्हबाक आ महादेव केँ प्रसन्न करबाक लेल सुविख्यात महादेवी गीत “फूल सन सुन्दरि गौरी, पान सन पातरि गौरी – हो आहो रामा! लिहुरि लिहुरि फूलबा लोढय छै राम!” केर गायन सँ समापन कैल गेल छल।
हरिः हरः!!