कृष्ण मोहन चौधरी। सुखिपुर, आसिन १७ गते। मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलाञ्चलक महिला सभक महान पावैन सिरहा लगायत नेपाल भारतक मिथिलानी महिला सभ धुमधामके साथ मनउलक अछि। ई ४ अक्टुबर के ‘नहाय खाय’ सं शुरू भेल ५ अक्टुबर केँ पूरा निराहार आओर निर्जला केर संग उपवास आओर मंगल भोरे-भोर पारण मिथिला मे एहि पावनि के सभ संभारी पावनि कहल जाएत अछि।
एकटा कहावत सेहो अछि जितिया पावनि बड़ भारी…धिआ पुता के ठोकि सुतएलौं अपने खएलौं भरि थारी। एहि पावनि के पुत्र केर कामना आ पुत्र केर दीर्घायु होबय केर लेल कएल जाएत अछि। एक तरहे कहि सकय छि जे एहि पावनि के मां अपन बेटा केर लेल करय छथिन्ह. उपवास कs कष्ट झेलय छथिन्ह से कहल जाएत अछि। जे एहि अनुष्टान सँ व्रती केँ शारीरिक सुख के अलावा कइटा रोग सं मुक्ति मिलैत छनि।
व्रत के प्रभाव सं पुत्र-पौत्र सदा आरोग्य रहय छथिन्ह। उपवास केर बाद जीमोहन धारण कएलासं वंशक वृद्धि आओर समृद्धि होएत अछि। उपवास केर बाद राजा जीमूतवाहन केर कथा सेहो सुनल जाएत अछि। उपवास केर बाद पारण केर समय कई तरहक पकवान… खनाय-पिनाय होएत अछि भोरे- भोर सुतले मे सं नेना-धिया-पुता के उठा कs नीक नीक चीज खायलेल मिलैत अछि आ मिठाई सभ सेहो मिलैत अछि।
तहिना सिरहा जिल्लाक सुखिपुरमे सेहो प्रत्येक बर्ष जिमूतवाहन भगवान् केर प्रतिमा बना विविध कार्यक्रमक संग मनाउल जा रहल जितिया
महान मेला समिति जनउलक अछि। प्रतिमा केँ ब्रतालु महिला सब साझेसs दर्शन अा पुजा करवाक भिड लागल अछि। तहिना जनकपुर, लहान, राजबिराज लगायत स्थान सभमे सेहो मेला लागल बताउल गेल अछि।