मैथिली सिनेमा केर नायकत्व सँ हिन्दी परदा धरि : राहुल सिन्हा

 

किसलय कृष्ण, सहरसा। अगस्त ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

rahul sinhaमधेपुरा जिलाक मुलवासी आ सहरसा जिला मुख्यालयक न्यू कालोनी मे पलल बढ़ल राहुल सिन्हाक पहिचान मैथिली फिल्म सजना के अंगना मे सोलह सिंगारक नायक रुपमे मैथिल मनमे रचल बसल अछि । सहरसामे स्कूली शिक्षा केर क्रममे हिनक जुड़ाव स्थानीय रंगमंच सँ भेल आ अनेको नाटकमे ई यादगार अभिनय केलनि । रंगमंच प्रति राहुलक ई दिवानगी हुनका हिमाचल प्रदेश ल गेलनि।

आ ओतय मंडी विश्वविद्यालय सँ ई नाट्यशाश्त्रमे स्नातक केलनि आ पहुंचि गेलाह मुम्बई मायानगरी । ओतय क्राइम पेट्रोल, सीआईडी आदि धारावाहिक मे हिनक प्रवेश अभिनेताक रुपमे भेलनि आ ई अपन कला-कौशल सँ सभकेँ प्रभावित केलनि, फलस्वरूप हुनका पैघ ब्रेक भेटलनि प्रसिद्ध निर्देशक प्रकाश झा केर बाहुबली धारावाहिक मे ।

एहि चर्चित धारावाहिक मे श्री सिन्हा लल्लन सिंहक भूमिकाकेँ जीवन्त कय देलनि । तकर बाद भारत सरकार केर यातायात विभागक अनेको एड-फिल्मक मुख्य चेहरा मैथिली पुत्र राहुल हिन्दी सिनेमा दिलनशीक हिरो रुपमे अवतार लेलनि ।

रंगमंच आ सिनेमा केँ एकहि संग जिबनिहार राहुल मुम्बई सँ सहरसा धरि मैथिली गतिविधि मे समर्पित रहैत छथि । दूरदर्शन पर एक धारावाहिक जे सत्यजीत केर कथा पर आधारित अछि सहित दू गोट मैथिली फिल्म मे शीघ्र नजरि अओताह मिथिलाक ई दुलरुवा अभिनेता ।