Search

गोपाल मोहन मिश्र केर एकटा कथा “वायरल वीडियो !”

478 भ्यूज

गोपाल मोहन मिश्र केर एकटा कथा “वायरल वीडियो !”

एक गाम में किशोर नाम के एक आदमी रहैत छल I ओ चक्क़ू-छुरी तेज करबाक काज करैत छल I किशोर अप्पन साइकल सँ गाम-गाम जाईत आ मीठ-मीठ स्वर में गबैत , लोक के चक्क़ू-छुरी तेज करबाक, आमंत्रण दैत छल I दिन भरि काज कs कs, ओ अप्पन जीवन यापन करबाक लायक़, धन इकट्ठा कs लैत छल I ओकर जीवन बहुत मजा सँ कटि रहल छल I ओ अप्पन काज सँ बहुत प्रेम करैत छल, एहि सँ ओ बेसी काल अप्पन काज में लागल रहैत छल I एक बेरी किशोर, एक रिहायशी इलाका में पहुंच कs, अप्पन अंदाज़ में गीत गायब प्रारंभ कs देलक I ओकर गीत सुनि कs,बच्चा सभ ओ तन ठाढ़ भs गेल आ एक लड़का अप्पन मोबाइल सँ किशोर के गीत गबैत वीडियो रिकॉर्ड कs लेलक आ ओकरा अप्पन सोशल मीडिया अकाउंट में, शेयर कs देलक I किशोरक मज़ेदार गीत, सोशल मीडिया पर प्रसिद्ध भs गेल I ओकर गीत पर कतेक मीम बनs लागल I

देखैत-देखैत किछु दिन के अंदर, किशोर सेलिब्रिटी बनि गेल | लेकिन किशोर,एहि बात सँ एकदम अनजान, अप्पन धुन में गली मोहल्ला जा कs, अप्पन चक्क़ू-छुरी के धार तेज करबा के काज में लागल रहल | एक दिन किशोर, एक ट्रैफ़िक सिग्नल के लsग ठाढ़ भs कs, अप्पन अंदाज़ में गीत गाबि रहल छल आ किछुये देर में , देखैत-देखैत ओकर चारु तरफ़ लोक मोबाइल लs कs ठाढ़ भs गेल आ ओकर वीडियो बनाबs लागल I लोक के भीड़ सँ गाड़ी सभ के लाइन लागि गेल आ ओकरा हटाबs लेल पुलिस के अतिरिक्त जवान मौका पर पहुँचि गेल I किशोर समझ नहि पाबि रहल छल कि ओकर गीत सुनि कs एतेक लोक, कियेक जमा भs रहल छैथ ? तखने पुलिस के किछु लोक किशोर के लsग आबि कs कहलनि, “ अहाँ अप्पन गीत-गान बजेनाई सड़क सँ दूर राखू,एतय जाम नहि लगाउ I तखन किशोर कहलक – “हम तs अप्पन काज करैत छी I हम केकरो एतs नहि बजेलौं” | तखन किछु लोक पुलिस के कहलनि कि ई तs सोशल मीडिया स्टार छैथ I हिनकर वीडियो तs हर जगह वायरल भs चुकल अछि I लेकिन किशोर ई बात सुनि कs, आश्चर्य सँ देखs लागल I किशोर जल्दी सँ अप्पन सामान उठा कs,ओतs सँ चलि देलक I लेकिन भीड़ ओकर पीछा करैत रहल I किशोर कोनो तरहें हुंनका सभक नज़रि सँ ओझल भs कs दूर आबि गेल I वीडियो वायरल भेला सँ, किशोरक जीनाई दूभर भs गेल छल I ओ जतs जाईत छल, लोक ओकर वीडियो बनेनाई प्रारंभ कs दैत छलाह I किशोर लोक सँ एतेक तंग आबि चुकल छल कि ओ मुँह में कपड़ा लगाकs, अप्पन काज में निकलs लागल |

लेकिन तैयो, कोई न कोई ओकरा पहचानिये लैतs छल I किछु दिन तक, अहिना चलैत रहल I लेकिन आब किशोर के घमंड आबs लागल I ओ लोक सँ ग़लत तरीका सँ पेश आबs लागल I एतेक तक कि लोक यदि ओकरा वीडियो बनाबs लेल कहैत छल तs ओ हुंनका सँ पैसा चार्ज करs लागल I किशोरक ग़रीबी देखैत लोक ओकरा आब ऑनलाइन पैसा पठा कs मददि करs लगलाह I देखैत-देखैत किशोर के लsग काफी पैसा जमा भs गेल I आब किशोर अप्पन काज पर गेनाई छोड़ि देलक I किशोर जखन अप्पन घर सँ निक लैत छल, तs एना लगैत छल जेना कोई नवका वर जा रहल होअय I जखन कोई किशोर के विडियो बनाबs चाहैत छल, तs ओ अप्पन मुँह छुपा लैत छल आ ओतs सँ भागs लगैत छल I किशोर के माथा में सेलिब्रिटी हेबाक भूत चढ़ि गेल छल कि ओकरा हर जगह महसूस होईत छल कि लोक ओकरे देखि रहल छैथ आ ओ पागल के तरह हरकत करs लागल I धीरे-धीरे किशोर के रवैया अजीब होबs लागल आ ओकर मानसिक स्थिति बिगड़s लागल I ओकर पड़ोसी सभ ओकरा अस्पताल लs जाs कs भर्ती करा देलनि I किशोर बहुत दिन के इलाज के बाद, अप्पन वास्तविक स्थिति में वापस आबि गेल | लेकिन ओ अप्पन काज करबाक तरीक़ा बिसरि चुकल छल,ओकरा फेर सँ अप्पन पुरान काज में लौटबाक छल I वीडियो वायरल के वजह सँ, किशोर के पूरा ज़िंदगी नाटकीय तरीका सँ बदलि चुकल छल I लेकिन किशोर अप्पन पिछला ज़िंदगी में जाय चाहैत छल I किशोर समझि चुकल छल कि ओकरा वास्तविक ज़िंदगी ओकरा ख़ुशी दs सकैत अछि I दिखावटी जीवन तs किछु समय धरि सँग रहत I

Related Articles