दहेज मुक्त मिथिला – नेपाल केर नियमित मासिक बैसार संपन्न

निराजन झा, राजविराज। जुलाई १०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

dmm banner 1राजविराज वार्ड नंबर ७ गणेश मन्दिर समीप स्थित ‘दहेज मुक्त मिथिला – नेपाल’ केर पंजीकृत कार्यालय मे अध्यक्ष श्रीमती वंदना मिश्राक अध्यक्षता मे आइ एकटा बैसार कैल गेल। एहि संस्थाक नवीकरण करेबाक निर्णय सहित किछु रिक्त पद पर सदस्यक मनोनयन लेल दुइ गोट कार्यकारिणी सदस्य जाहि मे रीना झा आ निराजन झा छथि – हिनका लोकनि केँ अधिकृत कैल गेल।

विदित हो जे दहेज मुक्त मिथिला – नेपाल केर पंजीकृत कार्यालय राजविराज मे अवस्थित अछि आ हरेक मास संस्थाक गतिविधि आ जागृतिमूलक कार्यक्रम आदिक आयोजन हेतु नियमित मासिक बैसार कैल जाइत अछि। संस्थाक वर्तमान कार्यकारिणी मे पर्यन्त महासचिव रहल साधना झा बतौलनि। संस्थापक अध्यक्ष करुणा झा पैछला वर्ष नव कार्यकारिणीक गठन कय कार्यभार सौंपि देने छलीह।

ऐगला मास साओन मे शिव इन्टरनेशनल स्कूल केर प्रांगण मे स्कूली बाल-बालिका सबकेँ केन्द्रित कय एकटा विशाल अन्तर्क्रिया कार्यक्रमक आयोजन करबाक नियार कैल जेबाक जानकारी सेहो महासचिव साधना झा मैथिली जिन्दाबाद केँ बतौलनि। आजुक बैसार द्वारा ई निर्णय लेल जेबाक जानकारी करौलनि।

दहेज मुक्त मिथिलाक वर्तमान कार्यकारिणी मे अध्यक्ष वन्दना मिश्रा, उपाध्यक्ष प्रा. राजीव मिश्र, उपाध्यक्ष पवन कुमार मिश्र, महासचिव साधना झा, सह-सचिव ध्रुव कुमार मंडल, आ सदस्य मे रीता देव, फरहद परवीन, कमला भंसाली, निराजन झा तथा रीना झा छथि। जखन कि किछु सदस्यक स्थान हाल धरि रिक्त अछि तेकरे भरबाक भार निराजन एवं रीना केँ सौंपल गेलनि अछि।