रविन्द्र कुमार चौधरी, जमशेदपुर। जुलाई ९, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिल महिला अरुणा मिश्रा केँ विश्व चैम्पियन बनि गृह-जिला जमशेदपुर आगमन भेला पर भव्य स्वागत कैल गेल अछि। लगातार १९९९ सँ भारतक सर्वश्रेष्ठ मुक्केबाज अरुणा मिश्रा झारखंड राज्यक सेहो चैम्पियन छथि। हालहि संपन्न राष्ट्रीय स्तरक मुकाबला मे सेहो अपन प्रतिद्वंद्वी इलांबम मेमथोइ केँ केरल मे पहिने कैल वादा अनुसार हरबैत अपन दुइ पुत्रीक वास्ते स्वर्ण पदक जीतबाक इतिहास फरबरी मे बनौने छलीह।
अरुणा मिश्रा झारखंड पूलिस केर नौकरीक संग-संग बिरसा बोक्सिंग सेन्टर, बिरसानगर मे मुक्केबाजीक प्रशिक्षण सेहो दैत छथि। पति चार्टर्ड एकाउन्टेन्ट आ संपूर्ण मैथिल समाज केँ हिनका पर भरपूर गर्व छन्हि। देशकेँ सेहो अरुणा अनेको बेर विदेशक धरती पर सेहो प्रतिष्ठा दियबैत संपूर्ण देश लेल प्रशंसित बेटी थिकी। अरुणा स्वयं दुइ बेटीक माय, दोसर बेटीक जन्म आइसँ अढाइ साल पहिने भेला पर ओ करीब दुइ वर्ष धरि प्रतियोगिता सब सँ दूर रहल छलीह, लेकिन पुन: वापसी करैत अपन प्रखरताकेँ ओहिना पूर्ववत् सुरक्षित राखि एकटा कीर्तिमान् स्थापित केलनि अछि। हिनका सँ सबकेँ प्रेरणा लेबाक चाही।
2 Comments
Maithli bhasha hamra bara nik lagl
बहुत आभार – अपने लोकनि नित्य एहि वेबसाइट पर आबि रहल लेख-समाद सब पढैत रही। हरिः हरः!!