करुणा झा, राजविराज, जुन २९, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
सप्तरीक राजविराजमे पाँच दिवसीय मैथिली श्रव्य आ लेखन पत्रकारिता प्रशिक्षण कार्यक्रम वृहस्पति दिन सँ सुरु भेल अछि । मैथिल मिडिया प्रा. लि., राजविराज केर आयोजना आ जिल्ला विकास कार्यालय सप्तरी केर सहयोग मे उक्त प्रशिक्षण कार्यक्रम केर सञ्चालन कएल गेल अछि ।
जिल्ला विकास अधिकारी कोमल प्रसाद धमलाक प्रमुख आतिथ्य तथा मैथिल मिडिया प्रा लि केर अध्यक्ष शुभचन्द्र झाक अध्यक्षतामे शुरु प्रशिक्षण कार्यक्रम मे करिब २५ गोटय प्रशिक्षार्थी सभक सहभागिता रहल अछि । उद्घाटन सत्र मे संबोधन करैत प्रमुख अतिथि जिल्ला विकास अधिकारी धमला कहलनि, “एक टा गाविस मे एक टा महिला आ एक टा पुरुष यानि करिब दुइ टा पत्रकार भेनाइ आवश्यक अछि, एहि लेल ई प्रशिक्षणक बड पैघ आवश्यकता अछि ।”
उक्त पाँच दिवसीय तालिम मे पत्रकार महासंघ सप्तरीक अध्यक्ष प्रकास खतिवडा, पूर्व प्राध्यापक अमरकान्त झा, अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली परिषद्, नेपाल केर अध्यक्ष करुणा झा, सद्भावना पार्टीक जिल्ला अध्यक्ष सुनिलकुमार झा, पत्रकार जितेन्द्र कुमार झा लगायत अन्य महत्त्वपूर्ण व्यक्तित्व सबहक सहभागिता रहल छल, हिनका लोकनि द्वारा सभाकेँ शुभकामना मन्तव्य व्यक्त कैल गेल ।
तालिम मे पूर्व मैथिली परिषद् केर अध्यक्ष विष्णुकुमार मण्डल आ पूर्व प्राध्यापक जनआनन्द मिश्र द्वारा प्रशिक्षण देल जा रहल अछि । तालिम केर स्वागत मन्तव्य मैथिल परिषद् केर सचिव श्यामसुन्दर यादव केने छलाह ।