मनीष कर्ण, जनकपुरधाम । १ फरवरी २०२२ । मैथिली जिन्दाबाद!!
पत्रकार तथा मैथिली भाषाक चर्चित साहित्यकार सुजीत कुमार झाक अनुसन्धान एवं विश्लेषणमुलक पोथी ‘पुनि पुनि होत विवाह’ केर सोमदिन जनकपुरमें एक समारोहक बीच लोकार्पण भेल ।
मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जिवनाथ चौधरीक अध्यक्षता तथा मधेश प्रदेशका भौतिक पूर्वाधार विकासमन्त्री रामसरोज यादव आ उद्योग, पर्यटन तथा वन मन्त्री शत्रुधन महतोद्वय केर प्रमुख आतिथ्यमें ‘पुनि पुनि होत विवाह’ पुस्तकक लोकार्पण काएल गेल ।
पत्रकार एवं साहित्यकार सुजीत कुमार झाक १० म् कृतिक रूपमे प्रकाशित ‘पुनि पुनि होत विवाह’ पुस्तकमें सीताराम विवाह उत्सव सम्बन्धी विभिन्न ४९ टा शीर्षकमें अनुसन्धान एवं विश्लेषण काएल गेल अछि । ६ सय ८८ पृष्टक ‘पुनि पुनि होत विवाह’ पुस्तकमें सीताराम विवाह उत्सव आ रामायणकालिन विभिन्न विषयसभक अलग-अलग शीर्षकमें अनुसन्धान आ विश्लेषण काएल गेल लेखक झा बतेलनि ।
अहि पुस्तकक लोकार्पण समारोहमें मैथिलीक विद्धान तथा समालोचक रामचन्द्र झा ‘रमण’ जी टिप्पणी कएने छलथि । पुस्तक लोकार्पण समारोहमें जानकी मन्दिरक उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दास, उद्योग, पर्यटन तथा वन मन्त्रालयक सचिव विन्दु कुमारी मिश्र, जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक अध्यक्ष जितेन्द्र महासेठ, साहित्यकार डॉ. रेवतीरमण लाल, अयोध्यानाथ चौधरी, गीतकार तथा पत्रकार अशोक दत्त, पर्यावरण अभियन्ता सुरेश शर्मा लगायतक वक्ता लोकनि पुस्तक ऊपर अपन-अपन धारणा रखने छलाह । उद्योग, पर्यटन तथा वन मन्त्रालय द्वारा प्रकाशित रहल अहि पुस्तकक आवरण फोटो विजय दत्त ‘मणि’ जीक रहल छनि ।