१८ नवम्बर २०१९, मैथिली जिन्दाबाद!!
एक दिश जतय राजनीतिक स्वार्थक कारण भाषाक नाम पर लोक-समाज केँ विभाजित करबाक कार्य मे किछु शातिर लोक लागल अछि, ओत्तहि यथार्थ हितसाधना मे मिथिला साहित्य कला प्रतिष्ठान (मिलाफ) राजविराज द्वारा सालों भरि छोट सँ पैघ स्तरक जमीनी कार्यक्रम करैत रहबाक निरन्तर प्रयास जारी अछि। विदित हो जे १६ नवम्बर शनि दिन राजविराज स्थित पत्रकार संघक सभागार मे मिलाफ अपन दोसर वार्षिकोत्सव मनौलक अछि।
पहिल सत्र मे ‘मैथिल संस्कृति संरक्षणक विकासमे युवा सभक भूमिका’ विषयक मैथिली वक्तृत्वकला प्रतियोगिता आ मैथिली कविता प्रतियोगिता’ केर कार्यक्रम आयोजित भेल। एकर प्रमुख अतिथि प्रदेश सांसद मनीष सुमन छलाह जखन कि सभाध्यक्ष श्रीराम मण्डल व उद्घोषक गजेन्द्र गजूर आ शम्भू श्री छलथि। मैथिली वक्तृत्वकला प्रतियोगिताक निर्णायक मण्डली मे राम अधीन साह, आभा सेतु सिंह आ ललिता झा आर जनाउ घण्टी सूचक कृष्ण मैथिल छलथि। सहभागी विद्यालय आ विद्यार्थी लोकनि मे हैप्पील्याण्ड सेकेन्ड्री स्कूल सँ सरोज कुमार रजक आ सितल सुमन, पाराडाइज क्याम्पस सँ रामसुन्दर मण्डल आ लक्ष्मी साह जाहि मे विजेताक रूप मे प्रथम भेलीह लक्ष्मी साह आर द्वितीय स्थान मे सितल सुमन, तहिना तृतीय रामसुन्दर मण्डल तथा सांत्वना पुरस्कार विजेता सरोज कुमार रजक केँ भेटलनि।
मैथिली कविता प्रतियोगिताक निर्णायक मण्डली मे किरण झा, मीना ठाकुर आ विद्यानन्द वेदर्दी छलथि। सहभागी विद्यालय आ विद्यार्थी शिब्स इन्टरनेशनल बो से स्कूल सँ सोनाली सोनी आ रामानन्द राय, पिसजोन मोडेल सेकेन्ड्री स्कूल सँ नितिस कुमार मण्डल आ साक्षी मिश्रा, लिट्ल फ्लावर स्कूल सँ नेहा झा आ राहुल साह, मनोकामना सेकेन्ड्री स्कूल सँ आभाष मंडल, के. अ. मा. वि. केर प्रतिक झा आ मधुमाला यादव, प. वि. मा. वि. सँ अभय प्रसाद यादव, जनता मा. वि. तोपा सँ सेवी यादव, वीरपूर स्कूल सँ दीपक कुमार रजक आ अमृता यादव, बोरिया स्कूल सँ उर्जा साह छलीह। विजेता मे प्रथम सेवी यादव, द्वितीय उर्जा साह, तृतीय साक्षी मिश्रा आर सांत्वना पुरस्कार आभाष मंडल केँ भेटलनि।
शुभकामना मन्तव्य दैत समस्त सहभागी आ विजेता केँ उत्साहवर्धन कयलनि देवेन्द्र मिश्र मिलाफक संस्थापक अध्यक्ष, माधव कुमार सङोर मिथिलाक सल्लाहकार, विवेकानन्द मिश्र मैथिली साहित्य परिषदक पूर्व अध्यक्ष, सतीश दत्त परिषदक वर्तमान अध्यक्ष, पण्डित महेश्वर झा, मनीष सुमन प्रदेश सभासद आ राजपाक महासचिव। मिलाफ द्वारा कयल जा रहल एहि जमीनी क्रान्ति केर सब कियो सराहना कयलनि। भाषाक महत्व पर सेहो प्रकाश देलनि। बिना भाषा अन्य राजनीतिक अथवा सामाजिक-सांस्कृतिक अधिकार प्राप्तिक सपना खोखला होयबाक मन्तव्य वक्ता लोकनि समग्र मे रखलनि। सहभागी छात्र-छात्रा आ स्कूल केँ सेहो सब कियो उत्साहवर्धन करैत आभार जतौलनि। पढाई-लिखाई मे मैथिली भाषाक नगण्यताक बादो विद्यार्थी मे अपन रुचिक प्रशंसा स्वाभाविके बनैत छैक।
एहि अवसर पर मनीष सुमन केँ गमछा ओढाकऽ मिलाफक संस्थापक आ वर्तमान अध्यक्षक हाथसँ सम्मान सेहो कयल गेल। तहिना सूखी-फूलो मिथिला गौरव सम्मान २०७६ हस्तान्तरण करैत मैथिली अभियानी शुभचन्द्र झाकेँ संजय यादवक संयोजन मे सम्मान कयल गेलनि। एहि सत्रक समापन मन्तव्य मिलाफक अध्यक्ष श्रीराम मण्डल रखलाह।