दिल्ली विश्वविद्यालय मे मैथिलीक पढाइ लेल आपसी समन्वय बैसार

दिल्ली, २२ अक्टूबर २०१९ । मैथिली जिन्दाबाद!!

दुइ चरण उपरान्त तेसर चरण केर कार्य लेल संस्थागत समन्वय

दिल्ली विश्वविद्यालय मे मैथिली पढौनी लेल मैथिली साहित्य सम्मेलन द्वारा निरन्तर प्रयास करबाक क्रम मे विगत २० अक्टूबर केँ हिन्दी भवनमे ‘दिल्ली विश्वविद्यालयमे मैथिलीक पढ़ाइ’ अभियान पर बैसारक आयोजन कएल गेल छल। मैसासक अध्यक्ष संजीव सिन्हा जनतब देलनि जे एहि बैसारक संगे दिल्ली विश्वविद्यालय मे मैथिली पढौनी लेल योजना अनुरूप दुइ चरण पूरा भेल अछि। एहि सँ पूर्व देश भरि मे कार्यरत मिथिला-मैथिलीक विभिन्न संस्था सभ द्वारा दिल्ली विश्वविद्यालयक कुलपति केँ ज्ञापन पठायल गेल छल, संगहि दिल्ली विश्वविद्यालयक कुलपति संग वरिष्ठ भाजपा नेता आ मैथिली भाषा केँ सदा-सर्वदा हित कयनिहार महान व्यक्तित्व डा. सी. पी. ठाकुर केर मध्यस्थता व पहल अन्तर्गत वार्ता सेहो संभव भेल रहय।

मैथिली लेखक संघक महासचिव बिनोद कुमार झाक अध्यक्षता मे संपन्न एहि बैसार मे निर्णय लेल गेल जे आब तेसर चरण मे दिल्ली विश्वविद्यालयक प्राध्यापक सभ सँ भेंटघाट करैत ‘मैथिलीक पढ़ाइ’ विषयपर हुनका लोकनि द्वारा सार्थक पहल लेल आग्रह कएल जायत। बैसारक संचालन अखिल भारतीय मिथिला संघक महासचिव प्रकाश झा कएने रहथि, जखन कि धन्यवाद ज्ञापन मैथिली साहित्य सम्मेलनक अध्यक्ष संजीव सिन्हा कयलनि। बैसार मे एक-दोसर सँ ई अपेक्षा कयल गेल जे अपन अधिकतम सम्पर्कक उपयोग करैत दिल्ली विश्वविद्यालयक समस्त शिक्षक वर्ग केँ एहि काज लेल आगू एबाक अनुरोध कयल जाय। उपरोक्त बैसार मे अध्यक्ष Binod Kumar Jha, मैथिली लेखक संघ, Prakash Jha, मैलोरंग/अ. भा. मिथिला संघ, Birbal Jha, मिथिलालोक फाउंडेशन, रामबाबू सिंह, अंतरराष्ट्रिय मैथिली परिषद्, Alok Kumar , मैथिल पत्रकार ग्रुप, संजीव सिन्हा, मैथिली साहित्य सम्मेलन, Arun Kumar Mishra, मैथिल मंच, Basant Jha Vats, मैथिल यूथ परिषद्, Ashok Kumar Jyoti, आरसी प्रसाद स्मृति न्यास, Kundan Kumar Karn, कर्ण गोष्ठी, CA Ashish Niraj, कर्ण कायस्थ महासभा, Srijan Shilpi, राज्यसभा सचिवालय, Avinash Kumar Singh , दिल्ली विश्वविद्यालय, विजय नारायण झा, मिथिला युवा मंच, सूर्यानन्द झा, मैथिल यूथ परिषद्, विश्वनाथ झा, मिथिलालोक फाउंडेशन – हिनका लोकनिक उपस्थिति छल। एहि अभियान केँ गतिशीलता प्रदान करबाक लेल सब कियो अपना-अपना स्तर सँ पूर्ण प्रतिबद्धता प्रकट कयलनि।