मोडेलिंग सँ बालिवूड तक अपूर्वा झा

किसलय कृष्ण, सहरसा। मई १८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

Apoorva Jhaमूलत: कटिहार निवासी अपूर्वा झा केर प्रारंभिक आ उच्च शिक्षा दिल्ली मे भेलनि। सौन्दर्य केर प्रतिमूर्ति आ अभिनय कला मे माहिर अपूर्वा केर खाता मे प्रसिद्ध निर्देशक इम्तियाज अली केर हिन्दी फिल्म ‘सोचा ना था’ दर्ज अछि। लिरिल साबुन केर विज्ञापन सँ हिनकर बारे चौतर्फा चर्चा शुरु भेलनि आ मोडेलिंग केर दुनिया मे सूपर टप पोजिशन केर मलिका कहाय लगली। एतहि सँ शुरु अछि अपूर्वाक अपूर्व यात्रा जे मोडेलिंग सँ बालिवूड धरि निरंतरता मे अछि।

मातृभाषा मैथिली सँ असीम सिनेह राखइवाली अपूर्वा एखन विभिन्न विज्ञापन फिल्म करबा मे व्यस्त छथि। मैथिली जिन्दाबाद केर सफलता लेल शुभकामना दैत अपन पूर्ण साक्षात्कार सेहो शीघ्रे देबाक लेल गछलनि अछि।

शिक्षा क्षेत्र मे पर्यन्त उत्कृष्ट योग्यता अपूर्वा हासिल कएने छथि। अमेरिकाक कैलिफोर्निया विश्वविद्यालयक युएससी मार्शल स्कूल अफ बिजनेस सँ एमबीए कएने छथि। एहि सँ पूर्व साइंस बैकग्राउन्स सँ ग्रेजुएशन करैत फैशन तथा मोडेलिंग मे अपन कैरियर बनेबाक लेल जीतोड़ मेहनत केली। ईएसपीएन स्टार स्पोर्ट्स, ब्रोडकाम, एमजेन आदि मे ओहदेदार पद पर सेहो कार्य करैत अपन विलक्षण प्रतिभाक परिचय देलनि।

अपन एकमात्र हिन्दी फिल्म ‘सोचा ना था’ मे काफी समय लागि जेबाक कारणे बहुत उत्साहपूर्वक फिल्म क्षेत्र केँ नहि मानि सकली, लेकिन कैरियर मे एतेक लोकप्रिय फिल्म बनि गेला सँ हिनक अभिनय, सुन्दरता आदिक खूब चर्चा कैल गेल। वर्तमान मे फेर सँ कतेको सृजनात्मक कार्य मे अपन समय लगा रहली अछि।