Search

पूर्वांचल कैम्पस धरान केर नवप्रवेशी इंजीनियरिंग छात्र केर स्वागत कार्यक्रम मैथिली मे

धरान, १६ दिसम्बर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि १५ दिसम्बर शनि दिन पूर्वांचल कैम्पस धरान केर इंजीनियरिंग छात्र लोकनि नवप्रवेशी छात्र सभक स्वागत मे एकटा कार्यक्रमक आयोजन कएने छलाह, जेकर माध्यम भाषा मूल रूप सँ मैथिली राखल गेल छल। मैथिली मे उद्घोषण-संचालनक संग अन्य समस्त मधेशक मातृभाषा भोजपुरी, थारू, अबधी केँ सेहो पूर्ण रूप सँ स्वतंत्र प्रयोग करबाक आह्वान सेहो कयल गेल छल। भोजपुरीभाषी अपन प्रस्तुति अपन मातृभाषा मे देलनि, तहिना अबधीभाषी द्वारा अबधीभाषा मे प्रस्तुति देल गेल छल।

एहि स्वागत कार्यक्रमक अध्यक्षता आयोजक संस्था नेपाल तराई विद्यार्थी नवजागरण संघ केर अध्यक्ष गजेन्द्र महतो द्वारा कयल गेल जखन कि संचालन बैचलर इन इंजीनियरिंग (दोसर वर्ष) केर छात्र एवं मैथिली भाषाक लोकप्रिय युवा गीतकार-गजलकार विद्यानन्द बेदर्दी एवं बैचलर इन इंजीनियरिंग (तेसर वर्ष) केर छात्रा साक्षी चौधरी कयलनि। प्रमुख अतिथि मैथिली भाषा अभियानी एवं मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी संग विभिन्न छात्र संगठनक नेता लोकनि मे धर्मेन्द्र यादव, ताज्जुब लिम्बू, शत्रु यादव, संजीव यादव, सुशील यादव, हितेश यादव, रवि प्रसाद चौधरी, रूपेश साह, संजय साह एवं अन्य केर सहभागिता छल।

मैथिली भाषाक महाकवि विद्यापतिक तैल्यचित्रक सोझाँ दीप प्रज्वलनक संग कार्यक्रमक उद्घाटन करैत ‘जय जय भैरवि असुर भयाउनि’ गोसाउनि गीत समवेत स्वर मे सब कियो ठाढ भऽ कय गबैत स्वागत कार्यक्रम आरम्भ कयल गेल। नवप्रवेशी छात्र लोकनि केँ प्रमुख अतिथि, सभाध्यक्ष तथा विशिष्ट अतिथि छात्र नेता ताज्जुब लिम्बू द्वारा संयुक्त रूप सँ टीका लगा शुभकामना एवं सुन्दर भविष्य निर्माण हेतु शुभाशीष प्रदान करैत स्वागत कयल गेल। बेराबेरी सब फैकल्टीक नवप्रवेशी इंजीनियरिंग छात्र केँ मंच पर बजाकय विशेष रूप सँ स्वागत कयल जेबाक कार्यक्रम काफी उत्साह करयवला छल। तदोपरान्त छात्र लोकनिक अभिनन्दन हेतु मैथिली, भोजपुरी, अबधी गीत तथा नृत्य प्रस्तुत करैत खूब मनोरंजन कयल गेल छल। एहि अवसर पर उत्कृष्ट रैंक प्राप्त कयनिहार छात्र लोकनि केँ सम्मान प्रतीक चिह्न सेहो हस्तान्तरित कयल गेल।

उद्घाटन सत्र मे सभा केँ संबोधित करैत प्रमुख अतिथि प्रवीण नारायण चौधरी मातृभाषाक महत्व पर प्रकाश देलनि। संगहि भविष्य निर्माण मे तकनीकी आ प्रौद्योगिकी शिक्षाक महत्व पर सेहो छात्र लोकनि केँ संबोधित करैत इंजीनियरिंग कैम्पस मे प्रवेश पेबा लेल बधाई ज्ञापन कयलनि। व्यक्तित्व विकास लेल अपन-अपन मातृभाषा मे सृजनकर्म पर सेहो सप्ताहांत मे कोनो न कोनो बहन्ने गोष्ठी-बैसार लेल प्रेरित कयलनि। विशिष्ट अतिथि ताज्जुब लिम्बू नेपाल सरकार केर एकल भाषा-भेषक नीति सँ मुक्ति भेटलाक बाद सभक मातृभाषा केँ सम्मान हेबाक बात कहैत आजुक कार्यक्रम मैथिली भाषा मे होयबाक बातक भरपूर प्रशंसा कयलनि। धरान केर वासीन्दा स्वयं ताज्जुब लिम्बू सरकारक एकल नीति केर कारण मैथिली भाषाक महाकवि विद्यापति सँ प्रथम परिचय एहि कार्यक्रम मे भेटबाक उदाहरण दैत छात्र लोकनि सँ देशक विकासक गति मे राजनीतिक परिवर्तन दिश सेहो चौकन्ना रहय लेल आगाह कयलनि। तहिना मंतव्य दैत शत्रु यादव सेहो नवप्रवेशी छात्र लोकनि केँ सुन्दर भविष्य निर्माण लेल शुभकामना दैत एहि कैम्पस मे आयोजक संस्थाक महत्ताक वर्णन कएने छलाह। संजीव यादव द्वारा आयोजक संस्थाक इतिहास आ एकर उद्देश्य पर प्रकाश देल गेल छल। ओ सब केँ एहि बातक ध्यान राखय लेल अनुरोध कयलनि जे संस्थाक गठन जाहि तरहक गौरवपूर्ण इतिहास संग भेल अछि, से कोनो हाल मे कखनहुँ धुमिल नहि होबय देब आर से भार नव पीढी पर अछि।

तराई-मधेश-मिथिला क्वीज केर बड़ा रोचक प्रस्तुति कयल गेल छल। एकर संयोजन मिट्ठू शर्मा कएने रहथि। छात्र सभक सोझाँ तराई-मधेश-मिथिला सँ जुड़ल भिन्न-भिन्न तरहक प्रश्न राखल गेल छल, यथा सीताक माय केर नाम कि रहनि, मैथिली भाषा मे ‘महाकवि’ किनका मानल गेल अछि, आदि। जबाब देनिहार केँ पुरस्कार स्वरूप चौकलेट प्रदान कयल गेल छल। एकर भरपूर आनन्द लैत छात्र सब एहेन दृश्य देखौलनि जे सहभागी अतिथि लोकनि केँ अपन बचपन मोन पाड़ि देने छलन्हि, सब भाव-विभोर छलाह।

एकटा सत्र रवि प्रसाद चौधरी केर संयोजन मे प्रोजेक्टर केर मदति सँ महत्वपूर्ण डकुमेन्ट्री सेहो देखाओल गेल छल। एहि मे तराई-मधेश-मिथिलाक महत्वपूर्ण पर्यटकीय-दर्शनीय स्थल सभक परिचय कराओल गेल छल। तहिना, आयोजक संस्था ‘नेपाल तराई विद्यार्थी नवजागरण संघ’ जेकर स्थापना २०५७ विक्रम संवत साल मे भेल आर ताहि समय सँ एखन धरिक कतेक रास महत्वपूर्ण आयोजन सभ करैत तराई-मधेश केर छात्र मे अपन पहचान प्रति सजग करबैत राष्ट्रसेवा प्रति जागरुक बनायल गेल, एकर विलक्षण प्रस्तुति समाहित रहय।

पैछला साल आयोजन कएल इंन्जीनियरिंगं एक्सपो केर साँस्कृतिक कार्यक्रम मे मैथिली नृत्य प्रर्दशन कएनिहार प्रवीण यादव, सुकराज साह, सन्तोष साह, रिया देव, साक्षी चौधरी आ गीति गायन लेल आभाष कुमार महतो केँ ‘प्रेमक प्रतीक चिह्न’ (मोमेन्टो) प्रदान कएल गेल।

आयोजक संस्था नेपाल तराई विद्यार्थी नवजागरण संघ केर अध्यक्ष, पूर्व अध्यक्ष, सह-सचिव, व अन्य पदाधिकारी द्वारा एहि संस्थाक परिचिति दैत तराई-मधेश केर छात्र लोकनिक एहि विशेष संगठन केर भूमिका पर सेहो प्रकाश देने छलाह। नवागन्तुक छात्र लोकनिक सुन्दर भविष्य निर्माण हेतु पूर्व मे एहि कैम्पस सँ पास कयल अनेकों महत्वपूर्ण व्यक्तित्व सभक उदाहरण दैत प्रेरणाक संचरण कएने छलाह। अन्त मे नवागन्तुक छात्र आ पूर्वहि सँ पढि रहल छात्र-छात्रा सब कियो आपस मे मिलिकय भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत कयलाह।

Related Articles