प्रेमक बसातक ऐतिहासिक प्रदर्शन: कुणाल ठाकुर

नवम्बर १, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली जिन्दाबाद डेस्क । मैथिली सिनेमाक इतिहासमे ई पहिल घटना थीक जे एक संग भारतीय आ नेपालीय मिथिलाक करीब तीन दर्जन सिनेमाहॉलमे प्रेमक बसात एक संग प्रदर्शित भ रहल अछि । सामाजिक विषय पर केन्द्रित मैथिली फिल्म प्रेमक बसात काल्हि दू नवम्बरसँ पूर्णिया, सुपौल, मधेपुरा, बेगूसराय, मुजफ्फरपुर, दरभंगा, मधुबनी संग विराटनगर, इनरुवा, राजविराज, लहान, जनकपुर, वीरगंज आदिक सिनेमागृहमे प्रदर्शित भ रहल अछि । फिल्मक कार्यकारी निर्माता कुणाल ठाकुर जनतब दैत कहलाह जे ई मैथिली फिल्मक बजार निर्माणक पहिल डेग थीक । ओ मिथिलावासीसँ फिल्म देखबाक अपील कयलनि ।