Search

प्रवीण नारायण चौधरी

बुटवलमे सम्पन्न संस्कार गीत-गायन प्रतियोगिताः मैथिल समाज रुपन्देही

बुटवल, २ जनवरी, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! वर्तमान मिथिला समाज जतय पश्चिमी सभ्यताक अनुकरणमे अपन मौलिकताक ह्रास कयने जा रहल अछि ताहि स्थितिमे पश्चिम नेपालक महानगर बुटवल स्थित मैथिल समाज रुपन्देही द्वारा मिथिलाक अति विशिष्ट परम्परा ‘संस्कार गीत गायन’ केँ संरक्षित करैत मैथिल जनमानस मे एकर महत्व आत्मसात करबाक लेल एकटा भव्य प्रतियोगिताक आयोजन कयल गेल बुटवलमे सम्पन्न संस्कार गीत-गायन प्रतियोगिताः मैथिल समाज रुपन्देही

मिथिला स्तुति – वृहद् विष्णुपुराण

मिथिला स्तुति हे मिथिला – बेर-बेर प्रणाम!! ईश्वर प्रति सम्पूर्ण आस्थावान् रहैत अपन जन्म एहि मिथिला नामक तीर्थभूमि – तंत्रभूमि -सिद्धभूमि मे होयबाक लेल पुनः-पुनः आभार प्रकट करैत छी। मिथिलाक स्तवन करब केहेन कल्याणकारी अछि से त देखू – म सँ मकार ब्रह्मा आर ताहि मे इकारान्त स्त्री यानि ब्रह्माणी (सरस्वती विराजित छथि, थ सँ मिथिला स्तुति – वृहद् विष्णुपुराण

दुर्गा भगवतीक ११ अनुपम नाम, भक्त लेल सुलभ आ कल्याणकारी साधनाक अचूक मंत्र

स्वाध्याय – प्रवीण नारायण चौधरी जय माँ!   ॐ जयन्ती मङ्गला काली भद्रकाली कपालिनी। दुर्गा क्षमा शिवा धात्री स्वाहा स्वधा नमोऽस्तुते॥   जयन्ती, मङ्गला, काली, भद्रकाली, कपालिनी, दुर्गा, क्षमा, शिवा, धात्री, स्वाहा और स्वधा – एहि नामसँ प्रसिद्ध जगदम्बिके! अहाँकेँ नमस्कार अछि।   १. जयति सर्वोत्कर्षेण वर्तते इति ‘जयन्ती’ – सबसँ उत्कृष्ट आ विजयशालिनी।   दुर्गा भगवतीक ११ अनुपम नाम, भक्त लेल सुलभ आ कल्याणकारी साधनाक अचूक मंत्र

उड़ाँव भाषा-संस्कृतिक विभिन्न प्रदर्शनकारी कला ओ जीवनशैलीपर नाट्य-विमर्श

इनरुआ, सुनसरी। दिसम्बर ३१, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपाल संगीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमांडू द्वारा सुनसरी जिलाक मुख्यालय इनरुवामे उड़ाँव भाषाभाषीलोकनिक प्रदर्शनकारी लोककला तथा संस्कृतिक विभिन्न पक्ष सबपर नाट्य-विमर्शक आयोजन काल्हि १५ गते पुस मास केँ कयल गेल। प्राज्ञ परिषद् सदस्य तथा नाट्य विभाग प्रमुख रमेश रंजन झाक अध्यक्षतामे संपन्न एहि आयोजनमे उड़ाँवभाषाक विद्वान् अभियंता रामलाल उड़ाँव द्वारा उड़ाँव भाषा-संस्कृतिक विभिन्न प्रदर्शनकारी कला ओ जीवनशैलीपर नाट्य-विमर्श

मैथिली मचान, मैथिली पुस्तक प्रदर्शनी, विश्व पुस्तक मेलाः वर्तमान आ भविष्य

विशेष सम्पादकीय  २७ दिसम्बर, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! आगामी ६ जनवरी सँ १४ जनवरी – २०१८ धरि भारतक राजधानी दिल्ली मे विश्व पुस्तक मेला लागि रहल अछि। मैथिली भाषा विश्वक एक प्राचीनतम् भाषा रहितो राज्यक संरक्षण टुहुरा-लिल्लोह बनल एखन धरि एहि मेला मे कोनो वृहत् स्तरक सहभागिता नहि दय सकल छल, वैह इक्का-दुक्का जिवट मैथिल किंवा मैथिली मचान, मैथिली पुस्तक प्रदर्शनी, विश्व पुस्तक मेलाः वर्तमान आ भविष्य

अटल बिहारी वाजपेयी प्रति मैथिलीभाषी सदैव कृतज्ञ रहतः अमैस महासचिव बैजू

आशीष कुमार चौधरी दरभंगा। २७ दिसम्बर, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! १५म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन नेपालक राजविराज मे सम्पन्न कयला उत्तर २५ दिसम्बर माननीय पूर्व-प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयीक ९३म जन्मदिन पर दरभंगा मे नवगठित कार्यसमिति द्वारा प्रेस सभाक आयोजन कयल गेल। विद्यापति सेवा संस्थान दरभंगाक परिसर मे अमैस कार्यसमितिक एहि सभाक अध्यक्षता संस्थान अध्यक्ष वयोवृद्ध मैथिली साहित्यसेवी अटल बिहारी वाजपेयी प्रति मैथिलीभाषी सदैव कृतज्ञ रहतः अमैस महासचिव बैजू

महिषासुरक उत्पात आ सेनापति सहित ओकर वध गाथाः महामायाक लीला वर्णन

स्वाध्याय – प्रवीण नारायण चौधरी सेनापति सहित महिषासुरक वध   महामायाक प्रादुर्भाव उपरान्त आर हुनका द्वारा देवता व इन्द्र, वरुण, आदिक खस्ता हाल मे स्तुति सुनैत अट्टहास कयला उत्तर समस्त दैत्य-दुर्जन हजारों-हजार सेना सहित देवी संग युद्ध आरम्भ कय चुकल अछि। आजुक प्रकरण थिक – कोना देवी सेनापति सहित महिषासुरक वध कयलीह।   ध्यानम् ॐ महिषासुरक उत्पात आ सेनापति सहित ओकर वध गाथाः महामायाक लीला वर्णन

लोभ सब पापक मूल होएछ, धनलोभीक जीवन मे सुख असंभव

विचार – प्रवीण नारायण चौधरी लोभ सब पापक मूल कारण (लोकहित मे जारी)   एक गोट धनलोभी दोसर सम्पन्न लोक सँ बहुत डाह करय, डाहक अर्थ स्पष्ट रहैक जे सम्पन्न व्यक्तिक सम्पन्नता ओहि धनलोभी केँ बहुत खटकैत छलैक। ई बात सम्पन्न लोक बुझैक आर ओहि धनलोभी केँ बुझबैक – ओ कहैक, “देखू! धनक लोभ सँ लोभ सब पापक मूल होएछ, धनलोभीक जीवन मे सुख असंभव

अखिल भारतीय मिथिला संघ मनौलक स्वर्ण जयन्ती समारोह, दिल्लीक तालकटोरा स्टेडियम फूल

रामबाबू सिंह, दिल्ली। दिसम्बर २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! राष्ट्रीय राजधानी दिल्लीक तालकटोरा स्टेडियम भेल मिथिला मैथिली स्वर सँ गुँजायमान  दिल्लीक तालकटोरा स्टेडियम मे अखिल भारतीय मिथिला संघ २४ दिसंबर केँ अपन पचासम स्थापना दिवस पर ‘स्वर्ण जयंती समारोह’ केर रूप मे मनेलक। लगभग तीन सँ चारि हजार क्षमता वाला स्टेडियम दर्शक सँ खचाखच भरल छल संगहि हेंजक हेंज लोक अखिल भारतीय मिथिला संघ मनौलक स्वर्ण जयन्ती समारोह, दिल्लीक तालकटोरा स्टेडियम फूल

दोसर अटल मिथिला सम्मान समारोह मे उदित-आदित्यक युगलबन्दी, हंसराज सेहो गेलनि

श्रीचन्द कामत, नई दिल्ली। दिसम्बर २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! दोसर “अटल मिथिला सम्मान-२०१७” दिल्ली मे सम्पन भेल    काल्हि दिसम्बर २५ तारीख सोम दिन भारतक पूर्व प्रधानमंत्री तथा अति लोकप्रिय नेता अटल बिहारी वाजपेयी केर जन्म दिवसक उपलक्ष्य मे लगातार दोसर बेर “हिन्द पोस्ट मीडिया” द्वारा देशक नामी-गिरामी हस्ती सब केँ “अटल मिथिला सम्मान-२०१७” प्रदान कयल गेल दोसर अटल मिथिला सम्मान समारोह मे उदित-आदित्यक युगलबन्दी, हंसराज सेहो गेलनि