Search

अटल बिहारी वाजपेयी प्रति मैथिलीभाषी सदैव कृतज्ञ रहतः अमैस महासचिव बैजू

आशीष कुमार चौधरी दरभंगा। २७ दिसम्बर, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

१५म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन नेपालक राजविराज मे सम्पन्न कयला उत्तर २५ दिसम्बर माननीय पूर्व-प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयीक ९३म जन्मदिन पर दरभंगा मे नवगठित कार्यसमिति द्वारा प्रेस सभाक आयोजन कयल गेल। विद्यापति सेवा संस्थान दरभंगाक परिसर मे अमैस कार्यसमितिक एहि सभाक अध्यक्षता संस्थान अध्यक्ष वयोवृद्ध मैथिली साहित्यसेवी पं. चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’ केर अध्यक्षता मे सम्पन्न भेल। एहि सभा मे प्रेस सँ जुड़ल विभिन्न संचारकर्मीक संग-संग संस्थानक पदाधिकारी लोकनि सेहो सहभागी छलाह।

अमैस कार्यसमितिक प्रधान महासचिव डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ जनौलनि जे विश्व पटल पर सम्मानित अन्तर्राष्ट्रीय व्यक्तित्व, देशक गौरवमय पूर्व प्रधानमंत्री, विशिष्ट कवि ओ साहित्यकार, अद्भुत वक्ताक संग कर्मठ-ईमानदार देशप्रेमी नेताक अलावे सजग स्रष्टा ओ द्रष्टा – एक शब्द मे कहल जाय तँ मैथिली भाषा केँ संवैधानिक मान्यता दियौनिहार महान कीर्ति-पुरुष अटल बिहारी वाजपेयीक जन्म दिवस पर अशेष शुभकामनाक संग हुनक दीर्घायू होयब आ सुस्वास्थ्यक लेल ईश्वर सँ प्रार्थना कयल गेल। जहिना हिनकर योगदान मैथिलीभाषीक नजरि मे अमरत्व प्राप्त कयने अछि, तहिना ओ सदा अपन जीवन आ तेकर उपरान्तो अमरत्व ग्रहण कयने रहय से सदिच्छा राखल गेल एहि सभा मे। माननीय वाजपेयीजी प्रति हमरा लोकनि सदैव कृतज्ञ रहब, युगों-युगों धरि।

हालहि संपन्न २२-२३ दिसम्बर २०१७ केर राजविराज मे सम्पन्न द्विदिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक संबंध मे २७ दिसम्बर केँ प्रेस सभाक लेल सेहो संचारकर्मी ओ अभियानी लोकनि केँ विशेष सहभागिता लेल आमंत्रित कयल गेल अछि। बैजू कहलनि जे ई सम्मेलन अभुतपूर्व इतिहास रचलक अछि, सहभागिता सँ लैत कार्यक्रमक प्रस्तुति, विषय पर विचार गोष्ठी आ शोभायात्रा, कलाकार लोकनिक सांस्कृतिक प्रस्तुति – ई सब अपना आप मे पहिल बेर खुलल हृदय आ सुगठित स्वरूप मे भेल जेकर असर बहुत दूरगामी होयबाक अपेक्षा कयल जा रहल अछि। एहि सभा मे पंडित कमलाकान्त झा, डा. बुचरू पासवान, चन्द्रशेखर झा ‘बूढाभाइ’, प्रो. जीवकान्त मिश्र, विनोद कुमार झा, महानन्द ठाकुर, प्रमोदशरण साह, आदि सेहो सहभागी रहैथ। एहि सभाक संयोजन मीडिया प्रभारी चन्द्रशेखर झा बूढाभाइ कयने रहथि।

Related Articles