श्रीचन्द कामत, नई दिल्ली। दिसम्बर २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
दोसर “अटल मिथिला सम्मान-२०१७” दिल्ली मे सम्पन भेल

एहि सुंदर आयोजनक लेल हिन्द पोस्ट मीडियाक संचालक प्रदीप झा एवम् पंकज झा सहित समस्त कार्यकर्ता केँ भव्य समारोहक संग अति-सम्माननीय राष्ट्रीय नेता अटलजीक नामक संग मिथिला केँ विश्व पटल पर प्रसार करबाक लेल उपस्थित जनसमूह तथा विशिष्ट अतिथि लोकनि भरपूर बधाई दैत धन्यवाद सेहो कयलनि।
जनतब भेटय जे एहि वर्षक अटल मिथिला सम्मान समारोह मे पार्श्वगायक उदित नारायण झा, सूफी गायक हंसराज हंस, केंद्रीय वित्त मंत्री अरुण जेटली, झंझारपुर सँ सांसद वीरेंद्र चौधरी, भाजपाक वरिष्ठ नेता एवम् राज्यसभा सांसद प्रभात झा, मधुबनीक जिलाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक, जदयू नेता आ बिहार सरकार मे उच्च दखल रखनिहार संजय झा, मैथिली सर्जक एवं मणि-श्रृंखलाक प्रसिद्ध लेखकक संग आकाशवाणी दरभंगाक संचारकर्मी मणिकांत झा, मैथिली-अंगिकाक प्रसिद्ध गायक छैला बिहारी, बिहार सरकार केर कैबिनेट मंत्री विनोद नारायण झा, दिल्ली सँ पूर्व सांसद तथा काँग्रेस पार्टीक वरिष्ठ नेता महाबल मिश्रा आदि गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह ।
वर्ष २०१७ केर अटल मिथिला सम्मान मैथिली विषय राखि पहिल आइएएस बनल व्यक्तित्व अनुज कुमार झा, पुर्णिया जिलाक चर्चित जिलाधीश प्रदीप झा, मधुबनीक जिलाक चर्चित जिलाधीश शीर्षत कपिल अशोक, मैथिली साहित्यकार कुमकुम झा, प्रसिद्ध गायकपुत्र तथा स्वयं उभरैत गायक आदित्य नारायण तथा नीलम कैसेट्स कंपनीक संस्थापक तथा मैथिली भाषाक प्राचीनतम सँ नवीनतम गीतक संकलन करबाक अपूर्व योगदान कयनिहार कृष्ण कुमार चौधरी, प्रसिद्ध मैथिलानी नृत्यांगना शोभना झा आदि केँ देल गेल अछि।
मंच संचालन आशा प्रदीप झा तथा मैथिलीक चर्चित उद्घोषक किसलय कृष्ण कयलनि, ओत्तहि प्रदीप झा स्वयं समस्त अतिथि ओ सहभागी लोकनिक विशेष ध्यान रखैत कार्यक्रम मे पूर्ण स्फूर्तिक संग सक्रिय व्यवस्थापन करैत देखेलाह । अतिथि सभक स्वागतक संग-संग कार्यक्रमक सम्पूर्ण प्रारूप पर ध्यान रखबाक अपन चिर-परिचित अन्दाज मे बीच-बीच मे गायक सभक कार्यक्रमक फोटो सेहो उतारैत प्रदीप झा अपन लोकप्रिय मुस्कानक संग एहि आयोजन केँ सफल कयलनि।
कार्यक्रम केर अन्य संयोजक दीपक झा आर हिन्द पोस्ट मिडियाक तमाम सदस्य लोकनिक आभार मिथिला संसार व्यक्त करैत रहत, कारण अटल मिथिला सम्मान नहि मात्र मैथिल सर्जक केँ बल्कि अन्य देशवासी केँ सेहो देल जाएछ आर एहि सँ सम्माननीय नेताक नामक संग मिथिलाक नाम सेहो आगू बढैत अछि – श्रोता-सहभागी मैथिल अभियानी लोकनि अपन प्रतिक्रिया दैत ई भावना रखलैन।
सम्पूर्ण प्रस्तुति पूर्णरूपेण व्यवस्थित आ समय सारिणी मे बान्हल छल। दिल्ली एनसीआर मे रहि रहला लाखों मैथिलीभाषी द्वारा अपनहि मातृभाषाक संग मौलिक मिथिला संस्कृति केर संरक्षण-संवर्धन-प्रवर्धन हेतु संजीवनी जेकाँ काज करय ई कार्यक्रम – हमरा सभक यैह प्रयास हेबाक चाही – आयोजक अपन भावना रखैत कहलैन।
एहि कार्यक्रमक मुख्य अतिथि भारतीय वित्त मंत्री अरुण जेटली द्वारा वयोवृद्ध नेता – देश मे सभक प्रिय नेता सम्माननीय अटल बिहारी वाजपेयीक मिथिला प्रेम केँ ई सम्मान युगों-युगों तक आगू बढायत आर एहि तरहक आयोजन सँ भारतक अति-प्राचीन सभ्यता मिथिलाक सेहो दूर-दूर धरि प्रचार-प्रसार होयत से विश्वास जतौलनि।
वरिष्ठ नेता प्रभात झा सेहो मैथिली प्रति वयोवृद्ध नेता तथा पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयीजीक विशेष अनुराग होयबाक, संगहि मिथिला क्षेत्रक विकास लेल सेहो हुनक प्रतिबद्धताक विभिन्न अविस्मरणीय उदाहरण सब रखैत मैथिल जनमानस हुनका प्रति सदैव कृतज्ञ रहबाक बात कहलैन। अटलजी कुन तरहें मैथिली केँ संविधानक अष्टम अनुसूची मे राखि सम्मान देलाह तेकर खास चर्चा करैत नेता झा कहलैन जे मिथिला सँ हिनकर प्रेम प्रगाढ़ छलनि। अटलजी अपन नामहि जेकाँ अपन बात पर अटल रहैत छलाह तें ओ सर्वप्रिय नेता कहल जाएत छथि। देश के नव निर्माण में अटलजीक योगदान सराहनीय अछि। नेता झा हिन्द पोस्ट मीडिया केर एहि आयोजन प्रति आभार प्रकट करैत कहलाह जे अटलजीक जीवनकाल मे एहि तरहक प्रयास देशहि मे पहिल थिक, एहि लेल आयोजक केँ जतेक धन्यवाद कयल जाय ओ कम्मे होयत।
कार्यक्रमक अंत मे सुप्रसिद्ध गायक उदित नारायण अपन पुत्र आ उभरैत गायक आदित्य नारायण संग किछु प्रस्तुति सब रखलैन जाहि मे “अकेले हम, अकेले तुम … ओ आइ लव यू डैडी”क गीत सब केँ भावुक बना देलक। प्रसिद्ध सूफी गायक हंसराज द्वारा सेहो बेजोड़ गायकी सब प्रस्तुत कयल गेल।