Search

प्रवीण नारायण चौधरी

के छलाह महर्षि दधीचि – कियैक अमर भेल हिनक नाम

हिन्दू दर्शनक एक अविस्मरणीय पात्रः महर्षि दधीचि – अनुवादः प्रवीण नारायण चौधरी (मूल – भारतकोश) दधीचि प्राचीन काल केर परम तपस्वी और ख्यातिप्राप्त महर्षि छलाह। हुनकर पत्नीक नाम ‘गभस्तिनी’ छलनि। महर्षि दधीचि वेद शास्त्र आदिक पूर्ण ज्ञाता और स्वभाव सँ बहुते दयालु छलाह। अहंकार तऽ हुनका छूबियो नहि पबैत छल। ओ सदिखन दोसरेक हित करब अपन के छलाह महर्षि दधीचि – कियैक अमर भेल हिनक नाम

मैथिली दधीचि बाबू साहेब चौधरीक जन्म शताब्दी वर्ष पर विशेष

व्यक्तित्व परिचयः मैथिली दधीचि बाबू साहेब चौधरी – प्रो. उदय शंकर मिश्र, लहेरियासराय मैथिली दधीचि बाबू साहेब चौधरी केर जन्म 1916 मे दूलारपूर गाम दरिभंगा मे भेल छन्हि । हिनक कर्मक्षेत्र कलकत्ता रहलनि । जतय ई ट्राम मे टाइमकीपर केर पद पर कार्यरत छलाह । 1940 केर आसपास हिनका स्व. हरिश्चंद्र मिश्र मिथिलेन्दू संग भेंट भेलनि मैथिली दधीचि बाबू साहेब चौधरीक जन्म शताब्दी वर्ष पर विशेष

मिथिलाक पाबैन चौरचन – ४ सितम्बर आ कि ५ सितम्बर?

वार्ताः साभार ‘हम सब मिथिलावासी’ फेसबुक ग्रुप सुधानन्द झाः नमस्कार जय मिथिला! चौठचन्द्र पावैन कहिया? ठोस प्रमाण संग उत्तर देल जाउ। मिथिला में चौरनक लेल विवाद चलि रहल अछि। 4 तारीख या 5 तारीख। समाधान आवश्यक। ऊहापोह मिथिलाक लेल खेदक गप। संभव हुअय त अपन गामक नाम संग उत्तर देल जाउ। XmarTy RaZza 4 k Like मिथिलाक पाबैन चौरचन – ४ सितम्बर आ कि ५ सितम्बर?

बिहार मानि लेने अछिः मिथिला आइ न काल्हि अलग हेब्बे करत

विचार – राम बाबु सिंह, मधेपुर (कलुआही) – हाल दिल्ली सँ मिथिला एक समृद्धशाली क्षेत्र, संगहि पावन तपोभूमि केर रूप मे चर्चित आर अदौकाल सँ पृथ्वीलोक व देवलोक दुनु ठाम अपन योगदान सँ चर्चा मे स्थापित देश रहल अछि। जानकीक मिथिला विदेहराज जनकक गौरवशाली इतिहास थिक जकर साक्ष्य पौराणिक ग्रन्थ में उद्धृत अछि। जाहि मिथिलाक बिहार मानि लेने अछिः मिथिला आइ न काल्हि अलग हेब्बे करत

विश्व उत्कृष्ट बौद्धिक समाज ‘मैथिल ब्राह्मण’ केर सबसँ पैघ चुनौती

विचारः सन्दर्भ मैथिल ब्राह्मणक सोझाँ चुनौती – प्रवीण नारायण चौधरी संसारक सब सँ विलक्षण, अनुपम आ कठोर वैवाहिक प्रक्रिया मैथिल ब्राह्मण समुदायक होएछ। निमि-मिथि-जनक केर मिथिलाक एक उत्कृष्ट समुदाय मैथिल ब्राह्मण लेल वर्तमान युग मे सबसँ पैघ चुनौती वैवाहिक परंपराक निर्वहन देखाएत अछि। जाहि समुदायक विवाह सँ पूर्व अत्यन्त कठोर जाँच सँ अधिकार निर्णयक प्रक्रियाक विश्व उत्कृष्ट बौद्धिक समाज ‘मैथिल ब्राह्मण’ केर सबसँ पैघ चुनौती

सलहेस आ दीनाभद्री केँ राष्ट्रीय विभूति घोषित करू

काठमांडु, अगस्त ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपालक राजधानी काठमांडु सँ प्रारम्भ भेल हस्ताक्षर अभियान भोर संस्थाक अध्यक्ष राजकुमार महतो जानकारी दैत कहलैन अछि जे मिथिलाक आदिमानव आ वीर पुरुष राजा सलहेस आ दीनाभद्री केँ नेपालक राष्ट्रीय विभूति घोषित करेबाक मांग पर काठमांडुक सब सँ बेसी भीड़भाड़वला क्षेत्र आ नेपालक संविधानसभा भवनक सामनेक चौक – नयां सलहेस आ दीनाभद्री केँ राष्ट्रीय विभूति घोषित करू

कोलकाताक अकास तर बैसकी मे मैथिली पोथीक विमोचन

चंदनकुमार झा, कोलकाता, अगस्त ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! वर्ष २०१६ केर छठम ‘अकासतर बैसकी’क कोलकाताक डलहौजीमे भेल। अनुकूल वातावरणक अभाव ओ पार्कक अव्यवस्थाक कारणे बैसकी पूर्वनिर्धारति आयोजन स्थल- शहीद मीनार पार्क’मे नहि सम्भव भऽ सकल। युवा साहित्यकार डॉ. अनमोल झाजीक अध्यक्षतामे आयोजित एहि बैसकीमे आमोद झा, राजीवरंजन मिश्र, भाष्कर झा, विजय इस्सर, रूपेश त्योंथ आ कोलकाताक अकास तर बैसकी मे मैथिली पोथीक विमोचन

ललन दरभंगावालाक किडनी प्रत्यारोपण नवम्बर मे

प्रकाश कमती, मुम्बई। अगस्त ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मुम्बई मे सक्रिय मैथिली-मिथिला अभियानी ललन दरभंगावाला केर स्वास्थ्य स्थिति एखनहु चिन्ताजनक बनल अछि, संगहि चिकित्सक द्वारा नवम्बर महीना मे किडनी प्रत्यारोपण करबाक समय देल गेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद पर पहिनहि प्रकाशित समाचार सँ ललनजीक किडनी रोगक जानकारी देल गेल छल, पुनः संछेप मेः ललनजी पछिला ४-५ माससँ ललन दरभंगावालाक किडनी प्रत्यारोपण नवम्बर मे

सम्पर्क-समन्वय सँ संगठन आ संगठन सँ राज्यः लक्ष्मी ना. मेहता

फारबिसगंज, अगस्त २९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा विभिन्न जिला मे संचालित सम्पर्क अभियान सुरसंड (सीतामढी) सँ होएत मुजफ्फरपुर, समस्तीपुर, बेगुसराय, दरभंगा, मधुबनी, सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, फारबिसगंज, अररिया, पुर्णिया ओ कटिहार धरिक यात्रा पैछला ६ अगस्त सँ २८ अगस्त धरि मे निरंतरता मे राखि सकल अछि – ई जानकारी सम्पर्क अभियानक नायक सम्पर्क-समन्वय सँ संगठन आ संगठन सँ राज्यः लक्ष्मी ना. मेहता

बुटवल मे मैथिल विद्यार्थी समाज केर गठन संपन्न

मुखीलाल चौधरी, अध्यक्ष, मैथिल समाज नेपाल बुटवल सँ साभारः आजुक दिनाड़्क 2073/05/11 गते शनिदिन सेन्ट जोसेफ कलेज, भलवारी में मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही, बुटवलक अध्यक्ष श्रीमुखीलाल चौधरीक अध्यक्षता में चारिटा कलेज कृर्षि क्याम्पस पक्लीहवा, युनीभर्सल मेडिकल कलेज पक्लीहवा, लुम्बिनी इन्जिनियरिड़्ग कलेज भलवारी तथा लुम्बिनी मेडिकल कलेज प्रभास, पाल्पाक बिद्यार्थी सभहक भेल भेला में दुनु समाज बुटवल मे मैथिल विद्यार्थी समाज केर गठन संपन्न