सलहेस आ दीनाभद्री केँ राष्ट्रीय विभूति घोषित करू

काठमांडु, अगस्त ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपालक राजधानी काठमांडु सँ प्रारम्भ भेल हस्ताक्षर अभियान

raja salahesh signatureभोर संस्थाक अध्यक्ष राजकुमार महतो जानकारी दैत कहलैन अछि जे मिथिलाक आदिमानव आ वीर पुरुष राजा सलहेस आ दीनाभद्री केँ नेपालक राष्ट्रीय विभूति घोषित करेबाक मांग पर काठमांडुक सब सँ बेसी भीड़भाड़वला क्षेत्र आ नेपालक संविधानसभा भवनक सामनेक चौक – नयां बानेश्वर चौक पर हस्ताक्षर संकलन कैल गेल अछि।

महतो कहलैन जे नेपाल मे २५० वर्षक एकल भाषा एकल देश एक नरेश केर नीतिक कारण नेपालक अभिन्न अंग मिथिला सहित अन्यान्य क्षेत्रक विभिन्न विभूति लोकनि केँ राष्ट्र स्मृति मे नहि राखि सकल अछि। परन्तु आब समय आबि गेल अछि जे संघीय नेपाल मे ओहि बिसरल महान विभूति सबकेँ राष्ट्रीय विभूति मे मान्यता दैत बहुभाषा-बहुसंस्कृति-बहुपहिचानक मर्म केँ चिरकाल लेल स्थापित कैल जाय। एहि क्रम मे मिथिला मे बहुचर्चित लोकरक्षक राजा सलहेस आ दीनाभद्री समान वीर पुरुष जिनक कार्यक्षेत्र वर्तमान नेपाल केर सीमा भितर पड़ैत अछि हुनका सबकेँ राष्ट्रीय विभूतिक रूप मे नेपाल सरकार मान्यता प्रदान करय। एहि पर आम समर्थन जुटेबाक लेल हस्ताक्षर अभियान आरम्भ कैल गेल अछि।

भोर तथा मिथिला पर्यटन अभियानक संयोजन एवं सहजीकरणमे ई अभियान भाद्र १२, २०७३ केर दिन नयां बानेश्वर चौक, काठमांडु सँ हस्ताक्षर संकलनक शुभारम्भ भेल अछि । पहिल दिन तीन हजार सर्वसाधारण हस्ताक्षर केलनि अछि ।

भोर, अभियानी तथा अनुसन्धानमुलक परोपकारी संस्था द्वारा सन् २००९ सँ मुसहर समुदायक समग्र उत्थान तथा मिथिलाक बहुआयामी संस्कृति तथा सम्पदाक संरक्षण तथा प्रवर्धन हेतु मिथिला पर्यटन स्थापित कैल गेल अछि। एहि कार्य मे स्वयंसेवी वीर वहादुर महतो, देवेन्द्र राज सिंह, डा. सिके सिंह, नागेन्द्र साह, धिरेन्द्र नाथ, विजय महतो, विकेश मल्ल, सुमन घले, विष्णु तिमल्सिना, पुष्पा यादव, राम सुधार यादव, प्रदिप रिषिदेव, सागर माझी, अमितेष शाह, सहित अन्य २५ गोटे महत्वपूर्ण योगदान देलनि अछि । ई अभियान चेन्ज डट ओआरजी मार्फत अनलाइन सेहो चलि रहल अछि।

देश-विदेश मे रहनिहार नेपाली तथा विदेशी नागरिक द्वारा हस्ताक्षर संभव भऽ सकय ताहि लेल अनलाइन हस्ताक्षरक व्यवस्था कैल गेल अछि । बाद मे ई सब हस्ताक्षर सहितक प्रतिवेदन नेपाल सरकार केँ हस्तान्तरित कैल जायत, विज्ञप्ति मे कहल गेल अछि।