Search

प्रवीण नारायण चौधरी

विरार मुम्बई मे २५ दिसम्बर केँ होयत भव्य विद्यापति स्मृति समारोहः संयोजक धनंजय झा

मिथिलांचल सांस्कृतिक समाज सेवा ट्रस्ट केर तरफ सँ प्रेस विज्ञप्ति   स्थानः विरार, मुम्बई (महाराष्ट्र) । दिनांकः २ दिसम्बर, २०१७ ।   प्रिय मैथिली संचारकर्मी,   अपने लोकनि केँ जानकारी करबैत हर्ष भऽ रहल अछि जे ‘मिथिलांचल सांस्कृतिक समाज सेवा ट्रस्ट, विरार’ केर तत्वावधान मे आगामी २५ दिसम्बर अपराह्न २ बजे सँ मिथिलाक जन-गण-मन मे विरार मुम्बई मे २५ दिसम्बर केँ होयत भव्य विद्यापति स्मृति समारोहः संयोजक धनंजय झा

मधुबनी मे किरण जयन्ती दिवस पर जुटलाह साहित्यकार लोकनिक समाज

मधुबनी, २ दिसम्बर, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली साहित्यिक सांस्कृतिक समितिक संयोजक एवम् मैथिली सर्जक (कवि) दिलीप झा फेसबुक मार्फत जनतब दैत कहलनि अछि जे मधुबनी मे मैथिली साहित्यिक सांस्कृतिक समितिक तत्वावधान मे किरण जयन्ती ‘जानकी पुस्तक केन्द्र ‘ मे मनाओल गेल। एहि अवसर पर आयोजित संगोष्ठीक अध्यक्षता प्रो. प्रीतम कुमार निषाद कयलनि। मुख्य अतिथि डा. योगानन्द झा मधुबनी मे किरण जयन्ती दिवस पर जुटलाह साहित्यकार लोकनिक समाज

किरणजीक जयन्ती-दिवस पर एक महत्वपूर्ण विचार – प्रेरणा सँ भरल प्रणेताक भावना

परिचय एक महत्वपूर्ण संस्थाकः प्रेरणास्रोत मैथिलीक वरिष्ठ सर्जक लोकनि – उदयचन्द्र झा ‘विनोद’ मैथिल समाज, रहिका बिहारक मधुबनी जिलाक एक महत्वपूर्ण संस्था थिक जे आइ पैंतालिस वर्ष सँ अव्याहतरूपेण भाषा साहित्यक विकासात्मक अभियान मे अपन यत्किंचित योगदान दैत आयल अछि। ई एही संस्थाक प्रताप थिक जकर तत्वावधान मे गत पचहत्तरि इसबीक आपातकाल मे धरती पर किरणजीक जयन्ती-दिवस पर एक महत्वपूर्ण विचार – प्रेरणा सँ भरल प्रणेताक भावना

दहेज मुक्त विवाह केँ प्रोत्साहन लेल सम्मान पत्रक संग यशगानः दहेज मुक्त मिथिलाक अभियान

पोखराम, दरभंगा। दिसम्बर १, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद। काल्हि ३० नवम्बर, २०१७ केँ दरभंगा जिलाक पोखराम गाम मे सीधे वैवाहिक स्थल पर पहुँचि दहेज मुक्त विवाह कयनिहार दूल्हा, हुनक परिवार तथा कन्याक परिवार संग सम्पूर्ण बरियाती लोकनिक सम्मान कार्यक्रम दहेज मुक्त मिथिलाक दरभंगा संयोजक मनोज शर्माक अगुवाई मे कयल गेल। एहि अवसर पर दहेज मुक्त मिथिलाक दहेज मुक्त विवाह केँ प्रोत्साहन लेल सम्मान पत्रक संग यशगानः दहेज मुक्त मिथिलाक अभियान

नेपाल मे प्रदेश सभा आ प्रतिनिधि सभाक चुनाव मे आब मात्र ७ दिन

संपादकीय नवम्बर ३०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! नेपाल मे चुनावक आब सिर्फ ७ दिन बाकी   नेपाल मे प्रतिनिधि सभा तथा प्रदेश सभाक चुनाव सोझाँ अछि, ३२ गोट जिला मे मंसीर १ गते यानि नवम्बर २६ तारीख केँ सम्पन्न भऽ चुकल अछि आर आब ४५ गोट शेष जिला मे मंसीर २१ गते यानि दिसम्बर ७ तारीख नेपाल मे प्रदेश सभा आ प्रतिनिधि सभाक चुनाव मे आब मात्र ७ दिन

नेपाली भाषाक चर्चित फिल्म राज्जा रानी मैथिली भाषा मे सेहो प्रदर्शित कयल जायत

राज कुमार महतो, काठमांडु। नवम्बर २९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! दहेज प्रथाक पीड़ा देखबैत बनायल गेल एक नेपाली भाषाक फिल्म ‘राज्जा रानी’ आब मैथिली भाषा मे सेहो उपलब्ध होयत। २० लाखक सम्झौता मे नेपाल, भारत सहित अन्य विदेशी मुलुक सब मे सेहो प्रदर्शन होयत आगामी पुष २१ गते केँ। प्रोमो तथा गीतक कारण चर्चा मे रहल एहि फिल्मक प्रतीक्षा बहुतो दर्शक नेपाली भाषाक चर्चित फिल्म राज्जा रानी मैथिली भाषा मे सेहो प्रदर्शित कयल जायत

कोलकाता मे डा. अशर्फी झा स्मृति सम्मान सर्जक लक्ष्मण झा सागर केँ समारोहपूर्वक देल गेलनि

कोलकाता सँ राम बाबू सिंह – मैथिली जिन्दाबाद लेल नवम्बर २७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! डॉ० अमरेश रिसर्च वेलफेयर एजुकेशन फाउंडेसन, कोलकत्ता द्वारा आयोजित डॉ अशर्फी झा “अमरेश” स्मृति मातृभाषा संवर्धन सम्मान-2016 संगहि कवि गोष्ठीक आयोजन 26 नवम्बर रविदिन बड़ाबाजार लाईब्रेरी (आचार्य विष्णुकान्त शास्त्री सभागार) मे शुभारम्भ कएल गेल। प्रो० डॉ विद्यानन्द झा (आई.आई.एम), कोलकत्ता केर कोलकाता मे डा. अशर्फी झा स्मृति सम्मान सर्जक लक्ष्मण झा सागर केँ समारोहपूर्वक देल गेलनि

जनकपुर मे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन सम्पन्न, भारत आ नेपाल सरकार सँ मांगपत्र जारी

प्रेम विदेह ‘ललन’, जनकपुर, नवम्बर २७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!! अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद्क आयोजनामे काल्हि जनकपुरधाममे उनतिसम अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक आयोजन भेल अछि जाहिमे उद्घाटन आ कवि सम्मेलन सम्पन्न भेल अछि। परिषद्क अध्यक्ष प्रा. डा. कमलकान्त झाक अध्यक्षता आ पूर्व प्रधान न्यायाधीश श्री राम कुमार साहक प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित उद्घाटन सत्रमे पूर्व न्यायाधीश श्री गिरीश चन्द्र जनकपुर मे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन सम्पन्न, भारत आ नेपाल सरकार सँ मांगपत्र जारी

मिथिला समाजक गरीबी-दरिद्रीक एहनो रूपः वृद्ध माय-बाप प्रति असंवेदनशीलता

गरीबी-दरिद्रीक एहनो स्वरूप अपन मिथिला समाज मे   खाली साधनक कमी होयब गरीबी नहि, गोटेक साधनसंपन्न लोक सेहो गरीबी-दरिद्रीक शिकार होएत अछि। एहेन किछु उदाहरण वर्तमान मिथिला मे खूब नीक सँ भेटैत अछि। अछैत अक्खा सम्पत्ति, पुत्र-पुत्री-पौत्रादिक रहैत घर सून्न पड़ल अछि। अपने जबानी मे चरम सुख आ आनन्द भोगलहुँ, धियापुता केँ पढेबाक लेल जमीन-आकाश मिथिला समाजक गरीबी-दरिद्रीक एहनो रूपः वृद्ध माय-बाप प्रति असंवेदनशीलता

आपत्ति कोना दूर करबः शक्ति साधना

स्वाध्याय – प्रवीण नारायण चौधरी भगवतीक स्मृति मे आइ आशीष मांगि एक दृष्टान्त अपन पाठक सब लेल राखबाक अनुमति भेटल अछि। भगवतीक उत्तरचरित्र जे महासरस्वतीक प्रसन्नता लेल हमरा लोकनि दुर्गा सप्तशतीक पाठ करैत छी – जाहि मे ई उल्लेख कयल गेल अछि जे शुम्भ-निशुम्भ असुर अपन बलक घमंड मे शचीपति इन्द्रक हाथ सँ तिनू लोकक आपत्ति कोना दूर करबः शक्ति साधना