Search

जनकपुर मे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन सम्पन्न, भारत आ नेपाल सरकार सँ मांगपत्र जारी

प्रेम विदेह ‘ललन’, जनकपुर, नवम्बर २७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद्क आयोजनामे काल्हि जनकपुरधाममे उनतिसम अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक आयोजन भेल अछि जाहिमे उद्घाटन आ कवि सम्मेलन सम्पन्न भेल अछि।

परिषद्क अध्यक्ष प्रा. डा. कमलकान्त झाक अध्यक्षता आ पूर्व प्रधान न्यायाधीश श्री राम कुमार साहक प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित उद्घाटन सत्रमे पूर्व न्यायाधीश श्री गिरीश चन्द्र लाल, वरिष्ठ साहित्यकार राम भरोस कापड़ि भ्रमर, डा.रेवती रमण लाल, डा.आशा सिन्हा, भाषाविद् डा. रामावतार यादव, परिषदक झारखंड अध्यक्ष अमिरीनाथ झा अमर, पूर्व सांसद महेंद्र कुमार मिश्र, प्रसिद्ध साहित्यकार डा. सुरेंद्र लाभ, अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् नेपाल केर अध्यक्ष करूणा झा, साहित्यकार तथा राजनीतिक चिन्तक रोशन जनकपुरी, हिमांशु चौधरी सहित सयौं मैथिली भाषा अनुरागी, कवि, साहित्यकार सभक सहभागिता रहल छल।

परिषदक उपाध्यक्ष आ सम्मेलनक संयोजक श्री राजेश्वर नेपालीक संयोजनमे भेल समारोहक संचालन लेखक आ राजनीतिज्ञ राम रिझन यादव कएने छलाह। गोसाउनि गीत पूनम झा मैथिली गओने छलीह। मिथिला वर्णन गीत हेल्लो मिथिला सांगीतिक समूहक संस्थापक-संचालक नवीन मिश्र गओने छलाह।

सम्मान समितिक संयोजक उपेन्द्र भगतद्वारा मैथिली भाषा, साहित्य, कला, संस्कृति क्षेत्र मे योगदान देनिहार बारह गोट प्रतिभासम्पन्न सर्जकक नाम घोषणा कएलन्हि। हिनका सब केँ प्रमुख अतिथिक हाथ सँ सम्मानपत्र प्रदान करैत सम्मानित कएल गेल छल। एहि सम्मानक क्रम मे भाषा-साहित्यक सेवा हेतु प्रेम विदेह ललन केँ सेहो सम्मानित कयल गेल छल। जनकपुरमे आयोजित 29म अन्तरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनमे एहिबेर मैथिली अभियानीक रूप मे राम रिझन यादव केँ सम्मानित कएल गेलन्हि।

एहि सम्मेलन सँ चारि गोट मैथिली पोथीक विमोचन सेहो कएल गेल छल। कवि प्रेम विदेहक संयोजन आ संचालन मे भेल कवि सम्मेलनमे बिहारक माँजल कवि नारायण यादव, राम विलास साहु, नन्द विलास राय, सदरे आलम गौहर, डा.गुलाम रसूल आ जनकपुरक स्थापित कवि राम स्वार्थ गांधी, नरेश ठाकुर, रामचंद्र मल्लिक, राम भरत साह, मनोज प्रेमेश सहित ३२ कविसभक कविता वाचन भेल छल।

तदोपरान्त मंचासीन विद्वत् लोकनि मैथिली भाषाक स्थिति – एकर भविष्य आ दुनू राष्ट्र मे राज्य द्वारा एहि भाषा-साहित्यक संग एहिठामक आम जनमानस प्रति कतेक सकारात्मक सोच अछि ताहि विन्दुपर केन्द्रित विचार सब राखल गेल। दोसर दिन फेरो सम्मेलन मे सहभागी दुनू कातक अभियानी लोकनि एहि सम्मेलनक उपलब्धि पर चर्चा करैत सिर्फ गोष्ठी आ चर्चा धरि ई सीमित नहि रहय, ताहि लेल दुनू देशक सरकार समक्ष एकटा मांग पत्र राखैत मांग कयल गेल जे मैथिली मे पढौनीक गारंटी कयल जाय। 

सभाध्धयक्ष कमलकान्त झा जनतब देलनि जे २५ नवम्बर दू बजे अपराह्नमे मारवाड़ी सेवा समितिक अतिथि सदन सभाभवनमे उन्तीसम अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन सम्पन्न भेल। जनकपुरधामक सम्मेलनमे प्रस्ताव पारितकय भारत सरकार सँ निवेदन कयल गेल जे जयनगर बर्दीबास रेललाइन केँ शीघ्र चालू कयल जाय। संगहि बर्दीवास सँ काठमांडू धरि एहि रेल लाइनक विस्तार देबाक काज सेहो कयल जाय। तहिना पुनौराधाम सँ जनकपुरधाम धरि तथा पिपरौन एन एच सं जनकपुरधाम धरि फोर लेन सडक बनेबाक मांग सहितक मांगपत्र भारत सरकार केँ देल जेबाक निर्णय भेल। दूनू देशक सरकार स्कूल कालेज मे मैथिलीक शिक्षक बहालकय पढाइ सुनिश्चित करबाक मांग सेहो राखल गेल।

Related Articles