Search

प्रवीण नारायण चौधरी

मिथिला सब बात मे आगू, उद्यमिता मे कियैक पाछू – एनएसआइसी निदेशक प्रभात झाक प्रेरणास्पद विचार

६ फरबरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी – अहमदाबाद केर अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सव सँ वापस आबिकय अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सव – उद्यमी शिखर सम्मेलन मे प्रभात कुमार झा केर गरिमामयी संबोधन   भारतक प्रसिद्ध नगर अहमदाबाद मे आयोजित अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सव ३ फरवरी रवि दिन स्थानीय जीएमडीसी सभागार मे सम्पन्न भेल। मिथिला सब बात मे आगू, उद्यमिता मे कियैक पाछू – एनएसआइसी निदेशक प्रभात झाक प्रेरणास्पद विचार

अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सव अहमदाबाद आ मिथिलाक आर्थिक प्रगतिक परिकल्पना

अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सव – अहमदाबाद   मिथिला अति प्राचीनकाल सँ समृद्ध सभ्यता रहल एहि बातक परिचय वर्तमान पीढीक दूरदृष्टिसंपन्न सन्तति केर सोच-विचार आ कर्मठता-प्रतिबद्धता सँ सेहो स्पष्ट रूप सँ झलकैत अछि। विभिन्न राजनीतिक गतिरोध मे जकड़ल मिथिलाक वर्तमान मे अगड़ा-पिछड़ा बीच मोट लकीर तानब तथा क्षेत्र मे अगबे सत्ताक खेल-वेल मे जनता केँ जातिवाद आदि अन्तर्राष्ट्रीय मिथिला महोत्सव अहमदाबाद आ मिथिलाक आर्थिक प्रगतिक परिकल्पना

भारत मे भ्रष्टाचारक स्थिति मे तेजी सँ सुधार भऽ रहल अछि

जनवरी ३०, २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! आजुक समाचार मे भारत मे घटि रहल भ्रष्टाचार प्रमुख विषय बनि गेल अछि। विभिन्न मीडिया पर प्रकाशित समाचार अनुरूप भारतक स्थान ८१वाँ भ्रष्ट देश सँ आब ७८वाँ भ्रष्ट देश मे सूचीकृत कयल गेल अछि। भ्रष्ट देश सभक सूची मे भारतक रैंकिंग मे सुधार भेल अछि! ई समाचार आइ भारतीय मीडिया मे भारत मे भ्रष्टाचारक स्थिति मे तेजी सँ सुधार भऽ रहल अछि

अष्टावक्र संहिता – तेसर अध्याय – आत्मज्ञान केर परीक्षा

स्वाध्याय – प्रवीण नारायण चौधरी अष्टावक्र संहिता – तृतीय अध्याय   आत्मज्ञान केर परीक्षा   प्रिय पाठक लोकनि! अष्टावक्र संहिताक दुइ अध्याय समाप्त भऽ गेल। पहिल मे अष्टावक्र द्वारा स्वयं केर पहिचान यथार्थ रूप सँ, तत्त्व रूप सँ कोना कयल जाय आर सांसारिक अस्तित्व केँ स्वयं सँ कोना जोड़ल जाय ताहि पर परिचिति देल गेल अष्टावक्र संहिता – तेसर अध्याय – आत्मज्ञान केर परीक्षा

मैथिल – पुराण वर्णित पहिचान

लेख – प्रवीण नारायण चौधरी मैथिल (पौराणिक पहिचान) शुक्लां ब्रह्मविचारसारपरमामाद्यां जगद्व्यापिनीं वीणापुस्तकधारिणीमभयदां जाड्यान्धकारापहाम्। हस्ते स्फटिकमालिकां विदधतीं पद्मासने संस्थितां वन्दे तां परमेश्वरीं भगवतीं बुद्धिप्रदां शारदाम्॥ मा सरस्वतीक चरणकमल मे बेर-बेर प्रणाम करैत एकटा छोट संस्मरण लिखय लेल चाहब। एहि संस्मरण यात्रा पर पाठक वर्ग केँ आनबाक एकमात्र उद्देश्य यैह अछि जे हमरा लोकनिक उद्गमविन्दु (मातृभूमि) मिथिला मैथिल – पुराण वर्णित पहिचान

मैथिली गीत केर मधुरता मे नक्कल आ फूहड़ताक प्रयोग कि युगक मांग थिकैक?

भक्ति गीत मे सैयाँ-सजनियाँ आ दियर-भाउजक भरमार   ई ट्रेन्ड बाबाधाम केर बाट मे बेसी देखल जाइत छलैक जे बोलबम गीत मे ‘पिया ध’ क’ ध’ क’ करत’ करेज…’, सैंयाँ, भौजो, नन्दो, दियर, पिया के संग सबटा अबैत छल। मिथिलाक लोक बोलबम खूब जाइत अछि। आब ओतय सँ ई गीतक ट्रेन्ड मैथिली गीत-संगीत मे सेहो मैथिली गीत केर मधुरता मे नक्कल आ फूहड़ताक प्रयोग कि युगक मांग थिकैक?

श्रद्धाञ्जलि सुमन अर्पित – महान समाजवादी नेता जार्ज फर्नान्डिस केँ

२९ जनवरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! भारतक एक महान समाजवादी नेता छलाह जार्ज फर्नान्डिस   ८८ वर्षक उमेर मे भारत देशक कतेको रास महत्वपूर्ण मंत्रालय सम्हारनिहार समाजवादी धाराक राजनेता जार्ज फर्नान्डिस आइ भोर अन्तिम साँस लेलनि।   मंगलोर (कर्नाटक) केर मूल निवासी लेकिन राजनीति मे बिहार जेहेन पिछड़ल राज्य केर प्रतिनिधित्व मे ओ सर्वथा आगाँ रहलथि। श्रद्धाञ्जलि सुमन अर्पित – महान समाजवादी नेता जार्ज फर्नान्डिस केँ

सीतामढी – पुनौराधाम – एक पूर्ण तीर्थ जतय सँ कियो खाली हाथ नहि लौटैत अछि

संस्मरण – प्रवीण नारायण चौधरी सीतामढी एक पूर्ण तीर्थ – वरदान भेटब अवश्यम्भावी   आउ, जानकी जन्मभूमि पुनौराधाम मे एक पुष्प चढाबी!   एहि पवित्र स्थान पर अपने लोकनि कतेक गोटे गेल छी से हमरा नहि पता, लेकिन जीवन मे ३ बेर यात्रा आ २ बेर दर्शन लेल ठीक एहि मन्दिर प्रांगण, जानकी जी केर सीतामढी – पुनौराधाम – एक पूर्ण तीर्थ जतय सँ कियो खाली हाथ नहि लौटैत अछि

हनुमानजी द्वारा भगवान् राम केर स्तुति

हनुमत्कृत श्रीरामस्तुति   नमो रामाय हरये विष्णवे प्रभविष्णवे। आदिदेवाय देवाय पुराणाय गदाभृते॥ विष्टरे पुष्पके नित्यं निविष्टाय महात्मने। प्रहृष्टवानरानीकजुष्टपादाम्बुजाय ते॥ निष्पिष्टराक्षसेन्द्राय जगदिष्टविधायिने। नमः सहस्रशिरसे सहस्रचरणाय च॥ सहस्राक्षाय शुद्धाय राघवाय च विष्णवे। भक्तार्तिहारिणे तुभ्यं सीतायाः पतये नमः॥   श्रीहनुमानजी कहलनि –   सबपर शासन करयवला, सर्वव्यापी, श्रीहरिस्वरूप श्रीरामचन्द्रजी केँ नमस्कार अछि। आदिदेव पुराणपुरुष भगवान् गदाधर केँ नमस्कार हनुमानजी द्वारा भगवान् राम केर स्तुति

मैथिलीक बहुप्रतिभावान विभूति ‘श्यामसुन्दर शशि’ केर जन्मदिन पर प्रवीण शुभकामना

बहुप्रतिभासंपन्न श्याम शशि भाइक जन्मदिन पर प्रवीण शुभकामना २६ जनवरी २०१९ । विराटनगर । मैथिली जिन्दाबाद!!   विदिते अछि जे विद्याधन सँ हम समस्त मिथिलावासी अपन सबलता स्थापित करैत छी, पुनः अपनहि बौद्धिक आ सामाजिक योगदान सँ अपन परिवारक संग-संग राज्य-राष्ट्र-मानवता लेल अपन मानव जीवन केँ साकार आ सिद्ध करैत छी – बिल्कुल तहिना जनकक मैथिलीक बहुप्रतिभावान विभूति ‘श्यामसुन्दर शशि’ केर जन्मदिन पर प्रवीण शुभकामना