जनवरी ३०, २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
आजुक समाचार मे भारत मे घटि रहल भ्रष्टाचार प्रमुख विषय बनि गेल अछि। विभिन्न मीडिया पर प्रकाशित समाचार अनुरूप भारतक स्थान ८१वाँ भ्रष्ट देश सँ आब ७८वाँ भ्रष्ट देश मे सूचीकृत कयल गेल अछि।
भ्रष्ट देश सभक सूची मे भारतक रैंकिंग मे सुधार भेल अछि! ई समाचार आइ भारतीय मीडिया मे ट्रेन्ड कय रहल अछि।
साभारः क्लीपर २८

अंतर्राष्ट्रीय गैर सरकारी संगठन ट्रांसपेरेंसी इंटरनेशनल केर रिपोर्ट मुताबिक भ्रष्टाचार केर क्षेत्र मे भारतक स्थिति सुधरल अछि। भारत सँ बेसी रूस, चीन और पाकिस्तान समेत 102 देश मे बेसी भ्रष्टाचार छैक।
सोमालिया दुनियाक सबसँ बेसी भ्रष्ट देश मे शामिल अछि। सूचकांक मे डेनमार्क केँ पहिल रैंक देल गेल छैक। ओकर अंक 88 छैक। मतलब 180 देश मे डेनमार्क मे भ्रष्टाचार सबसँ कम छैक।
डोनाल्ड ट्रंप केर अमेरिका द्वारा चारि बिंदु नीचा खिसकल आर 2011 केर बाद पहिल बेर शीर्ष 20 सबसँ कम भ्रष्ट देश सँ बाहर भऽ गेल अछि, जखन कि हंगरी मे राजनीति निरंकुशता हावी भऽ गेल अछि।