२९ जनवरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
भारतक एक महान समाजवादी नेता छलाह जार्ज फर्नान्डिस
८८ वर्षक उमेर मे भारत देशक कतेको रास महत्वपूर्ण मंत्रालय सम्हारनिहार समाजवादी धाराक राजनेता जार्ज फर्नान्डिस आइ भोर अन्तिम साँस लेलनि।
मंगलोर (कर्नाटक) केर मूल निवासी लेकिन राजनीति मे बिहार जेहेन पिछड़ल राज्य केर प्रतिनिधित्व मे ओ सर्वथा आगाँ रहलथि।
इमरजेन्सी केर प्रखर विरोधीक रूप मे हिनकर चेहरा सुपरिचित भेल। जयप्रकाश नारायण ओ राम मनोहर लोहिया केँ अपन आदर्श मानथि। समता पार्टी केर स्थापना सेहो कयलनि। राज्यसभा सँ भारतीय संसद मे प्रतिनिधित्व करथि। अटल बिहारी वाजपेयी सरकार मे रक्षा मंत्रीक महत्वपूर्ण पद पर १९९९ सँ २००४ धरि कार्य कयलनि। कोफीन कांड मे हिनका पर भ्रष्टाचारक गलत आरोप मढलाक कारण ई इस्तीफा देने छलाह। बाद मे जाँच आयोग द्वारा दोषमुक्त घोषित कयल गेलाह। हिनक जुझारूपन आ आमजन केर हित लेल कतेको प्रकारक राजनीतिक मांग पर अडिग रहबाक गुण केँ पुरान समाजवादी कार्यकर्ता लोकनि काफी प्रशंसा कयल करैत छलाह। पिछला कतेको साल सँ बीमारीक कारण शरीर उठि-बैसि नहि सकबाक कारण सक्रिय राजनीति सँ दूर छलाह।
ईश्वर हिनक पुण्यात्मा केँ चिर शान्ति प्रदान करथि।
ट्रेड युनियन सँ राजनीति मे प्रवेश कयनिहार राजनेता, संचारकर्मी, कृषिकर्मी, राज्यसभाक सदस्य (बिहार सँ), जनता दल केर महत्वपूर्ण सदस्य, समता पार्टी केर संस्थापक, संचार मंत्री, उद्योग मंत्री, रेलवे मंत्री तथा रक्षा मंत्रीक रूप मे भारत सरकार मे पदासीन व्यक्तित्व – जन्म जून ३, १९३० ई, मृत्यु जनवरी २९, २०१९ ई।
तराई मधेश राष्ट्रीय अभियान केर संयोजक एवं नेपालक पूर्व संचारमंत्री जय प्रकाश आनन्द अपन श्रद्धाञ्जली प्रकट करैत कहलनि जे जार्ज फर्नान्डिस नेपालक सेहो पैघ मित्र छलाह। ओ बिशेश्वर प्रसाद कोईरालाक संग पंचायत काल मे कार्य कएने रहथि। संगहि तिब्बतक लोक केर अधिकार लेल सेहो ओ सब दिन ओकालति करैत रहलाह। हुनक आत्मा केँ शान्ति भेटनि।
हरिः हरः!!