Search

प्रवीण नारायण चौधरी

मिथिलाक बेटी भावना कंठ पहिल भारतीय वायुसेनाक महिला युद्ध विमान चालकः युद्ध कोर्स पूरा

२३ मई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! मिथिलावासी लेल गर्व केर खबैर अछि। मिथिलाक बेटी ‘भावना कंठ’ भारतीय वायुसेना केर युद्ध विमान केर महिला चालक दल केर पहिल सदस्य बनि गेलीह अछि जे एहि लेल निर्धारित परीक्षा उत्तीर्ण कय लेलीह। एहि सन्दर्भ मे इंडिया टुडे केर आनलाइन द्वारा निम्न समाचार देल गेल अछिः *भावना कंठ पहिल महिला मिथिलाक बेटी भावना कंठ पहिल भारतीय वायुसेनाक महिला युद्ध विमान चालकः युद्ध कोर्स पूरा

मुम्बई मे रिलीज मैथिली फिल्म दूल्हा चोर एक सप्ताह सँ प्रदर्शन चलि रहल अछि

रवि कुमार मंडल ‘मिथिला’, मुम्बई, २२ मई २०१९ । मैथिली जिन्दाबाद!! भाषा के सम्मान हेबाके चाही, अपन संस्कृति के सेहो बचा के रखनाइ हमर सबहक दावित्य अछि आ अगर ओ बात अपन मातृभाषा मैथिली के करी तऽ ओकर जबाबे नइ – एक बेर किनको स गप्प के सुरुवात होइत अछि त लगैत अछि गप्प करिते मुम्बई मे रिलीज मैथिली फिल्म दूल्हा चोर एक सप्ताह सँ प्रदर्शन चलि रहल अछि

अर्थ उपार्जन लेल स्वरोजगार केर अवसर – बेरोजगारी आ बेकारी सँ मिथिला एना निकैल सकैछ

अर्थ विचार – राजन झा, गुआहाटी (मूलः सहरसा) बेरोजगारी हमर नीति निर्माता लेल हमेशा सँ एकटा पैघ चुनौती रहल. हालहि में अजीम प्रेमजी युनिवर्सिटी केर सेंटर फॉर सशटेनेबल इम्पलायमेंट विभाग द्वारा जारी रिपोर्ट में भारतीय जाँब मार्केट केर डरावना पक्ष के उद्धृत कयल गेल अछि. रिपोर्टक अनुसार, हालाँकि देशक जीडीपी ग्रोथ रेट बढि रहल अछि अर्थ उपार्जन लेल स्वरोजगार केर अवसर – बेरोजगारी आ बेकारी सँ मिथिला एना निकैल सकैछ

एकरा कहैत छैक तरीका – नेतृत्व मे विश्वास रखले सँ देश आ जनताक समृद्धि आ विकास संभव

नेतृत्व मे विश्वास – देशक संग जनताक समृद्धि आ विकास   आइ २२ मई २०१९ – विश्व केर एक महान लोकतांत्रिक राष्ट्र भारत केर आगामी ५ वर्ष केर सरकार केर कार्यकालक लगभग अन्तिम दिन, कारण काल्हि नव सरकार केकर बनत से चुनावी परिणाम घोषित कयल जायत। एहि बीच अनेकों नाटकीय प्रकरण सभ इलेक्ट्रानिक मीडिया, सोशल एकरा कहैत छैक तरीका – नेतृत्व मे विश्वास रखले सँ देश आ जनताक समृद्धि आ विकास संभव

लोकप्रिय पुलिस पदाधिकारी निर्मला कुमारी पर विभागीय कार्रबाई कियैक?

२१ मई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! ईमानदारिता-उदारता-प्रतिबद्धताक पुरस्कार कहीं एहेन हो? बेनीपट्टी मे अपन कार्यकाल मे कतेको रास महत्वपूर्ण सामाजिक कार्य करैत जनता संग पुलिस केर मित्रता केँ नव आयाम देनिहाइर बहुचर्चित आ लोकप्रिय पुलिस पदाधिकारी (डीएसपी) निर्मला कुमारी आइ-काल्हि अनावश्यक तनाव मे रहि रहली अछि। अपन फेसबुक पेज सँ सदिखन सकारात्मक आ सार्थक प्रसंग पर लोकप्रिय पुलिस पदाधिकारी निर्मला कुमारी पर विभागीय कार्रबाई कियैक?

उपनयन-जनेऊ केर महत्व आ मिथिलाक अनुपम संस्कार पद्धति

जनेऊ केर महत्व   ई फोटो साभार फेसबुक सँ लेल अछि। सम्भवतः उपनयन में चरखा कटबाक सूत काटि जनेऊ बनेबाक उपक्रम केर दृश्य देखा रहल य। लेकिन आब ई सब विध-व्यवहार आ शुद्धताक संस्कार हम सब छोड़ि रहल छी। हम सब मशीनक बनल धागा सँ जनेऊ नाम लेल तैयार कयल पहिरतो छी, कतेको लोक सेहो उपनयन-जनेऊ केर महत्व आ मिथिलाक अनुपम संस्कार पद्धति

ओ क्षण जखन श्रीराम एहि धराधाम मे अवतरित भेलाह

आध्यात्म आ मानव जीवन – प्रवीण नारायण चौधरी गृहस्थ जीवन मे सन्तान केर प्राप्तिक सुख सेहो अवर्णनीय अछि। आजुक समय मे बेटा आ बेटी मे कोनो फर्क नहि छैक। तथापि संतान प्राप्ति मे बेटा आ बेटी सभक संतुलन हर गृहस्थक प्राथमिकता मे रहैत छैक। तखन भाग्य सेहो बड पैघ मुद्दा होइत अछि। राजा दशरथ केँ ओ क्षण जखन श्रीराम एहि धराधाम मे अवतरित भेलाह

दरभंगा-मधुबनी शहरी क्षेत्र मे जल-संकटः कारण आ समाधान

सम-सामयिक विषयः जल-संकट – प्रवीण नारायण चौधरी   कहल जाइत छैक तेसर बेर जे विश्वयुद्ध होयत तेकर मूल कारण होयत जल। पीबय लेल जल नहि भेटत आर एहि लेल विवाद एतेक बढि जायत जे विश्वयुद्ध होयबाक संभावना अछि। आब ई कहबी मात्र नहि रहि गेल, ई सत्य मे परिवर्तित होइत देखाय लागल अछि। सेहो कोनो दरभंगा-मधुबनी शहरी क्षेत्र मे जल-संकटः कारण आ समाधान

आउ भेटैत छी अपन भाषा-साहित्यक युवा सर्जक मिथिलेश राय संग

विशिष्ट व्यक्तित्व परिचयः युवा कवि गीतकार मिथिलेश राय कोनो भाषाभाषी समुदाय लेल ओकर समृद्धिक मूल परिचायक होइत छैक साहित्य आर साहित्यक शक्ति होइत छैक साहित्यिक रचना। मिथिला अत्यन्त प्राचीनकाल सँ भाषा-साहित्य ओ सृजनकर्म मे प्रगतिशील देखाइत अछि। युग-युगान्तर सँ जीवित एहि मिथिला सभ्यता मे विद्या-वैभव केँ मूल सम्पत्ति मानल जाइत रहल अछि, तथा विद्वान् सृजनकर्मी आउ भेटैत छी अपन भाषा-साहित्यक युवा सर्जक मिथिलेश राय संग

राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ एवं भाजपा लेल समर्पित छलाह राजू सिंह – अन्तिम समय कियो कतहु नहि

दरभंगाक राजू सिंह मृत्यु प्रकरण आ नेताक उपेक्षा पर मैथिली संचारकर्म केर निरन्तरता १८ मई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!! दरभंगा मे पिछला १२ मई एक चर्चित आ लोकप्रिय युवा चेहरा ‘राजू सिंह’ केर मृत्युक खबरि सँ काफी लोक मर्माहत भेल। राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ केर पूर्व प्रचारक आ हाल भारतीय जनता पार्टीक सक्रिय कार्यकर्ताक रूप मे राजू राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ एवं भाजपा लेल समर्पित छलाह राजू सिंह – अन्तिम समय कियो कतहु नहि