नेतृत्व मे विश्वास – देशक संग जनताक समृद्धि आ विकास

जखन कि भारतीय चुनाव आयोग जहिना एक स्वायत्त संस्थाक रूप मे भारतीय संविधान द्वारा बनाओल गेल, ओकर काज सेहो किछु तहिना होइत रहल छैक। एखन धरि एहेन कोनो आरोप चुनाव आयोगक निष्पक्षता केँ कलंकित नहि कय सकल छैक। हँ, आरोप लगौनिहार आ फ्रस्ट्रेशन मे रहल कतेको लोक ईवीएम मशीन सँ लैत ईवीएम केर सुरक्षा आ बन्दोवस्त (एक जगह सँ दोसर जगह) लय जेबाक क्रम मे गड़बड़ीक आशंका जरूर जतबैत आयल छथि, एहि बेर सेहो ओ लोकनि अपन-अपन शंका-उपशंका चुनाव आयोग पर मढैत देखा रहला अछि। चारूकात अफरातफरी मचल अछि, लेकिन ५ वर्ष सक्षम-सफल ढंग सँ सरकार चलौनिहार नेता नरेन्द्र मोदी, सब सँ पैघ एनडीए घटक दल भारतीय जनता पार्टीक अध्यक्ष आ नेता संग कार्यकर्ता लोकनि अपन जीत प्रति विश्वस्त आगामी तैयारी मे लागल देखाइत अछि।

काल्हि २१ मई केँ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी प्रति पुनः विश्वास प्रकट करैत हुनका धन्यवाद ज्ञापन करैत आगामी नेतृत्व लेल तैयार होयबाक मनसाय सँ सम्मान देबाक कार्यक्रम समस्त एनडीए घटक मिलिकय कयलनि। ई दृश्य देखबैत अछि जे भारत जेहेन शक्तिशाली राष्ट्र केँ संचालन करबाक वास्ते राजनीतिक तैयारी कतेक अनुशासित आ सुसंगठित अछि। एकर ठीक बिपरीत विपक्ष काफी विचलित आ हारल मानसिकता सँ ग्रसित अनाप-शनाप बयान दैत देखा रहल अछि। काल्हि जाहि तरहें एनडीए अपन एकजूटताक प्रदर्शन करैत फेर सँ मोदी जी मे विश्वास प्रकट केलक अछि, जाहि तरहें हुनकर नेतृत्व मे एतेक लम्बा समयक चुनावी अभियान पूरा केलक आर आब आगाँ जाहि तरहें बढबाक लेल ओ सब अपन मन-माथा केँ कंडिशनिंग करत, तेकर विलक्षण दृश्य प्रस्तुत कयल गेल अछि। यैह भारतक आगामी समृद्धि आ विकास केर परिचायक थिक। ई सुनिश्चित अछि जे आगामी ५ वर्ष आरो महत्वपूर्ण कार्य सब करैत भारत देश आ ओहि ठामक जनता केँ आगाँ बढायल जायत। नेतृत्व मे विश्वास देश ओ जनताक विकासक पहिल सूत्र होइछ, ई स्पष्ट भेल।
हरिः हरः!!