Search

मुम्बई मे रिलीज मैथिली फिल्म दूल्हा चोर एक सप्ताह सँ प्रदर्शन चलि रहल अछि

516 भ्यूज

रवि कुमार मंडल ‘मिथिला’, मुम्बई, २२ मई २०१९ । मैथिली जिन्दाबाद!!

भाषा के सम्मान हेबाके चाही, अपन संस्कृति के सेहो बचा के रखनाइ हमर सबहक दावित्य अछि आ अगर ओ बात अपन मातृभाषा मैथिली के करी तऽ ओकर जबाबे नइ – एक बेर किनको स गप्प के सुरुवात होइत अछि त लगैत अछि गप्प करिते रही। हमरा हिसाबे मैथिली केँ सबसँ मधुर वाणी के निसंदेह दर्जा भेटS के चाही। आइ मुबंई सन महानगर मे जाहि ठाम दिन राति एके समान होइत अछि, लोक एहि ठाम २४ घंटा अपन अपन काम काज में व्यस्त रहैत छथि, ओहि सँ समय निकालि किछु और सोचि नहि सकैत छी, लेकिन कामयाबी कोना हासिल कायल जा सकैत अछि एहि बात केर जानकारी मैथिली सिनेमा दुल्हा चोर केर हिरो घनशयाम जी मे भरपूर मात्रा मे छन्हि। ओ बहुत मेहनती लोक छथि जे अपना दम पर पूरा मुम्बई मे दुल्हा चोर मैथिली फ़िल्म लगा कय नव इतिहास रचलनि। नवी मुंबई मैथिल समाज केर टीमक संग मुबंई केर नालासोपारा मे ई फिल्म देखबाक लेल हम सब पहुँचल रही। फिल्म देखिकय नव आशा जागल अछि। उम्मीद कयल जा सकैत छैक जे ई फिल्म बहुत पैघ सफलता हासिल करत। मैथिली सिनेमा दुल्हा चोर केर पूरा टीम केँ शुभकामना जे हुनकर ई मेहनत रंग आनय। विदित हो जे एहि फिल्म केर निर्माता नुनु कांत झा (श्याम जी) आ सह निर्माता महेश मिश्रा, निर्देशन विरेन्द्र पासवान, नायक घनशयाम झा, नायिका कल्पना शाह, फिल्म दहेज प्रथा पर अधारीत अछि जेना पहिने दूल्हा अपहरण कय केँ जबरदस्ती विवाह करा देल जाइत छल ताहि पर आधारित कथानक केर एहि फिल्म केर निर्माण मे कुल लागत २५ लाख केर करीब कयल गेल अछि।

Related Articles