दरभंगाक राजू सिंह मृत्यु प्रकरण आ नेताक उपेक्षा पर मैथिली संचारकर्म केर निरन्तरता
१८ मई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
दरभंगा मे पिछला १२ मई एक चर्चित आ लोकप्रिय युवा चेहरा ‘राजू सिंह’ केर मृत्युक खबरि सँ काफी लोक मर्माहत भेल। राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ केर पूर्व प्रचारक आ हाल भारतीय जनता पार्टीक सक्रिय कार्यकर्ताक रूप मे राजू सिंह केर छवि संघ एवं भाजपा सँ जुड़ल विभिन्न कार्यकर्ता एवं नेतृत्वकर्ता मे काफी लोकप्रिय छल। राजू सिंह केर नाम एक समर्पित आ सक्रिय राजनीतिक-सामाजिक अभियन्ताक रूप मे लेल जाइत छलन्हि। लेकिन हुनकर असामयिक मृत्युक जड़ि मे जखन लोक जिज्ञासा केलक त बड़ा वीभत्स बात सब सोझाँ एलैक। किछु मास पूर्व हुनकर किडनी मे इन्फेक्सन (संक्रमण) केर शिकायत पर इलाज लेल लखनऊ केर नामी अस्पताल मे इलाज भेलाक बाद ओ काफी संघर्ष करैत सुधार पेलनि। एम्हर चिकित्सक द्वारा देल आराम करबाक सलाह केँ किनार करैत फेर सँ ओ चुनावक समय मे प्रचार आदिक कार्य मे जुटि गेलाह। एहि तरहें फेर सँ संक्रमण तीव्र भेलाक बाद ओ गंभीर बीमार बनिकय लखनऊ केर वैह अस्पताल मे पहुँचैत छथि, लेकिन एहि बेर हुनका भर्ती समय पर नहि भऽ पबैत छन्हि। ओ अपन नेता जी लोकनि केँ ओहेन छटपटाइत अवस्था मे फोन करैत छथि, मुदा हुनकर गोहारि सुननिहार केओ नहि होइत छन्हि। अन्त मे हुनकर प्राण छुटि जाइत छन्हि आर मृत शरीर दरभंगा अबैत अछि। ओतय कन्नारोहट केर बीच सैकड़ों कार्यकर्ता त राजू सिंह केर अन्त्येष्टि मे भाग लैत अछि, मुदा नेता लोकनि नदारद रहैत छथि। एतय सँ आरम्भ होइत अछि एकटा अजीबोगरीब आक्रोश – सैकड़ों कार्यकर्ता सोचय लेल मजबूर भऽ जाइत छथि जे जखन राजू भैया सनक सक्रिय आ समर्पित कार्यकर्ताक एहेन दीन – दारुण अवस्था भऽ सकैत छैक त हमरा सभक कि होयत! ई बड पैघ सवाल आइ धरि ठाढ छैक आ सामाजिक संजाल मे ई चर्चा रुकबाक नाम नहि लय रहल अछि। मैथिली जिन्दाबाद पर सेहो एहि सन्दर्भ मे काल्हि एक गोट वैचारिक लेख लिखल गेल छल – “राजू सिंह नहि रहलाह – अपन पाछाँ असहाय परिवार केँ बिलखैत आरो कय गोट सवाल छोड़ि गेलाह”। एकरे निरन्तरता दैत किछु प्रोग्रेसक समाचार लिखि रहल छी।
दरभंगा संसदीय क्षेत्र सँ सांसद उम्मीदवार गोपाल जी ठाकुर काल्हि राजू सिंह केर घर पर जिगेसा करबाक लेल पहुँचलाह। समूचा हिन्दुस्तान द्वारा हिन्दी मे बुझल जायवला सन्देश लिखैत अपन फेसबुक पर स्टेटस लगौलनि –
“पिछले दिनों दरभंगा भाजपा के कर्मठ कार्यकर्ता राजू सिंह जी का आकस्मिक निधन हो गया था, आज उनके आवास पर पहुंच परिजनों से मुलाकात कर उन्हें सांत्वना दी।
“#राजूसिंह #अमर रहें !! #अमर रहें !! सब दिन याद आओगे राजू भैय्या तुम !! #सत्य #प्रसंग –#घर आये तो #मॉं ने पूछा –#राजू के संस्कार भ गेलै ,#बौआ रे कते लोग गेलै -कहलौं बड लोक गेलै – #बडका लोग के सब गेलै –#कहा –#कोईनहीं – #मॉं ने क़हा –#बापरे जूलूम भ गेलै #केकरा ले तू सब #मरै छै -माथा झुकि गेल –#छिया छिया #शर्म करू #बडका लोक सब !! यह सभी #कार्यकर्ता की #मॉं की #वेदना है !! #हे #मॉं !!” एहि संगे ओ एकटा दर्दनाक हिन्दी गीत केर पार्श्वध्वनि मे राजू सिंह केर जीवनक विभिन्न दृश्य वला तस्वीर सभक चलायमान वीडियो मूवी बनाकय सेहो एहि लिंक पर पोस्ट कएने छथि – एक बेर सुनला सँ कियो बिना कनने नहि रहि सकैत अछि – https://www.facebook.com/adityanarayan.chy.9/videos/2823307291228485/?t=174
सब स्थिति-परिस्थिति मे एक कर्मठ कार्यकर्ता लेल कथित नैतिक आ आदर्श केर पालन करयवला राजनीतिक दल केर दरभंगिया नेताक नक्कारापन बड पैघ सवाल ठाढ करैत अछि, आर एकर संज्ञान राष्ट्रीय अध्यक्ष, प्रदेश अध्यक्ष आ स्वयं प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ जरूर लेबाक चाही।