Search

स्वच्छता मिशन तहत ग्राम सड़क अतिक्रमण मुक्त,कन्हौली पंचायतक हरीशवाड़ा गाम……

“रविन्द्र भारती”  खजौली, मधुबनी    दिनांक ०८/११/२०१७


कन्हौली पंचायतक  हरीशवाड़ा गाम में मुखिया रामाशीष सिंह के अगुआई में दित्याचरण ग्राम स्वछता पखवाड़ा मिशन के तहत वार्ड ११ तथा १२ में बाटक सफाई कराओल गेल । जाहि में गामक महिला वर्ग विशेष रूप सँ आगू आबि बैढ़- चैढ कs भाग लेलैन। विगत किछ मास सँ स्थानीय ग्रामीण सड़क पs मल मूत्र संगे, सड़क पs गोबैर पाइथ अतिक्रम केने छेलैथ । हुनका सब के सरपंच प्रभाकर सिंह आग्रह संग सूचना देलैन जे बाट के अतिक्रमण सँ आवागमन में परेशानी होयत छै, साथै घर के परिवेश के सदैव साफ रखबाक चाही, कारन गन्दगी सँ बीमारी बढ़ैत छै आ सम्पूर्ण म्हणत सँ कमायल धन प्रायः डॉक्टर वैध लग जा ख़त्म भs  जायत छै । जरुरी छै स्वस्थ रहबाक आ समाज के सेहो स्वस्थ रखबाक जिम्मेबारी सब के बनैत छै । अपन जिम्मेबारी के समझू , जे आयदिन सँ सड़क अतिक्रमण में नजर आओत तs पंचायत हुनका विरुद्ध कारवाई करात से हमर सख्त निवेदन अछि । कार्यकर्म में ८० वर्षीय मो. मुस्तकीम,७० वर्षीय  मंगल दास, सहित सक्रो महिला पुरुष दुनू वार्ड के बाटके साफ केलैन आ भविष्य में साफ रखबाक संकल्प लेलैन ।

Related Articles