”रविन्द्र भारती” खजौली, मधुबनी,तिथि – 19/09/2017 , दिन – मंगल
सवच्छ भारत निर्माण कार्यकर्म अंतगर्त मध्य विद्यालय कन्हौली मल्लिक टोल पs सखी संस्था आ वाटर एड संस्था के संयुक्त सहयोग से एकदिवसीय स्वच्छता जागरूकता कार्यकर्म छात्र-छात्रा के बिच राखल गेल, जाहिक कार्यकर्म के उद्घाटन खजौली प्रमुख महोदया उषा देवी, प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी जयदेव महतो, सखी संस्था के सचिव सुमन जी, भाजपा प्रखंड सचिव सह विद्यालय भूदाता अर्जुन सिंह सम्मिलित रूप सँ दिप प्रज्जवलित कS केलैन ।

सवच्छता कार्यकर्म के अवसर पS सखी संस्थाक सचिव महोदया सुमन जी छात्र – छात्रा के जानौलइन से जीवन में साफ- सफाई के कतेक महत्तव अछि। मध्याहन भोजन खाय सँ पाहिले साबुन सँ हाथ दोबाक चाही,एवं शौच उपरांत साबुन सँ हाथ धोबाक चाही । और खुला स्थान पS पैखाना नै करबाक चाही , बच्चा सब के कहलैनअपन अपन घर में अपन माता – पिता के शौचालय बनेबाक हेतु कहियौ , खुला में सोच सँ परिवार आ समाज में बीमारी महामारी फैलबाक प्रमुख कारण छै । शौचालय निर्माण आसान छै, शौचालय निर्माण हेतु सरकार द्वारा राशि मिलैत अछि ।
