किराड़ी मे होयत १८ नवम्बर केँ विद्यापति स्मृति समारोह – भाग लेता राज्य आ केन्द्रक मंत्री

दिल्ली। सितम्बर ५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

अभ्युदय नामक संस्थाक तरफ सँ विज्ञप्ति जारी करैत संस्थापक अध्यक्ष प्रणव कुमार झा, वर्तमान राष्ट्रीय अध्यक्ष विभय कुमार झा तथा सोशल मीडिया प्रभारी मिहिर कुमार झा जानकारी करौलनि अछि जे एहि वर्ष किराड़ी विद्यापति स्मृति पर्व समारोह १८ नवम्बर शनि दिन मनायल जायत।

एहि अवसर पर समस्त दिल्लीवासी मैथिल लगायत अन्य लोकनि केँ सेहो सपरिवार आमंत्रित करैत कहल गेल अछि जे एहि समारोह मे विद्यापति मिथिला विकास समिति संग सहकार्य करैत संयुक्त आयोजन कएल जायत। अभ्युदय नामक संस्था जे पंजीकृत संस्था अछि ओ १७ वर्ष सँ पुरान अछि आर भाषा-संस्कृतिक संग मैथिल हित केर संरक्षण-संवर्धन-प्रवर्धन लेल कार्य करैत आबि रहल अछि। एहि बेरुक समारोह मे सांस्कृतिक कार्यक्रम केर खासियत मैथिली लोक गीत आ नृत्य मार्फत मिथिलाक अनुपम संस्कृति तथा परंपरा केँ दर्शक माझ झलकेबाक लक्ष्य लेल गेल अछि। दिल्ली एन सी आर संग-संग मिथिला आ देश -विदेश मे रहयबला सब सम्मानित मित्र तथा अभिभावकगण ई कार्यक्रम मिस नहि करैथ कारण ऐबरीक समारोह बहुत खास होयत, मिहिर झा कहलनि।

कार्यक्रम केर उद्घाटन बिहार सरकार केर कैबिनेट मंत्री तथा केंद्र सरकार सऽ सेहो कतेको मंत्री लोकनिक सहभागिता मे होयबाक जनतब सेहो मिहिर झा करौलनि अछि। विदित अछि जे अभ्युदय संस्थाक वर्तमान राष्ट्रीय अध्यक्ष विभय कुमार झा केर पिता श्री विनोद नारायण झा बिहार सरकार मे कैबिनेट मंत्री छथि आर हुनकर रुचि सदिखन अपन मौलिक संस्कार आ भाषा प्रति दहिन रहैत आयल छन्हि। मिथिलांचल केर वरिष्ठ मैथिली कलाप्रेमी – मिथिला संस्कृति प्रेमी, बहुचर्चित वरिष्ठ समाजसेवी एहि कार्यक्रम मे सहभागिता देता – हिनका लोकनिक विशिष्ट योगदान केँ देखैत संस्था द्वारा सम्मान पत्रक संग मिथिलाक विशेष अंगवस्त्रम्-पाग आदि सेहो समर्पित कएल जेबाक खास योजना अछि।

सामान्यतया विद्यापति पर्व समारोह केर अर्थ गाना-बजाना-नचनिया नचाना मानल जाएत छैक, परन्तु अभ्युदय केर योजना मे विशिष्ट अतिथिक संग राज्य व केन्द्र सरकारक उपस्थिति रहबाक कारण एकटा विशेष सत्र विचार गोष्ठी लेल समर्पित कएल जेबाक बात मिहिर झा कहलनि। निस्तुकी योजना पर समय-समय पर जानकारी प्रेषित कएल जेबाक बात सेहो ओ बतौलनि। संस्थाक विशेषाधिकारी लोकनिक नाम ओ नंबर दैत आवश्यक सुझाव लेल सेहो विचार आमंत्रित कएलनि अछि। प्रणव कुमार झा (संस्थापक-विद्यापति मिथिला विकास समिति) 09968635059, श्री विभय कुमार झा (रास्ट्रीय – अध्यक्ष “अभ्युदय” (पंजीकृत) 9818177280 मिहिर कुमार झा 08744818576 (सोशल मिडिया प्रभारी -मिथिला विद्यापति विकास संघ,”अभ्युदय” (पंजीकृत)।