नई दिल्ली, २५ अगस्त २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
समाचारः साभार दैनिक भास्कर डट कम
नई दिल्ली. भारत आ नेपाल केर बीच काल्हि वृहस्पति दिन ८ महत्वपूर्ण समझौता भेल। एहि मे सँ एक गोट अति महत्वपूर्ण करार ड्रग ट्रैफिकिंग पर सख्ती सँ रोक लगाबय पर अछि। दोसर एक आरो करार केर तहत भारत नेपाल मे 50 हजार घर सेहो बनायत।
समझौताक बाद नरेंद्र मोदी आर हुनकर काउंटर पार्ट शेर बहादुर देउवा द्वारा ज्वॉइंट प्रेस कॉन्फ्रेंस कयल गेल। मोदी कहलनि – हम अपन दोस्ती केँ पहिले सँ आरो बेसी मजबूत बनायब। देउवा कहलनि – हम भारत केँ भरोस दियाबय चाहब जे नेपालक जमीन केर प्रयोग भारतक खिलाफ नहि होबय देब। बता दी जे मोदी प्रोटोकॉल तोड़िकय बुधे दिन केँ देउवा सँ भेटबाक लेल पहुंचल छलथि। हालांकि, दुनू गोटाक ऑफिशियल भेंटघाँट वृहस्पति दिन लेल तय छल। मोदी द्वारा नेपाल पर कि सब कहल गेल…
– मोदी कहलनि – भारत नेपाल केँ ई भरोसा दियाबय चाहैत अछि जे ओकर विकास वास्ते पूरा मदद देत। दुनू देश द्वारा कटैया-कुसहा आर रक्सौल-परवानीपुर क्रॉस बाॅर्डर ट्रांसमिशन लाइन केर सेहो इनॉगरेशन कएल गेल।
– मोदी कहला जे भारत और नेपाल केर बीच डिफेंस और सिक्युरिटी एक पैघ मुद्दा थिक। ताहि सँ पहिने देउवाक राष्ट्रपति भवन में ऑफिशियल वेलकम कयल गेल। देउवा स्टेट गेस्ट केर तौर पर राष्ट्रपति भवन में रुकल छलाह। देउवा द्वारा वृहस्पति दिन केँ विदेश मंत्री सुषमा स्वराज सँ सेहो भेंटघांट कयल गेल।
– बता दी जे नेपाल केर पीएम अपन पहिल विदेशी दौरा अन्तर्गत भारत आयल छथि। ओ जून में पीएम बनल छलाह। हुनकर ई दौरा अहु लेल खास अछि जे चीन नेपाल पर प्रभाव जमेबाक लेल सब तरहक हथकंडा अपना रहल अछि। भारत और चीन केर बीच डोकलाम में तीन महीना सँ विवाद चलि रहल अछि।
देउवा केर भारतीय कंपनी केँ न्योता
– नेपाल केर पीएम द्वारा बुधक राति भारतीय कारोबारी सब सँ भेंटघांट कयल गेल। देउवा कहलखिन – हम चाहैत छी जे भारतीय कंपनी हमरो देश में इन्वेस्टमेंट करैथ। एहि सँ ओत्तहु भारते जेकाँ विकास भऽ सकत। एहि लेल हम एक इन्वेस्टमेंट समिट करय जा रहल छी।
– मोदी कहलखिन – नेपाल केर विकास में भारतक अहम भूमिका अछि। पीएम नेपाल में बिजली ट्रांसमिशन केर क्षेत्र में भारत केर मददक बारे में बतौलनि। ओ कहलखिन जे नेपाल में पहिले सँ देल जा रहल ३५० मेगावॉट बिजली केँ 100 मेगावॉट आरो बढ़ायल जा सकत।
डेलिगेशन लेवल केर बातचीत भेलाक बाद ज्वाइंट प्रेस कॉन्फ्रेंस में मोदी और देउबा।