विद्यार्थी परिषद सौपालक प्राचार्य केर छात्रहित में ज्ञापन,आगामी 28 जुलाई के विशाल प्रदर्शन ..

 ”मैथिलि जिंदाबाद”   ‘रविंद्र भारती’ मधुबनी, बिहार, दिनांक २७.०७.२०१७ 



दिनांक २६/०७/२०१७ के अखिल विद्यार्थी परिषद्क जिला संयोजक गीतेश झा के नेतृत्व में चार सदस्यीय शिष्टमंडल, स्थानीय ललित नारायण जनता महाविद्यालय के प्राचार्य श्री केदारनाथ झा के छात्रहित में ज्ञापन सौंपलक , मौका पs जिला संयोजक कहलैन जे विद्यार्थी परिषद सदैव छात्रहित में मुखर भs , सड़क सँ सरकार धरि जोड़ शोर सँ संघर्ष करब ।

फोटो - शंकर झा
 चार सदस्यीय शिष्टमंडल,प्राचार्य केर ज्ञापन                                                                                                      फोटो – शंकर झा

वैह कड़ी में आय प्राचार्य से मिल कs स्थानीय समस्या सँ सेहो अवगत करेलैन । मौका पs छात्र संपर्क प्रमुख चेकितान कौण्डिन्य, नगर मंत्री हिमकर कौण्डिन्य, कन्हैया महाराज आ अभिषेक झा आदि छात्र मौजूद रहलैन। चेकितान कौण्डिन्य जानकारी दैत कहलैन कि आगामी 28 जुलाई शुक्र दिन विश्वविद्यालय में एहन अनेक मुद्दा के लs कs विशाल प्रदर्शन करय जा रहल अछि, जाहिमे हजारक हजार संख्या में छात्र के पहुँचबाक अपील केलैन ।