दुर्गास्थान मे होयत श्रीमद्भागवत सप्ताह ज्ञान-यज्ञः नवाह संकीर्तन समिति कुर्सों-नदियामीक आयोजन

आशीष कुमार चौधरी, नदियामी। जुलाई १७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

दरभंगा जिलाक सुप्रसिद्ध धार्मिक स्थली ‘दुर्गास्थान’ – कुर्सों-नदियामी मे श्रीमद्भागवत सप्ताह ज्ञान-यज्ञ केर भव्य धार्मिक आयोजन आइ सँ आरम्भ होमय जा रहल अछि। एहि अवसरपर भव्य कलश यात्राक आयोजन सेहो कएल गेल अछि जाहि मे दुनू गामक सैकड़ों कलश सहितक यात्राक संग अपन-अपन घर-टोल सँ मन्दिर मे आबि कलशस्थापना करैत एहि आयोजनक सांकेतिक आरम्भ करता।

आयोजक नवाह संकीर्तन समिति – कुर्सों-नदियामी द्वारा सूचना दैत कहल गेल अछि जे ई आयोजन दिनांक १७ जुलाई सँ कुर्सों-नदियामी दुर्गास्थान केर प्रांगण मे श्री श्री १०८ चण्डी देवी भागवत कथाक प्रारंभ होयत। एहि आयोजनक समापन २२ जुलाई २०१७ केँ कएल जायत। कथा वाचन समय संध्या ५ बजे सँ ९ बजे धरि कएल जायत। एहि ज्ञान-यज्ञक होता (व्यास) राजेश शास्त्रीजी हेता। एहि अवसर पर आसपासक गाम-टोल सहित स्वयं कुर्सों-नदियामी सँ हजारों-हजार भक्त श्रद्धालू भाग लैत आध्यात्मिक चर्चा सँ लाभ उठेता।