मिहिर कुमार झा ‘बेला’, बेनीपुर। जुलाई ७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

भरत साहनी सहित कतेको लोक द्वारा जानकारी देल गेल जे जमीनक मालिक नवी अहमद खां स्वयं ओहि जमीन पर बसय लेल किछु लोक केँ कहला अछि। एकरा बाद भाजपा कार्यकर्ता द्वारा नवी अहमद खां केँ ओहि स्थान पर बजाकय एहि सम्बन्ध मे पूछताछ केला। एहि पर नवी अहमद कहलखिन जे वर्ष 1986 ई. मे ओ अपन जमीन भाजपा कार्यालय बनेबाक लेल दान मे देने छलाह। लेकिन ओहि जमीन पर कार्यालय केर निर्माण कार्य नहि कएल गेल। ताहि हेतु हाल विशेष प्रयोजनार्थ ओ ओहि जमीन केँ भरत सहनी केँ भाड़ा पर देलनि अछि। एहि पर जिला कार्यसमिति केर पूर्व सदस्य सोनू ठाकुर कहलनि जे जँ ई जमीन तीन दिन केर भीतर खाली नहि होयत त ओ एहि बात केँ लय केँ जिला कार्यालय सँ पटना कार्यालय धरि उग्र आंदोलन करता और ई स्थान भाजपाक हक़ थिक से दियाकय रहता। ई सब जानकारी ओ हमरा संपर्क सूत्र केर माध्यम सँ देलनि।