प्रेम विदेह, जनकपुरधाम। जूलाई २, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
आइ शुक्रदिन मैथिली साहित्यकार सभाक आयोजनमे, जि.शि.का. धनुषाक समन्वयमे, आसमान नेपालक सहयोगमे माध्यमिक स्तरीय मैथिली निबन्ध प्रतियोगिता संकट मोचन मा. वि. जनकपुरधाम मे सम्पन्न भेल अछि। धनुषा जिलाक सहायक जि.शि. अ. दानीकान्त झाक प्रमुख आतिथ्यमे आ मै. सा. स. केर सभापाल प्रेम विदेहक सभापतित्वमे एवम् सरकारी आ प्राइभेट विद्यालय सभक सहभागितामे संचालन भेल एहि कार्यक्रमक उद्घोषण पुनम झा मैथिली कएने छलीह त कार्यपाल अरविन्द यादव स्वागत मंतव्य देने छलाह।
मूल्यांकन समितिमे वरिष्ठ साहित्यकारद्वय राजेश्वर नेपाली आ डा. रेवती रमण लाल पदासीन छलाह। का. स. सदस्य रामकुमार साहसहित अन्य सदस्य कार्यक्रम मे सक्रिय सहयोग कएने छलाह। “अनुशासन: सफलताक आधार” शीर्षक पड़ लिखल निबन्धमे विद्यार्थी लोकनि जीवनमे सफलताक लेल अनुशासन अनिवार्य रहल लिखने छल।
पहिल, दोसर, तेसर आ चारिम स्थान प्राप्त विद्यार्थी सभकेँ पुरस्कार स्वरुप शब्दकोश आ प्रत्येक सहभागीकेर प्रमाणपत्रसहित मनोरम पोथी (मिथिलाक्षरमे लिखल) प्रदान कएल गेल छल। सभा मे उपस्थित वक्ता-विचारक द्वारा कहल गेल जे मैथिली भाषा मे निबन्ध प्रतियोगिता सँ स्कूली बाल-बालिका मे अपन मातृभाषा लेखन प्रति झुकाव होयत, रुचि जागत आर एहि तरहें नव पुस्ता मे सेहो मैथिली लेखनक प्रोत्साहन संभव होयत।