Search

मणि-शृंखला मे नव मणिः मणिकान्त झा केर ‘दहेज मुक्त मणि’ केर लोकार्पण दरभंगा मे संपन्न

857 भ्यूज

दरभंगा, १ जूलाई, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

दहेज मुक्ति मणिक लोकार्पण संपन्न 

मैथिलीक गीतकार संग-संग चुनाव आयोग केर ऑइकान आ वरिष्ठ संचारकर्मी तथा अभियानी-समाजसेवी मणिकांत झा द्वारा पैछला किछेक वर्ष मे ‘मणि’ शृंखला मे कतेको रास गीतक पोथी प्रकाशित कएल जा चुकल अछि। एहि क्रम मे हुनक नव रचना ‘दहेज मुक्त मणि’ केर प्रकाशनोपरान्त लोकार्पण काल्हि शुक्र दिन महाराज महेश ठाकुर महाविद्यालय केर सभागार मे समारोहपूर्वक संपन्न भेल।

एहि लोकार्पणक अवसरपर महापौर बैजंती खेड़िया केर अध्यक्षता मे आयोजित समारोह मे डा. नुतन राय, आशा देवी, डा. रेणू चौधरी, डा. प्रभा मल्लिक, उषा झा, स्वर्णिम किरण झा, ओमप्रकाश खेड़िया, डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’, हीराकुमार झा, सतीरमण झा, राम शृंगार पांडेय, संतोष कुमार मिश्र चुन्नू, मनोज कुमार झा, जीवकांत मिश्र, विजयकांत झा, डा जयप्रकाश चौधरी जनक, विष्णुदेव झा विकल, डा. कृष्ण कुमार, बिष्णु कुमार झा, डा. ओमप्रकाश, बिनोद कुमार झा, नीलम झा, उदय शंकर मिश्र, वंदना कुमारी, डा. सुष्मा झा, सुधा देवी सहित अनेको गणमान्य लोकनि मणिशृंखलाक एगारहम पोथी ‘दहेज मुक्त मणि’क लोकार्पण कएलनि।

महापौर अपन मन्तव्य रखैत कहलनि जे दहेज दानव हमरा लोकनिक समाज मे विकराल रुप धारण कय लेलक अछि जेकरा भगेबाक जिम्मा हम सब महिला समाज पर अछि। ओ मंच व सभागार मे उपस्थित महिला समाज केँ विशेष रूप सँ संबोधित करैत कहली जे हम-अहाँ संकल्प ली जे अपन संतान केर विवाह बिना कोनो तरहक दहेजक लेन-देन केर हो। 

गीतकार मणिकांत झा अपन मन्तव्य मे कहलखिन जे साहित्य समाज केर दर्पण होएछ आर एहि मे समाजक ज्वलंत समस्या केँ समाजक सोझाँ राखब साहित्यकार केर दायित्व थिक । ओ एहि कुप्रथा केँ भगेबाक लेल सरकार केर सहयोग आवश्यक होयबाक बात कहि एहि मे समाजक सब वर्ग आ व्यक्ति केँ एकजूटता सँ संकल्प लेबाक आग्रह सेहो कएलनि। 

एहि अवसर पर दीपक कुमार झा, सुष्मा कुमारी, नीरज कुमार झा, गौरीकांत झा, अशोक कुमार झा तथा अर्जुन झा द्वारा पुस्तक सँ दहेज विरोधी गीत केँ संगीत बद्ध कएलनि। महात्मा गाँधी शिक्षण संस्थान द्वारा एहि प्रकाशित पुस्तक केर लोकार्पण समारोह मे उपस्थित समस्त सभासद-दर्शक लोकनि केँ अंग वस्त्रम् सँ सम्मानित कएल गेल छल।

विदित हो जे काल्हिये स्रष्टा-रचनाकार-गीतकार मणिकान्त झा केर ३१म वैवाहिक वर्षगाँठ सेहो छलन्हि, सभा मे उपस्थित सब कियो दुनू दंपत्ति केँ आशीर्वाद तथा शुभकामना सेहो देलनि। दहेज मुक्त मणि केर प्रकाशन-लोकार्पण केर वास्ते ई खास दिन खास महत्व पर प्रकाश देलक, स्वाभाविके छैक जे बिना दहेज लेने विवाह केनिहार वर केँ मिथिलाक उल्टा-खोपड़ी समाज बुरबक बुझैत छैक – लेकिन एहि बुझाइ केँ गलत सिद्ध कएनिहार दहेज मुक्त विवाह सँ जीवन बनेनिहार कतेको स्रष्टा मे एक मणिकान्त झा स्वयं छथि आर अपन विवाहक ३१ वर्ष पूरा कय समाज लेल अपन उपयोगिता केँ मात्र जरुरते टा नहि आवश्यक सेहो बना चुकल छथि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हार्दिक बधाई, संगहि पोथीक सफलता लेल शुभकामना!

Related Articles