साहित्य अकादमीक ‘युवा पुरस्कार २०१७’ केर घोषणा, मैथिली लेल चन्दन कुमार झा पुरस्कृत

जून २३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

साहित्य अकादमीक कार्यकारिणी समितिक गुआहाटी बैसार द्वारा काल्हि २२ जून, २०१७ केँ कुल २४ गोट मान्य भारतीय भाषा मे ‘युवा पुरस्कार २०१७’ केर पुरस्कृत सर्जकक नाम व हुनक कृतिक घोषणा कएल गेल अछि। एहि घोषणा अनुरूप कुल १६ गोट कविता संग्रह, ५ गोट लघुकथा, २ गोट आत्मकथा तथा १ गोट निबंध लेल साहित्य अकादमी युवा पुरस्कार २०१७ प्रदान कएल गेल अछि।

समस्त २४ गोट भाषा लेल नामित निर्णायक मंडल द्वारा कएल गेल सिफारिश केँ काल्हिक अकादमी कार्यकारिणी बैसार जे अकादमी अध्यक्ष प्रो. विश्वनाथ प्रसाद तिवारी केर अध्यक्षता मे सम्पन्न भेल ओहि मे अन्तिम निर्णय लैत घोषणा कएल गेल अछि।

कविता संग्रह मे पुरस्कार प्राप्त कएनिहार आसामी भाषाक प्रतिम बरुआ, बोडो भाषाक बिजित ग्वारा, डोगरीक राजिन्दर राँझा, हिन्दीक रातो सिन्दिक, काश्मिरी केर सुश्री निघाट साहिबा, कोंकणीक अमेय विश्राम नाइक, मैथिलीक चन्दन कुमार झा, मणिपुरीक कृष्णमोहन सिंह, नेपालीक सरण मुस्कान, ओडियाक सूर्यसंत त्रिपाठी, पंजाबीक हमान, संस्कृतक हेमचन्द्र बेलवाल, संथाली लेल सुश्री मैना टुडू, सिन्धी लेल सुश्री रेखा सचदेव, तमिल लेल सुश्री जे. जयाभारती ‘मानुषी’ आ तेलगुक सुश्री मर्सी मार्गरेट केँ उपरोक्त पुरस्कार देबाक घोषणा कएल गेल अछि। जखन कि निबन्ध लेल राहुल कोशाम्बीक नाम घोषित भेल अछि। लघुकथा वास्ते बंगालीक शमिक घोष, गुजरातीक राम मोरी, कन्नड केर सुश्री शान्ति के. अप्पना, मलयालम केर सुश्री अस्वाति शशिकुमार आ राजस्थानीक उम्मेद धानिया केर नाम घोषित भेल अछि। तहिना आत्मकथा लेल अंग्रेजीक मनु एस. पिल्लइ आ उर्दूक राशीद अशरफ खान केर नाम के घोषणा भेल अछि।

युवा पुरस्कारक घोषणा सेहो निर्णायक मंडल द्वारा सर्वसम्मति सँ अथवा बहुमतक आधार पर कएल गेल सिफारिश अनुरूप अन्तिम निर्णय मे समेटबाक बात विज्ञप्ति मार्फत उल्लेख अछि। एहि विधा मे सेहो पुरस्कारक राशि नगद टका ५०,००० (पचास हजार) आर एक ताम्रपत्र देबाक परंपरा अछि। एहि अवार्ड लेल पुरस्कार घोषणाक वर्षक १ जनवरी धरि लेखकक उमेर ३५ वर्ष धरि होयब जरुरी होएत छैक। ई अवार्ड बाद मे समारोहपूर्वक हस्तान्तरित कएल जायत जेकर तिथि वर्तमान विज्ञप्ति मे उल्लेख नहि कएल गेल अछि।

मैथिली केर अवार्ड युवा स्रष्टा आ कतेको सम्मान सँ सम्मानित धरती सँ आकास धरिक कविता संग्रह हेतु चन्दन कुमार झा केँ देल गेल अछि। चन्दन कुमार झा केर पद्यशैलीक प्रशंसा हरेक ठाम होएत रहल अछि, पूर्वहु मे हुनका सम्मानित कएल जेबाक उद्धरण मौजूद भेटैछ। निर्णायक मंडली मे डा. बैद्यनाथ चौधरी, डा. मंत्रेश्वर झा तथा डा. योगेन्द्र पाठक ‘वियोगी’ छलाह, विज्ञप्ति मे उल्लेख अछि। आर कोन-कोन लेखकक कोन-कोन रचना एहि दौर मे छल ई बात अस्पष्ट अछि।