साहित्य अकादमीक बाल साहित्य पुरस्कार २४ स्रष्टा केँ, मैथिली लेल अमलेन्दु शेखर पाठक पुरस्कृत

जून २३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

साहित्य अकादमीक कार्यकारिणी समितिक बैसार प्रो. विश्वनाथ प्रसाद तिवारीक अध्यक्षता मे काल्हि २२ जून, २०१७ केँ गुआहाटी मे कुल २४ गोट लेखक केर नाम साहित्य अकादमी बाल साहित्य पुरस्कार २०१७ लेल चुनल गेल अछि। हरेक भाषा मे निहित ३-सदस्यीय निर्णायक मंडल द्वारा चयनित नाम अनुरूप ई अन्तिम घोषणा कएल जेबाक बात विज्ञप्ति मे उल्लेख अछि। नियमानुरूप सर्वसम्मति अथवा बहुमत केर आधार पर ३ निर्णायक द्वारा पुरस्कार लेल चुनल गेल पोथी मध्य अन्तिम निर्णय लेल जाएत अछि। पुरस्कार घोषणा सँ बितल ५ वर्षक अवधि १ जनवरी २०११ सँ ३१ दिसम्बर २०१५ केर बीच मे लिखल गेल – प्रकाशित भेल पुस्तक पर निर्णायक लोकनि ई निर्णय देलनि अछि। विज्ञप्ति अनुरूप १० वर्ष केर अबधि २०१० सँ २०१९ धरि बाल साहित्य मे योगदान केँ देखैत सेहो ई अवार्ड देबाक संभावनाक बात विज्ञप्ति मे कहल गेल अछि। एहि अवार्ड मे एकटा ताम्रपत्रक संग ५०,००० टकाक चेक आगामी १४ नवम्बर, २०१७ केँ समारोहपूर्वक सब विजेता केँ हस्तान्तरित कएल जायत।

पुरस्कार विजेताक नाम निम्न अछिः

१. आसामी – होरेन्द्र नाथ बोरठाकुर – बाल साहित्य मे समग्र योगदान लेल

२. बंगाली – षष्ठीपद चट्टोपाध्याय – बाल साहित्य मे समग्र योगदान लेल

३. बोडो – रेणू बोडो – बाल साहित्य मे समग्र योगदान लेल

४. डोगरी – सुदेश राज – जंगल दी शेर (लघुकथा)

५. अंग्रेजी – पारो आनन्द – वाइल्ड चाइल्ड एण्ड अदर स्टोरीज (लघुकथा)

६. गुजराती – हरीश नायक – बाल साहित्य मे समग्र योगदान लेल

७. हिन्दी – श्री स्वयंप्रकाश – प्यारे भाई रामसहाय (लघुकथा)

८. कन्नड – एन. एस. लक्ष्मीनारायण भट्ट – बाल साहित्य मे समग्र योगदान लेल

९. काश्मीरी – शौकत अन्सारी – जिग्गर खौंत (कविता संग्रह)

१०. कोंकणी – विन्सी क्वाड्रोस – जादुचेम पेतुल (उपन्यास)

११. मैथिली – अमलेन्दु शेखर पाठक – लालगाछी (उपन्यास)

१२. मलयालम – एस. आर. लाल – कुन्हुन्नियुदे येत्रपुस्तकम (उपन्यास)

१३. मणिपुरी – वारेप्पम जुगिन्द्र सिंह – अंगांगी वारी माचा निफु (लघुकथा)

१४. मराठी – एल. एम. काडु – खरिचा वाटा (उपन्यास)

१५. नेपाली – शान्ति छेत्री – बाल साहित्य मे समग्र योगदान लेल

१६. ओडिया – शुभेन्द्र मोहन श्रीचन्दन सिंह – बाल साहित्य मे समग्र योगदान लेल

१७. पंजाबी – सतपाल भिक्खी – बाल साहित्य मे समग्र योगदान लेल

१८. राजस्थानी – पवन पहाडिया – नम्बर वन आओला (कविता संग्रह)

१९. संस्कृत – रामकुमार मिश्र – दयाते कथमकाशे (कविता संग्रह)

२०. संथाली – जोबा मुर्मू – ओलोन बाहा (लघु कथा)

२१. सिन्धी – रोशन गोलानी – रोशन बाराना बोल (कविता)

२२. तमिल – वेलू श्रवणन – बाल साहित्य मे समग्र योगदान लेल

२३. तेलुगु – वसला नरसैय्या – बाल साहित्य मे समग्र योगदान लेल

२४. उर्दू – नजीर फतेहपुरी – मेरा देश महान (लघुकथा)

विदित हो जे मैथिली भाषाक निर्णायक मंडली मे डा. इन्द्रकान्त झा, डा. प्रभाष कुमार झा आ डा. शशि नाथ झा शामिल छलैथ। आर पुरस्कार अमलेन्दु शेखर पाठक केर उपन्यास लालगाछी केँ भेटल अछि। आर कोन-कोन पोथी एहि पुरस्कारक दौर मे शामिल छल से विज्ञप्ति सँ ज्ञात नहि भेल अछि।